निधि राजदान

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
निधि राजदान
Nidhi Razdan
४ मार्च २०१६ मे एकटा कार्यक्रममे
जन्म (१९७८-०४-११) ११ अप्रैल १९७८ (उमर ४५) [१]
व्यवसायपत्रकार, एनडिटिभी
जीवनसाथी(सभ)नीलेश मिश्रा
(विवाह २००५; सम्बन्ध-विच्छेद २००७)
अभिभावक(सभ)महाराज कृष्ण राजदान, मुख्य सम्पादक, पिटिआइ


निधि राजदान एक भारतीय पत्रकार आ टेलिभिजन व्यक्तित्व छी । ओ एनडिटिभी २४×७ कऽ कार्यक्रम लेफ्ट, राइट आ सेन्टरक प्राथमिक प्रस्तोता छी । ई कार्यक्रम साधारणतः प्रति दिन साँझमे नयाँ दिल्लीक एकटा स्टुडियोसँ प्रत्यक्ष प्रसारित होइत अछि जे कि समाचारसभक आ ओहिसँ जुड़ल बहसक चर्चा करैत अछि । सन् १९९९ सँ अपन करियरक शुरुवात केनिहार निधि राजदान अपन करियरमे अनेकौं समाचार कार्यक्रमसभक कभर केनए अछि, अनेकौं श्रङ्खलासभक मेजबानी केनए अछि, आ अनेकौं बेर न्यूज सीनसँ प्रत्यक्ष रिपोर्टिङ्ग केनए अछि । एनडिटिभी २४×७ एकटा अङ्ग्रेजी भाषाक टेलिभिजन नेटवर्क छी जे भारतमे समाचार आ वर्तमान मामलासभकें आगा लबैत अछि, जे की नयाँ दिल्ली टेलिभिजन लिमिटेडक स्वामित्वमे अछि ।[२]


व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

निधि राजदान, महाराज कृष्ण राजदानक पुत्री छी, जे कि समाचार एजेन्सीक मुख्य सम्पादक(प्रेस ट्रस्ट अफ इन्डिया)[३] अछि। ओ बडगाम, कश्मीरसँ अछि।[४] ओ एपीजे स्कूल, शेख साराई, नयाँ दिल्ली सँ पढाई केलक। ओ लेडी श्रीराम कलेज फोर विमेन[५] सँ स्नातकक उपाधि प्राप्तक आ बादमे भारतीय सञ्चार संस्थान, दिल्ली[६] (१९९८-१९९९) मे रेडियो आ टिभी पत्रकारितामे स्नातकोत्तर डिप्लोमा केलक। २००५ मे निधि राजदान नीलेश मिश्रासँ विवाह केलक।[७] २००७ मे नीलेश मिश्रासँ हुनकर सम्बन्ध-विच्छेद भ गेल।

करियर[सम्पादन करी]

राजदान एनडिटिभीमे सन् १९९९ मे शामिल भेल आ तखनसँ ओ एक समाचार पत्रकार छी ।[८] ओ एनडिटिभीसँ प्रसारित होमएवला निम्नलिखित कार्यक्रमसभक मेजबानी करैत अछि-

  1. एनडिटिभी प्राइम टीवी न्यूज[९]
  2. लेफ्ट, राइट एण्ड सेन्टर[१०]
  3. इन्डिया देसिडे @९ (टक शो)[११]

पुरस्कार[सम्पादन करी]

  1. २०११ मे टिचर्स एसोसिएशन पुरस्कार (टिएए)[१२]
  2. रामनाथ गोएङ्का पुरस्कार
  3. पत्रकारितामे उत्कृष्टताक लेल जम्मू आ कश्मीर राज्य सरकारद्वारा पुरस्कार[१३]


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "जन्मदिन"
  2. Rohit Manchanda (25 November 2011). "TV journalist Nidhi Razdan speaks about her life and success". The Weekend Leader. Retrieved 19 August 2013.
  3. http://www.societymag.co.in/article/features/saluting-the-kashmiri-spirit/994[permanent dead link]
  4. Left, Right and Centre: 'Nitish Kumar Should Head The Congress': Ramachandra Guha. NDTV. 12 July 2017. 18 minutes in. Retrieved 17 July 2017.
  5. LSR Journalism Prospectus 2012, see page "Some of Our Alumni"
  6. Post-Graduate Diploma Course in Radio & TV Journalism, Indian Institute of Mass Communication. Jump up ^
  7. "Actual romance blooms in small towns: Neelesh Misra". IndiaGlitz.com. Nov 29, 2005. Retrieved Nov 26, 2014.
  8. "Nidhi Razdan in EMMRC and MERC". EMMRC University of Kashmir. Retrieved 19 August 2013.
  9. "Nidhi Razdan in EMMRC and MERC". EMMRC University of Kashmir. Retrieved 19 August 2013.
  10. "Nidhi Razdan in EMMRC and MERC". EMMRC University of Kashmir. Retrieved 19 August 2013.
  11. "Nidhi Razdan in EMMRC and MERC". EMMRC University of Kashmir. Retrieved 19 August 2013.
  12. "Ronnie Screwvala & Nidhi Razdan among Teacher's Achievement Awards winners; 11th edition of awards were given away at ITC Maurya, New Delhi." Best Media Info 14 February 2012. General OneFile. Gale Document Number: GALE|A308550308
  13. Vijay Kumar (25 January 2010). "J&K Government announces 28 State Awards 2010 for bravery, literature, arts, Journalism, crafts". Scoop News. Archived from the original on 5 August 2014.

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]