भटरा घाट

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
कामेश्वरनाथ स्थान, ई गामक उत्तर-पूरब कोणमे अछि।

भटरा घाट (Bhatra Ghat) नामक गाम बिस्फी प्रंखड, जिला मधुबनी, बिहार राज्यक अंतर्गत अबैत अछि।

भटरा घाटक इतिहास ओ भूगोल[सम्पादन करी]

ई गाम दरभंगासँ लगभग बीस किलोमीटर दूर अछि। एहि गामक पश्चिममे टेकटारिकमतौल नामक गाम अछि। उत्तरमे बिस्फी प्रंखड अछि। दक्षिणमे ससरमा, खिरमादरभंगा अछि। पूरबमे दड़िमा-केवटी गाम पड़ैत अछि। अहि गामक नजदीकी रेल स्टेशन टेकटारि अछि, जकर दूरी प्रायः 5 कि.मी. अछि।

भटरा घाटक लोक एवं संस्कृति[सम्पादन करी]

भटरा घाट गामक किछु लोक

स्व.अचंभित झा, स्व.रामकृष्ण झा, स्व.चंचल झा, स्व.जयराम झा, स्व. अनिरुद्ध मिश्र, स्व.शौखीलाल चौधरी, स्व.जीवछ झा, स्व. हरिशंकर झा, स्व. बलराम झा, स्व. हरिकांत चौधरी, स्व.केदारनाथ झा, स्व. कृष्णचंद्र मिश्र, स्व. श्याम कृष्ण यादव, स्व. परमानंद लाल, स्व. राजेश्वर यादव, स्व.रामजीवन मिश्र, स्व. बच्चेलाल मिश्र, स्व. बिनोद झा, स्व. श्यामानंद झा (श्याम वैदिक), स्व. भोगेन्द्र यादव, स्व.मंगल पासवान, श्री हेमचंद्र यादव, श्री गगनदेव झा, श्री बौए लाल झा, श्री अमरनाथ झा, श्री राजकुमार सहनी, श्री संतोष कुमार राय, श्री भवेश कुमार मिश्र, श्री हरि भूषण झा, श्री रामविलास पासवान, श्री डोमू पासवान, श्री बिनोद पासवान, श्री मनोज कुमार मिश्र, श्री मुरली चौधरी, श्री विद्या यादव, श्री लालबाबू यादव, श्री रामनरेश यादव, श्री सुशांत कुमार चौधरी, श्री जितेन्द्र कुमार झा, आशीष अनचिन्हार

भटरा घाटक संस्था[सम्पादन करी]

मैथिल नवयुवक संघ स्थापना: 1964 तत्कालीन सचिव: स्व. अशर्फी झा संस्थापक : स्व. नारायण झा, स्व.विश्वनाथ झा,श्री नित्यानंद झा, स्व.अशर्फी झा,श्री गगनदेव झा,स्व. सुरेंद्र मिश्र, श्री शुभचंद्र झा (कुंवरजी)

किछु दर्शनीय स्थान[सम्पादन करी]

• कामेश्वरनाथ महादेव मंदिर • राधाकृष्ण मंदिर • महावीर स्थान • गणेश मंदिर • काली मंदिर • सल्हेश स्थान • शत्ति ठाकुर मंदिर

संदर्भ ओ स्रोत[सम्पादन करी]