अन्नपूर्ण संरक्षण क्षेत्र

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अन्नपूर्ण संरक्षण क्षेत्र
नेपालक नक्सामे अन्नपूर्ण संरक्षण अवस्थित क्षेत्र
रहल स्थाननेपाल
नजदिकक सहरपोखरा
निर्देशाङ्क२८°४७′N ८३°५८′E / २८.७८°N ८३.९७°E / 28.78; 83.97निर्देशाङ्क: २८°४७′N ८३°५८′E / २८.७८°N ८३.९७°E / 28.78; 83.97
क्षेत्रफल७,६२९ किमी (२,९४६ वर्ग माइल)
स्थापनासन् १९९२
सरकारी संस्थाराष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग, वन मन्त्रालय

अन्नपूर्ण संरक्षण क्षेत्र पश्चिम नेपालक गण्डकी तथा धौलागिरी अञ्चलक उत्तरी क्षेत्रसभमे परवाला नेपालक सबसँ बडका संरक्षण क्षेत्र छी । एकर क्षेत्रफल ७,६२९ बर्ग कि.मी. अछि । एहि अन्तरगत ८,००० मि. सँ लम्बा हिमालसभ, संसारक सबसँ गहिर काली गण्डकी नदीक खोंच, नेपालक सबसँ बेसी तथा कम पानि परैत ठामसभ अछि । ई नेपालक सबसँ महत्वपूर्ण पर्यटकीय गन्तब्य स्थल सेहो छी ।


नेपाल प्रकृति संरक्षण कोष अर्न्तर्गत स्थापना भेल ई संरक्षण क्षेत्र आयोजनाक कास्की, लमजुङ्ग, मनाङ, मुस्ताङ आर म्याग्दी करि ५ जिलाक ५६ टा गा.वि.ससभमे काम करैत आइब रहल अछि । २०४३ साल मंसीर सँ परीक्षण रूपमे कास्की जिलाक घान्द्रुकसँ काम कर शुरु करि २०४९ साल श्रावणमे नेपाल सरकार संरक्षण क्षेत्रक चार किल्ला तोइक उ क्षेत्रक ब्यवस्थापन करके जिम्मा तत्काल श्री ५ महेन्द्र प्रकृति संरक्षण क्षेत्र आयोजनाक देल गेल छल । हाल एहि आयोजनाक आंशिक आर पुरै गा.वि.स. करि कास्की जिलाक उत्तरी क्षेत्रक १७ टा गा.वि.स.सभमे काम करैत आईब रहल अछि । उ गा.वि.ससभक नामावली एहि प्रकार अछि -

आर आशिक क्षेत्रमे

ई आयोजना अन्तर्गत कस्तुरी प्रजनन केन्द्रक सेहो स्थापना भेल अछि । [२]

कार्यालय अवस्थित पता[सम्पादन करी]

पता : प्रधान कर्यालय, हरियोखर्क, पोखरा, कास्की
पो.ब.नं. : १८३, पोखरा ।
टेलिफोन नम्बर : २११०२, २८२०२
फ्याक्स : २८२०३
इमेल : acap@mos.com.np

चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]