धान

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
धान

धान विश्वके एकटा प्रमुख अन्न बाइल छि । वैज्ञानिक नाम ओरिजा सेटिभासे परिचित ई वनस्पति वैदिक साहित्य एवं पुरातात्विक उत्खननमे धान सबसे पुरान उत्पादित बाइलके रुपमे प्रमाण भेल अछि । हजारौ वर्ष पहिला भारत आर चीनमे एकर खेती होइछि । धानअन्तर्गत विश्वके करिब ९० प्रतिशत क्षेत्र एसियामे परैछि आर विश्वके लगभग ९० प्रतिशत धान एसियामे उत्पादन आर खपत होइछि । संसारभर १५० मिलियनसे बेसी इलाकामे धानके उब्जाउ करल जाछि । चाउर एसियाके एक प्रमुख खाद्य पदार्थ छि । धानके पहिल बीज कत उत्पत्ति भेलछि से अखन तक पता नै लागल अछि ।

सम्भवत: १०,००० वरस पहिल एसियाके गरम भागमे धानके खेतीके शुरु भेल अछि । भारतमे हस्तिनापुर (उत्तर प्रदेश)-मे उत्खनन (१०००-७५० इसापूर्व)-के समयमे धानके सबस से पुरान नमूना जरल या अङ्गारके स्वरूपमे पक्याल छेलै । जंगली धान पहिला बंगलादेश, आसाम, उडिसा आर बगलके इलाकामे उब्जाउ होइके विश्वास करल ग्याल अछि । पश्चिम आर उत्तर अफ्रिका (इजिप्ट), पूरव आर मध्य अफ्रिकाके अधिकांश देशसबमे धान उब्जनी करैई छेलइ । ओकर बाद धानके खेती दक्षिण आर मध्य अमेरिकी मुलुक सब (ल्याटिन अमेरिका), अष्ट्रेलिया, संयुक्त राज्य अमेरिका आर स्पेन, इटाली आर फ्रान्सजहन दक्षिणी युरोपेली मुलुकरसबमे विस्तार भेल अछि ।