सङ्खुवासभा जिला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सङ्खुवासभा जिला
Sankhuwasabha District
क अवस्थिति
देश नेपाल
प्रदेशपूर्वाञ्चल विकास क्षेत्र
अञ्चलकोशी
गाउँपालिका सङ्ख्या३३
नगरपालिका सङ्ख्याखाँदवारी नगरपालिका चैनपुर नगरपालिका आर मादी नगरपालिका
सदरमुकामखाँदवारी नगरपालिका
क्षेत्रफल
 • कुल३४८० किमी (१३४० वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या
 (२०६८[१])
 • कुल१५८७४२
 • घनत्व४६/वर्ग किमी (१२०/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
मुख्य भाषासभनेपाली, राई गुरुङ
वेबसाइटddcsankhuwasabha.gov.np

सङ्खुवासभा जिला नेपालके एकटा जिला अछि । सङ्खुवासभा नेपालक पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक कोशी अञ्चलमे अवस्थित हिमाली भेगक एक दुर्गम जिला छी। ई जिला पूर्वमे ताप्लेजुङतेह्रथुम, पश्चिममे सोलुखुम्बूभोजपुर जिला, उत्तरमे चीनक तिब्बत आ दक्षिणमे तेह्रथुमधनकुटा जिलाक चौबन्दीमे रहल अछि। ई नेपालक कुल क्षेत्रफलक २.३६%, पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्रक १२.१९% आ कोशी अञ्चलक ३५.६८% भू-भाग ओगटने अछि। समुन्द्री सतहसँ ४५७ मिटर (संसारक सभसँ छोटका अरुण उपत्यका) सँ विश्वक पाँचम उंच हिमशिखर मकालु ८४६३ मिटरधरिक उचाईमे रहल ई जिला २७ डिग्री ६' उत्तरसँ २७ डिग्री ५५' उत्तरी अक्षांशधरि आ ८६ डिग्री ५७' पर्वसँ ८७ डिग्री ४०' पूर्वी देशान्तरधरि फैलल अछि। उत्तरतर्फ चौडा भागमे मनोरम हिमाली श्रृंखलासभसँ सजल ई जिलाक दक्षिणतर्फ साँगुरल गेल भागमे बसोबासयुक्त पहाडी भूभाग रहल अछि। ई जिलाक आर्थिक श्रोत कृषिमे निर्भर रहल अछि। आर्थिकरूपसँ सक्रिय जनसंख्या ६०.७३% होएतो ओकर ७७.६२% कृषिमे आ २२.३८% गैरकृषि पेशामे निर्भर अछि।

जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सङ्खुवासभा जिला कऽ नक्सा[सम्पादन करी]

निर्वाचन आयोग (नेपाल) द्वारा निर्धारण कएल गेल, जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत सङ्खुवासभा जिला कऽ नक्सा नीचा देल गेल अछि। [२]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Household and population by districts, Central Bureau of Statistics (CBS) Nepal
  2. निर्वाचन आयोग नेपाल सङ्ग्रहित २०१४-०६-१८ वेब्याक मेसिन, निर्वाचन आयोग नेपाल कऽ आधिकारिक वेबसाइटमे उपलब्ध नक्सा.

एहो सभ देखु[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]