नकुल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

नकुल महान हिन्दू काव्य महाभारतमे पाँच पाण्डवसभमे सँ एक छल। नकुल आ सहदेव, दुनु माता माद्री के असमान जुडवा पुत्र छल, जेकर जन्म दैवीय चिकित्सकसभ अश्विन के वरदान स्वरूप भेल छल, जे स्वयम् सेहो समान जुडवा बन्धु छल।

नकुलक अर्थ अछी, परम विद्वता। महाभारतमे नकुलक चित्रण एक बहुत ही रूपवान, प्रेम युक्त आ बहुत सुन्दर व्यक्तिके रूपमे कएल गेल अछी। अपन सुन्दरता के कारण नकुलक तुलना काम आ प्रेम के देवता, "कामदेव" सँ कएल गेल अछी। पाण्डवसभके अन्तिम आ तेरहम् वर्ष के अज्ञातवासमे नकुल अपन रूपके कौरवसभसँ छिपावै के लेल अपन शरीर पर धूल लेप छिपौलक। श्रीकृष्ण द्वारा नरकासुरक वध करै के पश्चात नकुल द्वारा घुड प्रजनन आ प्रशिक्षणमे निपुण होए के महाभारतमे अभिलेखाकरण अछी। ओ एक योग्य पशु शल्य चिकित्सक छल, जेकरा घुड चिकित्सामे महारथ प्राप्त छल। अज्ञातवासके समयमे नकुल भेष बदलि आ अरिष्ठनेमि नाम के छद्मनामसँ महाराज विराटक राजधानी उपपलव्यक घुडशालामे शाही घोडासभक देखभाल करै वाला सेवकके रूपमे रहल छल। ओ अपन तलवारबाजी आ घुडसवारी के कलाके लेल सेहो विख्यात छल। अनुश्रुति के अनुसार, ओ बारिशमे बिना जलके छुए घुडसवारी करि सकैत छल।

नकुलक विवाह द्रौपदी के अतिरिक्त जरासन्धक पुत्रीसँ सेहो भेल छल।

नकुल नामक अर्थ होएत अछी जे प्रेमसँ परिपूर्ण होए आ ई नामक पुरुषके नौ विशेषतासभ अछी: बुद्धिमत्ता, सकेन्द्रित, परिश्रमी, रूपवान, स्वास्थ्य, आकर्षकता, सफलता, आदर आ शर्त रहित प्रेम।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]