बिप्लब कुमार देब

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
बिप्लब कुमार देब
Biplab Kumar Deb
त्रिपुराक दशम मुख्यमन्त्री
कार्यकाल
९ मार्च २०१८[१] – १४ मई २०२२
गभर्नरतथागत राय
पूर्वाधिकारीमाणिक सरकार
व्यैक्तिक विवरण
जन्मउदयपुर, त्रिपुरा, भारत
राजनैतिक दलभारतीय जनता पार्टी
जीवनसाथीनीति देब
बाल बच्चा१ पुत्र तथा पुत्री


बिप्लब कुमार देब (जन्म २५ नवम्बर १९६९)[२] भारतीय राज्य त्रिपुराक पुर्व मुख्यमन्त्री आ राजनीतिज्ञ छी । ओ ७ जनवरी २०१६ सँ त्रिपुरामे भारतीय जनता पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष सेहो छी। ओ सन् २०१८ मे भेल त्रिपुरा विधानसभा चुनाव, २०१८ मे भाजपाक जितक सूत्रधार रहल । ओ ९ मार्च २०१८ कऽ त्रिपुरक दशम मुख्यमन्त्रीक रूपमे शपथ लेनए छल ।[३]

शुरूआती जीवन आ शिक्षा[सम्पादन करी]

बिप्लब देबक जन्म त्रिपुराक राजधर नगर गाममे भेल छल, जे वर्तमानमे गोमती जिलाक अन्तर्गत आबैत अछि । एकर अभिभावक बङ्गलादेशक कचुया उपजिलासँ अछि ।[४] ओ विद्यालयी शिक्षाक समय त्रिपुरामे रहल आ उदयपुर कलेज सँ स्नातकक शिक्षा पूर्ण कएलाक बाद परास्नातकक शिक्षाक लेल ओ नयाँ दिल्ली आएल छल ।[२] जखन ओ १५ वर्ष बाद त्रिपुरामे पुनः आएल आ ओ राष्ट्रिय स्वयंसेवक सङ्घक पूर्व स्वयंसेवक सेहो रहि चुकल अछि आ पूर्वमे त्रिपुरा आदिवासी क्षेत्र स्वशासी जिला परिषदक चुनावमे भाजपाक लेल प्रचार सेहो करि चुकल अछि ।[५]

राजनैतिक जीवन[सम्पादन करी]

नयाँ दिल्लीमे प्रवासक काल ओ भाजपाक पूर्व नेता के॰ एन॰ गोविन्दाचार्यक निजी सचिवक रूपमे कार्य केलक । एहि काल ओ बीजेपीक पूर्व सांसद आ वाजपेयी सरकारमे खानि आ खनिज राज्य मन्त्रि रहि रीता बर्माक निजी सहायकक रूपमे सेहो काम केलक । ओ मध्य प्रदेशक सतना लोक सभा निर्वाचन क्षेत्रसँ सांसद गणेश सिंहके सहायक सेहो रहल।[६]

भारतीय जनता पार्टी द्वारा हुनका २०१५ मे राज्यक महासम्पर्क अभियानके प्रदेश संयोजकक रुपमे त्रिपुरा भेजि फरवरी २०१६ मे हुनका त्रिपुराक भाजपा प्रदेश अध्यक्ष बनाओल गेल ।[६] 8 अगस्त २०१७ मे देब द्वारा सुदीप राय बर्मनक नेतृत्वमे भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेसक विधायक सभक भारतीय जनता पार्टीमे लाबऽमे मदति केनए छल ।[७]

२०१८ मे भेल त्रिपुरा विधानसभा चुनाव, २०१८ मे बिप्लब कुमार देब द्वारा बनमालीपुर विधानसभा क्षेत्रसँ माकपाक अमल चक्रवर्ती कऽ ९५४९ भोटक अन्तरसँ पराजित केलक ।[६]

त्रिपुराक मुख्यमन्त्री[सम्पादन करी]

९ मार्च २०१८ कऽ बिप्लब कुमार देब द्वारा त्रिपुराक दशम मुख्यमन्त्रीक रूपमे शपथ लेलक ।[३]

निजी जीवन[सम्पादन करी]

बिप्लब देबक पत्नी नीति देब भारतीय स्टेट बैंकमे अधिकारी छी, हुनकासभक दुटा बच्चा अछि जहिमे एकटा बेटा आ एकटा बेटी अछि ।[२]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

  • तथागत राय
  • माणिक सरकार

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "लेफ्ट को मात देने वाले बिप्लब देब होंगे त्रिपुरा के CM, जिष्णु देव वर्मा बनेंगे उपमुख्यमंत्री"आज तक। 6 मार्च 2018। अन्तिम पहुँच 6 मार्च 2018
  2. २.० २.१ २.२ "बिप्लब कुमार देब होंगे त्रिपुरा के मुख्यमंत्री, जिष्णु देब बर्मन होंगे डिप्टी सीएम"दैनिक जागरण। 6 मार्च 2018। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2018
  3. ३.० ३.१ "बिप्लब देव ने त्रिपुरा के मुख्यमंत्री पद की ली शपथ, पीएम मोदी, अमित शाह और आडवाणी सहित कई नेता थे मौजूद"एनडीटीवी। 9 मार्च 2018। अन्तिम पहुँच 9 मार्च 2018
  4. "Tripura CM-elect Biplab has ancestral ties in Chandpur - Dhaka Tribune"। ढाका ट्रिब्यून। अन्तिम पहुँच 5 मार्च 2018
  5. "Biplab Deb elected new Tripura BJP chief"। यूएनआईइंडिया। 7 जनवरी 2016। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2018
  6. ६.० ६.१ ६.२ "त्रिपुराः गोविंदाचार्य के पीए थे बिप्लब देब, अब मुख्यमंत्री पद के दावेदार"बीबीसी हिन्दी। 5 मार्च 2018। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2018
  7. "Biplab Kumar Deb Age, Family, Wife, Caste, Biography & More"। स्टारअनफोल्डेड। अन्तिम पहुँच 8 मार्च 2018