रामदेव

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
स्वामी रामदेव
Ramdev
जन्म
रामकिशन यादव

२५ दिसम्बर, १९६५
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसाययोगी


स्वामी रामदेव (English:  Ramdev) About this sound उच्चारण  (जन्म: रामकृष्णा यादव हरियाणा १९६५ मे )[१] एक विश्व प्रसिद्ध भारतीय योग गुरू छी । रामदेव ठाम-ठाम स्वयं जाक योग-शिविरसभक आयोजन करएत अछि, जहिमे प्राय: सभ सम्प्रदायक लोगसभ आवैत अछि । रामदेव अखनधरि देश-विदेशक करोडो लोगसभके प्रत्यक्ष आ अप्रत्यक्ष रूपसँ योग सिखा चुकल अछि ।[२] भारतसँ भ्रष्टाचार मिटावक लेल अभियान प्रारम्भ केलक ।[३]

जीवनी[सम्पादन करी]

भारतमे हरियाणा राज्यक महेन्द्रगढ जनपद स्थित अली सैयदपुर नामक गाँममे ११ जनवरी १९७१[४] के गुलाबो देवी एवं रामनिवास यादव कs घर जन्म लेनिहार रामदेवक वास्तविक नाम रामकृष्ण छल । समीपवर्ती गाँम शहजादपुरक सरकारी स्कूलसँ आठम कक्षा धरि पढाई पुरा करलाक बाद रामकृष्ण खानपुर गाँमके एक गुरुकुलमे आचार्य प्रद्युम्नयोगाचार्य बल्देव जीसँ संस्कृतयोगक शिक्षा लेलक । योग गुरू बाबा रामदेव युवा अवस्थामे सन्यास लेवाक सङकल्प केलक आ रामकृष्ण, बाबा रामदेवक नयाँ रूपमे लोकप्रिय भs गेल ।

सार्वजिनक जीवनमे प्रवेश[सम्पादन करी]

बाबा रामदेव मई १९९५ मे दिव्य योग मन्दिर ट्रस्टक स्थापना केलक । २००३ सँ आस्था टीवी पर सभदीन भिन्सर बाबा रामदेवक योग कs कार्यक्रम देखेनाइ शुरू केलक जकर पश्चात बहुत रास् समर्थक हुनकासँ जुडल । योगकs जन-जन तक पहुँचाबsमे बाबा रामदेव महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह केलक, भारत आर विदेशमे हुनकर योग शिविरमs आम लोग सहित बहुतो बडका-बडका हस्तिसभ भाग ल चुकल अछि । [५] बाबा रामदेवसँ योग सिखए बलामे सँ अभिनेता अमिताभ बच्चन आ अभिनेत्री शिल्पा शेट्टीक नाम उल्लेखनीय अछि । [६] [७] [८] [९] बाबा रामदेव पहलि बेर देवबन्द (उत्तर प्रदेश)मे मुस्लिम समुदायक सम्बोधित केनेछल । [१०]

पतन्जली योगपीठ[सम्पादन करी]

योग आर आयुर्वेदक बढ़ाबकs लेल बाबा रामदेव पतन्जली योगपीठक स्थापना केलक । ब्रिटेन, अमेरिका, नेपाल, कनाडा आ मारीशसमे सहो पतन्जली योगपीठक दुटा शाखासब अछि पतन्जली योगपीठ-एकटा आर पतन्जली योगपीठ-।

स्वामी रामदेबक प्रमुख कार्यसभ[सम्पादन करी]

हरिद्वार स्थित पतन्जली योगपीठ ट्रस्ट

स्वामी रामदेव सन् २००६ मs महर्षि दयानन्द ग्राम हरिद्वारम पतन्जली योगपीठ ट्रस्टके अतिरिक्त अत्याधुनिक औषधि निर्माण इकाई पतन्जली आयुर्वेद लिमिटेड नामसँ दुटा सेवा प्रकल्प स्थापित केलक । इसभ सेवा-प्रकल्पक माध्यमसँ स्वामी रामदेव योग, प्राणायाम, अध्यात्म आदिकs साथ-साथ वैदिक शिक्षा आ आयुर्वेदक सहो प्रचार-प्रसार कs रहल अछि । हुनकर प्रवचन विभिन्न टी० वी० चैनलसभ आस्था टीवी, आस्था इण्टरनेशनल, जी-नेटवर्क, सहारा-वन तथा इण्डिया टी०वी० पर प्रसारित होएत अछि । भारतम भ्रष्टाचारइटली एवं स्विट्ज़रलैण्डके बैंकम जमा रहल लगभग ४०० लाख करोड़ रुपैयाकs "काला धन" कs स्वदेश वापस लाबक माँग करति बाबा समुचे भारतकs एक लाख किलोमीटर कs यात्रा केलक । भ्रष्टाचारक खिलाफ बाबा रामदेव जी अनवरत लड़ाई जारी अछि आर राष्ट्र निर्माणमे सहो ओ प्रमुख भूमिका निर्वाह करि रहल अछि ।[११] [१२] एकर अलावा स्वामी रामदेव न स्वच्छ भारत अभियानमे सहो भाग लेलक । [१३] एतबे नै बाबा रामदेव अई अभियान के तहत हरिद्वार आ तीर्थ नगरी ऋषिकेश कs गोद लेबकs घोषणा सेहो केनेछल ।[१४]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Baba Ramdev: Daily Bhasker Daily Bhaskar, 3 June 2011
  2. वनास मंजूषा २००९ वरिष्ठ नागरिक समाज (स्मारिका) पृष्ठ २०
  3. वनास मंजूषा २००९ वरिष्ठ नागरिक समाज (स्मारिका) पृष्ठ २१
  4. name="in.jagran.yahoo.com"
  5. What makes Baba Ramdev so influential सङ्ग्रहित २०१५-०४-२८ वेब्याक मेसिन IBN Live
  6. "Yoga heals Bollywood"The Times of India। 28 January 2008। मूलसँ 2012-01-04 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-02-09 {{cite news}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  7. Clove, Mint, Pepper, Bakul, Pilu: These herbals give complete cleanliness to the teeth.
  8. http://www.livehindustan.com/news/entertainment/article1-watch-video-actor-shilpa-shetty-at-baba-ramdev-s-yoga-camp-in-mumbai-513282.html
  9. http://www.patrika.com/news/bollywood/baba-ramdev-is-lucky-for-shilpa-1163453/
  10. "Swami Ramdev promotes yoga at Deoband Gathering"Zee News। 3 November 2009।
  11. http://naidunia.jagran.com/national-modi-made-a-step-towards-hygiene-slogan-194735
  12. http://navbharattimes.indiatimes.com/india/pm-starts-clean-india-campaign/articleshow/44061199.cms
  13. "Archive copy"मूलसँ 2014-12-03 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-02-09 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)
  14. http://www.jagran.com/news/national-baba-ramdev-launched-the-clean-india-campaign-11705502.html

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]