घिरिङ गाउँपालिका
घिरिङ
Ghiring | |
---|---|
देश | नेपाल |
प्रदेश | प्रदेश नं. ४ |
जिल्ला | तनहुँ |
स्थापना | २७ फाल्गुण २०७३ |
क्षेत्रफल | |
• कुल | १२६ किमी२ (४९ वर्गमाइल) |
जनसङ्ख्या | |
• कुल | १९,३१८ |
• घनत्व | १५०/वर्ग किमी (४००/वर्ग माइल) |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय) |
क्षेत्रीय सङ्केत | +९७७-६५ |
केन्द्र | साविकक गजरकोट गाविसक कार्यालय |
घिरिङ तनहुँ जिलाक दक्षिण-पश्चिम क्षेत्रमे फैलल एक गाउँपालिका छी । वि.सं २०७३ सालमे नेपालक स्थानीय विकास मन्त्रालय, नेपालद्वारा नयाँ प्रादेशिक संरचना कायम करैत काल तनहुँ जिलामे गजरकोटक (१-८) वडासभ, सामुङ भगवतीपुरक (१,३-९) वडासभ, राम्जाकोटक (वडा नं ९), माझकोटक (वडा नं ६) आ घिरिङ सुन्धारा गाउँ विकास समितिसभके समेट घिरिङ गाउँपालिका घोषणा कएल गेल अछि ।
जनसङ्ख्या
[सम्पादन करी]प्रदेश नं. ४ स्थित तनहुँ जिलामे गजरकोटक (१-८) वडासभ, सामुङ भगवतीपुरक (१,३-९) वडासभ, राम्जाकोटक (वडा नं ९), माझकोटक (वडा नं ६) आ घिरिङ सुन्धारा गाविससभके मिलाद घिरिङ गाउँपालिका बनायल गेल अछि । राष्ट्रिय जनगणना २०६८क अनुसार ई ठामसभक जनसङ्ख्याके जोडि घिरिङ गाउँपालिकाक कूल जनसङ्ख्या १९,३१८ रहल अछि ।
भौगोलिक अवस्थिति
[सम्पादन करी]घिरिङ गाउँपालिकामे ५ वडासभ रहल अछि। घिरिङक कुल क्षेत्रफल १२६ वर्ग किमी अछि । ई गाउँपालिकाक पूर्वमे ऋषिङ गाउँपालिका, पश्चिममे स्याङ्जा जिला आ पाल्पा जिला अछि । एकर उत्तरी भागमे भिमाद नगरपालिका आ स्याङ्जा जिला, दक्षिणी क्षेत्रमे नवलपरासी जिला आ पाल्पा जिला परैत अछि ।