पर्सा वन्यजन्तु आरक्ष

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
पर्सा वन्यजन्तु आरक्ष
Parsa Wildlife Reserve
नेपालक नक्सामे पर्सा वन्यजन्तु आरक्ष अवस्थित क्षेत्र
रहल स्थाननेपाल
नजदिकक सहरनारायणगण
निर्देशाङ्क२७°२८′उ॰ ८४°२०′पू॰ / २७.४६७°N ८४.३३३°E / 27.467; 84.333निर्देशाङ्क: २७°२८′उ॰ ८४°२०′पू॰ / २७.४६७°N ८४.३३३°E / 27.467; 84.333
क्षेत्रफल४९९ किमी (१९३ वर्ग माइल)
स्थापनासन् १९९४
सरकारी संस्थाराष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग, वन मन्त्रालय

पर्सा वन्यजन्तु आरक्ष (English:  Parsa Wildlife Reserve) नारायणी अञ्चलक चितवन राष्ट्रिय निकुञ्जसँ जोड़ल वन्यजन्तु आरक्ष क्षेत्र छी, जे चितवन जिलाक पुबारी भागमे, मकवानपुर जिलाक दछिनबारी भागमे, आ पर्सा आओर बारा जिलाक उतरबारी भागसभमे पसरल अछि । एहि आरक्षक क्षेत्रफल ४९९ बर्ग कि.मी. अछि । बि.सं.१९८४मे जंगली हाथीक बासस्थान संरक्षण करबाक उद्देश्यसँ एहि आरक्ष केर स्थापना कएल गेल छल । ई ७५० मीटर सँ ९५० मीटर धरिक चुरे पहाड़ क्षेत्र अगुटने अछि । एकर हावापानि (जलवायु) उष्ण प्रदेशीय श्रेणीक अछि।

वनस्पति आ वन्यजन्तुसभ[सम्पादन करी]

एतए चुरे पहाड़क उपरुका भागमे सखुआ आओर निचलुका भागमे खैर, सिसो, साल आदिक जंगलसभ अछि । चुरे पहाड़क दच्छिन दिस टोलमे घासक मैदान अछि । एत हाथी, बाघ, चितुवा, भालु, गौर, निलगाए, चित्तल, मृग, लंगूर, बानर, हुड़ार, बन बिलाड़ि आदि जंगली जनावरसभ भेटैत अछि । ओकर साथे एत करीब ३०० प्रजातिक चिरइसभ भेटैत अछि । ताहिमे मयुर, धनेश, मएना आदि आबैत अछि । बहुत रास रेंगि कऽ चलएबाला / घुसकएबाला जानवरसभ जेना गहुमन, करैत, अजगर / अजेगर आदि सहो भेटैत अछि ।

सन्दर्भ सामाग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जड़ीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखु[सम्पादन करी]