शान्ति स्वरूप भटनागर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
शान्ति स्वरूप भटनागर
Sir Shanti Swaroop Bhatnagar
जन्महिन्दी: शान्ति स्वरूप भटनागर)
(१८९४-०२-२१)२१ फरबरी १८९४
भेरा, शाहपुर जिल्ला (अखन पाकिस्तान), ब्रिटिश इन्डिया
मृतु१ जनवरी १९५५(१९५५-०१-०१) (६० वर्ष)
नयाँ दिल्ली, भारत
निवासभारत
नागरिकभारत
राष्ट्रियता भारतीय
क्षेत्रकेमिस्ट्री
संस्थासभवैज्ञानिक एवंम् औद्योगिक अनुसन्धान परिषद्
बनारस हिन्दु विश्वविद्यालय
अल्मा मेटरपञ्जाब विश्वविद्यालय
यूनिभर्सिटी कलेज लन्दन
थीसिसतेलसभमे उच्च फ्याटी एसिड के बाय- आ त्रिकोणीय लवण के सोल्यूबिलिटी आ तेल के सतह तनाव पर ओकर प्रभाव।
डाक्टरेट सल्लाहकारफ्रेडरिक जी. डोनन
प्रसिद्धि सीएसआइआर इन्डिया
उल्लेखनीय पुरस्कार

सर शान्ति स्वरूप भटनागर ओबीई, एफआरएस (२१ फरवरी १८९४ - १ जनवरी १९५५) एक प्रसिद्ध भारतीय वैज्ञानिक छल[२], जे १९ वर्षमे रसायन विज्ञान के प्रोफेसर छल। ओ वैज्ञानिक आ औद्योगिक अनुसन्धान परिषद (सीएसआईआर) के पहिल महानिर्देशक छल, आ हुनका "अनुसन्धान प्रयोगशालासभक पिता" के रूपमे सम्मानित कएल गेल अछि। ओ विश्वविद्यालय अनुदान आयोग (यूजीसी) के पहिल अध्यक्ष सेहो छल।[३][४]

हुनकर जन्म शाहपुर (अखन पाकिस्तानमे) मे भेल छल। हिनकर पिता परमेश्वरी सहाय भटनागरक मृत्यु तखन भऽ गेल छल, जखन ओ केवल आठ महिना के ही छल। हुनकर बचपन अपन ननिहालमे ही बीतल। हुनकर नाना एक इन्जिनियर छल, जाहिसँ हुनका विज्ञानअभियान्त्रिकीमे रुचि जागल। हुनका यान्त्रिक खेलौना, इलेक्ट्रानिक ब्याट्रीसभ आ तारयुक्त टेलिफोन बनावे के शौक रहल। हुनका अपन ननिहालसँ कविता के शौक सेहो मिलल आ हुनकर उर्दु एकाङ्की करामाती प्रतियोगितामे प्रथम स्थान पौने छल।

भारतमे स्नातकोत्तर डिग्री पूर्ण करवाक उपरान्त, शोध फेलोशिप पर, ओ ईङ्गल्याण्ड गेल। ओ युनिभर्सिटी कलेज, लन्दनसँ १९२१मे, रसायन शास्त्र के प्रोफेसर फ्रेड्रिक जी डोन्ननक देखरेखमे, विज्ञानमे डाक्टरेट के उपाधि प्राप्त केलक। भारत फिर्ता आवे के बाद, हुनका बनारस हिन्दू विश्वविद्यालयसँ प्रोफेसर पद हेतु आमन्त्रण मिलल। सन् १९४१ मे ब्रिटिश सरकारद्वारा हुनकर शोध के लेल, हुनका नाइटहुडसँ सम्मानित कएल गेल। १८ मार्च १९४३ मे हुनका फेलो अफ रोयल सोसायटी चुनल गेल। हुनकर शोध विषयमे एमल्जन, कोलाय्ड्स आ औद्योगिक रसायन शास्त्र छल। मुद्दा हुनकर मूल योगदान चुम्बकीय-रासायनिकी के क्षेत्रमे छल। ओ चुम्बकत्व के रासायनिक क्रियासभक अधिक जानए के लेल औजार के रूपमे प्रयोग केनए छल। ओ प्रो. आर.एन. माथुर के साथ भटनागर-माथुर इन्टरफेयरेन्स सन्तुलनक प्रतिपादन केनए छल, जेकरा बादमे एक ब्रिटिश कम्पनीद्वारा उत्पादनमे प्रयोग सेहो कएल गेल। ओ एक सुन्दर कुलगीत नामक विश्वविद्यालय गीतक रचना सेहो केनए छल। एकर प्रयोग विश्वविद्यालयमे कार्यक्रमसभक पहिल होइत आएल अछि।

भारतक प्रधानमन्त्री जवाहर लाल नेहरू वैज्ञानिक प्रसार के प्रबल समर्थक छल। १९४७ मे, भारतीय स्वतन्त्रता के उपरान्त, वैज्ञानिक एवम् औद्योगिक अनुसन्धान परिषद (सीएसआईआर) के स्थापना, श्री भटनागर के अध्यक्षतामे कएल गेल। हुनका सी.एस.आई.आर. के प्रथम महानिर्देशक बनाएल गेल। हुनका शोध प्रयोगशालासभक जनक कहल जाइत अछि आ भारतमे अनेकौं बडका रासायनिक प्रयोगशालासभक स्थापना हेतु स्मरण कएल जाइत अछि। ओ भारतमे कुल १२ राष्ट्रीय प्रयोगशालासभ स्थापित केलक, जाहिमे प्रमुख एही प्रकारसँ अछि:

  1. केन्द्रीय खाद्य प्रोसेसिङ्ग प्रौद्योगिकी संस्थान, मैसूर,
  2. राष्ट्रीय रासायनिकी प्रयोगशाला, पुणे,
  3. राष्ट्रीय भौतिकी प्रयोगशाला, नयाँ दिल्ली,
  4. राष्ट्रीय म्याटलर्जी प्रयोगशाला, जमशेदपुर,
  5. केन्द्रीय ईन्धन संस्थान, धनबाद, इत्यादि।

हुनकर मृत्यु के उपरान्त, सी.एस.आई.आर. कुशल वैज्ञानिकसभ हेतु, हुनकर सम्मानमे; भटनागर पुरस्कारक शुरुवात के घोषणा केलक। शान्ति स्वरूप भटनागर के विज्ञान एवम् अभियान्त्रिकी क्षेत्रमे पद्म भूषणसँ १९५४मे सम्मानित कएल गेल।



सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Seshadri, T. R. (1962)। "Shanti Swaroop Bhatnagar 1894-1955"। Biographical Memoirs of Fellows of the Royal Society8: 1–01। doi:10.1098/rsbm.1962.0001
  2. India Information। "Dr. Shanti Swaroop Bhatnagar"WhereInCity। अन्तिम पहुँच 2013-06-05
  3. studyrays। "Dr.Shanti swarup Bhatnagar's Profile"studyrays.com। Saagam IT Services Pvt. Ltd। मूलसँ 23 अगस्त 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 5 जुन 2013 {{cite web}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  4. Richards, Norah (1948). Sir Shanti Swaroop Bhatnagar F. R. S.: A Biographical Study of India's Eminent Scientist. New Delhi, India: New Book Society of India. 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]