जन्तु विज्ञान

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

जन्तु विज्ञान या जन्तु शास्त्र (Zoology / Animal Biology) जीव विज्ञानक ओ शाखा छी जाहिमे संतू जगत केर सम्बन्धमे वैज्ञानिक अध्ययन कएल जाइत अछि । जीव विज्ञान केर एहि शाखाक अन्तर्गत कोनहु जिबैत (Extant) वा विलुप्त (Extinct) जन्तुक शरीर रचना, शरीर क्रिया, भ्रुणविज्ञान, क्रमिक उद्विकाश, अभिज्ञान (पहिचान), जैव वर्गीकरणपारिस्थितिक तन्त्रमे ओहि जन्तुक योगदान आदिक अध्ययन कएल जाइत अछि ।

प्राणीक परिभाषा[सम्पादन करी]

प्राणीक परिभाषा बहुतेक प्रकार सँ कएल गेल अछि । किछ लोग प्राणी एहन जीव के कहैत अछि जे कार्बोहाइड्रेट, प्रोटिनवसाक सृजन तँ नै करैत अछि, मुदा जीवनयापनक लेल एहि पर निर्भर करैत अछि । ई पदार्थसभ के प्राणी बाह्य स्रोत सँ प्राप्त करैत अछि । एकर सृजन करैवाला पादप जातिक जीव होइत अछि, जे अकार्बनिक स्रोत सँ प्राप्त पदार्थसभ सँ एकर सृजन करैत अछि ।