१८९६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

I ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक खेल
आयोजक सहरएथेन्स, ग्रीस
सहभागी राष्ट्रसभ१४[१]
सहभागी खेलाडीसभ२४१[२]
खेल९ खेलमे ४३
उद्घाटन समारोहअप्रैल ६
समापन समारोहअप्रैल १५
आधिकारिक रुपमे खुलाकर्ताराजा जर्ज प्रथम
रङ्गशालापेनाथेनाइक स्टेडियम

१८९६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक, जे आधिकारिक रूपसँ पहिल ओलम्पियाड खेल (अङ्ग्रेजी: Games of the I Olympiad) कऽ रूपमे जानल जाइत अछि, एक बहु-खेल प्रतियोगिता छल जे यूनानक राजधानी एथेन्समे सन् १८९६ अप्रैल ६ सँ १५ अप्रैल धरि आयोजित भेल छल। ई आधुनिक युगमे आयोजित होमए वला पहिल अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक खेल प्रतियोगिता छल। मुदा प्राचीन यूनान ओलम्पिक खेलसभक जन्मस्थान छल, तहिलेल एथेन्स आधुनिक खेलसभक उद्घाटनक लेल उपयुक्त विकल्प मानल गेल छल। ई सर्वसम्मतिसँ सन् १८९४ जुन २३ मे पियरे डे कोबेर्टिन, फ्रान्सेली शिक्षाशास्त्रइतिहासकारद्वारा पेरिसमे आयोजित एक सम्मेलनक (काङ्ग्रेस) समयावधिमे मेजबान शहरक रूपमे चुनल गेल छल। अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समिति (आइओसी) सेहो ई सम्मेलनक समयावधिमे स्थापित कएल गेल छल। अनेक बाधासभ आ असफलतासभक बादो, सन् १८९६ ओलम्पिकक आयोजन एक पैग सफलता मानल गेल छल। ई आयोजन ओ समय धरि आयोजन भेल कोनो भी खेल आयोजनक सभसँ पैग अन्तर्राष्ट्रिय भागेदारी छल। १९हम शताब्दीमे आयोजित ई ओलम्पिक खेलक लेल प्रयोग कएल गेल एकमात्र ओलम्पिक स्टेडियम— पेनाथेनाइक स्टेडियम, कोनो खेल प्रतिस्पर्धाक देखवाक लेल भारी भीड़सँ भरि गेल छल। यूनानीसभक लेल सभसँ मुख्य हर्षक क्षण ओकर देशवासी स्पिरिडिन लुईद्वारा म्याराथन प्रतियोगिता विजय छल। सभसँ सफल प्रतियोगी जर्मन पहलवान आ जिमनास्ट कार्ल शुमेन छल, जे चारिटा स्पर्धासभमे जीत अर्जित केनए छल।

खेलसभक पश्चात, ग्रीसक राजा जर्ज आ एथेन्समे उपस्थित किछ अमेरिकी प्रतिस्पर्धीसभ सहित अनेकौं प्रमुख व्यक्तित्वसभद्वारा रिज कोबेर्टिन आ आइओसीक समक्ष याचिका दायर कएल गेल छल की उत्तरगामी सँ खेल एथेन्समे मात्र आयोजित कएल जाए। मुदा, १९०० ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक खेल पेरिसक लेल पहिने सँ योजनाबद्ध छल आ १९०६ इन्टरकेलेटिड खेल छोड़ि, किछ १०८ सालक बाद २००४ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक धरि ओलम्पिक खेल ग्रीसमे पुन: आयोजना नै भऽ सकल ।

ई ओलम्पिक खेलक प्रतिस्पर्धासभ आ खेलाडीसभक प्रतिवेशक कथापिहानी समेट सन् १९८४ मे एनबिसीद्वारा लघु शृङ्खला (मिनीसीरीज) द फर्स्ट ओलम्पिक: एथेन्स, १८९६, मे इतिवृत्त कएल गेल छल । ई लघु शृङ्खलामे अभिनीत विलियम मिलीगन स्लोनक रूपमे डेभिड अग्डेन स्टायर्स आ पियरे डे कोबेर्टिनक रूपमे लुई जोर्डान छल ।[३]

खेलक पुनर्जन्म[सम्पादन करी]

एथेन्स Greeceपर अवस्थित
एथेन्स
एथेन्स
यूनानमे एथेन्सक भौगोलिक-स्थिति

१८हम शताब्दीक समयमे, छोट मात्रामे युरोप भरि बहुतेक खेल उत्सव प्राचीन ओलम्पिक खेलसभक अनुरूप आयोजित आ ओलम्पिक शीर्षकक सङ्ग नामङ्कित कएल गेल छल। सन् १८७० मे तखन नव-सुसज्जित पैनाटिनाइक स्टेडियममे आयोजित भेल फेर सँ ओलम्पिक खेल जकरा ओलम्पिक नामसँ सम्पूर्ण युरोपमे प्रचलित कएल गेल आ ३०,००० दर्शकसभद्वारा देखल गेल छल।[४] पियरे डे कोबेर्टिन एक बहु-राष्ट्रिय आ बहु-खेल प्रतियोगिता स्थापित करवाक विचारकें अपनौलक जबकी प्राचीन खेल एक रुपेण सँ अन्तर्राष्ट्रिय छल, कियाकी एहिमे बहुत रास यूनानी नगर-राज्य आ उपनिवेशसभद्वारा प्रतिनिधित्व कएल जाइत छल मुदा मात्र यूनानी मूलक स्वतन्त्र पुरुष एथलिटसभकें भाग लेवाक अनुमति देल जाइत छल।[५][६] सन् १८९० मे कोबेर्टिन मासिक पत्रिका ला रिभ्यु एथलेटिक मे लेख लिखलक जहिमे ओ अङ्ग्रेज काउन्टी श्रपशायरमे अवस्थित एक ग्रामीण बजार-नगर मच वेन्लोकक महत्व वर्णन केनए छल । ई ओ जगह छल जतय स्थानीय चिकित्सक विलियम पोनी ब्रुक वेन्लोक ओलम्पिक खेलसभक स्थापना केनए छल, एक खेल उत्सव आ मनोरञ्जनक साधन जाहिमे एथलेटिक्सक्रिकेट, फुटबल आ कोइट्स जेहन टिम खेल शामिल कएल जाइत छल।[७] कोबेर्टिन ओलम्पिक नामकें अन्तर्गत व्यापारी आ लोकोपकारक इवानजेलिस जापसद्वारा सन् १८५९, १८७० आ १८७५ मे आयोजित पूर्व ग्रीक खेलसभसँ सेहो प्रेरणा लेलक।[८][९] सन् १८९६ एथेन्स खेल इवानजेलिस जापस आ ओकर चचेरा भाई कोन्सटान्टिनोस जापसक विरासतद्वारा वित्त पोषित कएल गेल छल।[१०][११] यूनानी सरकार विशेष रूपसँ युवराज कोन्सटान्टिनोसक माध्यमसँ यूनानी व्यापारी आ लोकोपकारक जर्ज एव्रौफ सँ अनुरोध केलक कि ओ पेनाथेनाइक स्टेडियमकें दोसर बेर नवीनीकरणक लेल प्रायोजक बनी आ आवश्यक धन राशि उपलब्ध कराबी । यूनानी सरकार एव्रौफ सँ ई विशेष अनुरोध ई तथ्यक बादो केलक की स्टेडियमक सङ्गमरमर सँ नवीकरणक लेल पूर्ण आर्थिक सहायता इवानजेलिस जापस चालिस वर्ष पहिनए करि देनए छल।[१२]

पियरे डे कोबेर्टिनक विनम्र याचिकाक प्रति मोन भावनाक सङ्ग, हम हुनका आ सम्मेलनक सदस्यसभक अपन हार्दिक धन्यवादक सङ्ग, ओलम्पिक खेलसभक पुनर्जीवीकरणक लेल अपन शुभकामना भेजैत छी।

—यूनानक राजा जर्ज (२१ जून १८९४)अ[›][१३]

सन् १९८४ जुन १८ मे कोबेर्टिनद्वारा सोरबोन, पेरिसमे सम्मेलन आयोजित कएल गेल जाहिमे ओ अपन खेलसभसँ सम्बन्धित योजनासभक ११ देशसभक खेल समाजसभक प्रतिनिधिक समक्ष प्रस्तुत केलक। सम्मेलनद्वारा हुनकर प्रस्तावक स्वीकृतिक पश्चात्, पहिने आधुनिक ओलम्पिक खेलसभक लेल एक तारीख सुनिश्चित करवाक आवश्यकता छल। कोबेर्टिन सुझाव देनए छल कि खेलसभ पेरिसक १९०० युनिभर्सल एक्सपोजिसन (सार्वभौमिक प्रदर्शनी) कऽ सङ्ग आयोजित कएल जाए। प्रस्तावमे एगो कमी छल कि ६ वर्षक प्रतीक्षा अवधिमे खेलसभक प्रति सार्वजनिक रुची कम भऽ सकैत अछि, सम्मेलनमे उपस्थित अन्य सदस्यसभ एकरा छोड़ि अभिषेकात्मक खेलसभक सन् १८९६ मे आयोजित करवाक विकल्प चुनलक । दिनाङ्क सुनिश्चित करि लेलाक पश्चात्, सम्मेलनके सदस्यसभ अपन ध्यान मेजबान शहरक चयन पर केन्द्रित केलक। ई रहस्य अखन धरि बनले अछि कि कोना एथेन्स अन्तमे उदघाटन खेलसभक मेजबानीक लेल चुनल गेल छल। आबऽ वाला वर्षमे दुनू कोबेर्टिन आ देमित्रिस भिकेलस चयन प्रक्रियाक अनुस्मरण पेश केलक जे सम्मेलनक आधिकारिक निर्णयसभक विपरीत छल। अधिकांश सूत्रसभक अनुसार अनेकन काङ्ग्रेसीसभ पहिने लन्डनकें मेजबान बनेवाक प्रस्ताव रखने छल, मुद्दा कोबेर्टिन एहि प्रति अपन असहमति जाहिर केलक। ग्रीसक प्रतिनिधित्व करि रहल भिकेलसक सङ्ग सङ्क्षिप्त चर्चाक बाद, कोबेर्टिन एथेन्सक सुझाव देलक। भिकेलस आधिकारिक रुपसँ एथेन्सक प्रस्ताव २३ जुनक दिन रखलक, मुदा ग्रीस ओलम्पिकक मूल घर छल, सम्मेलन ई निर्णयकें सर्वसम्मति सँ मञ्जुरी दऽ देलक। भिकेलस तखन नव स्थापित अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समिति (आइओसी) कऽ प्रथम अध्यक्ष चुनल गेल छल।[१४]

सङ्गठन[सम्पादन करी]

पेनाथेनाइक स्टेडियम के चित्रमाला

ओलम्पिक खेलसभक यूनान फिर्ता आवे के खबर यूनानी जनता, मीडिया आ शाही परिवार के द्वारा अनुग्रह पूर्वक ग्रहण कएल गेल छल। कोबेर्टिन के अनुसार, "युवराज कन्स्टैन्टाइन ई बात पर बहुत खुशी व्यक्त केलक कि ओलम्पिक खेलसभक उद्घाटन एथेन्स मे कएल जाएत"। कोबेर्टिन आगा पुष्टि केनए छल कि "महाराजा आ युवराज ई खेलसभक संरक्षण प्रदान करत"। कन्स्टैन्टाइन बादमे एहीसँ अधिक ही प्रदत्त केलक, ओ उत्सुकता के साथ १८९६ आयोजन समितिक अध्यक्ष पद ग्रहण केलक।[१५]

मुद्दा, देशमे वित्तीय संकट छल आ राजनीतिक उथलपुथल छल। १९हम शताब्दीके अन्तिम वर्ष के दौरान प्रधानमन्त्रीक कार्यभार अधिकतम समय चारिलाओस त्रिकोपिय्स आ थियोडोरोस डेलिजियानिस के बीच बदलि गेल। 'ई वित्तीय आ राजनीतिक अस्थिरता के कारण, दुनु, प्रधानमन्त्री आ राष्ट्रीय ओलम्पियाडो के शृङ्खला के आयोजन करवाक प्रयास करि चुकल ओलम्पिक समिति के अध्यक्ष स्टीफानोस द्रागुमि, के माननाए छल कि यूनान प्रतियोगिताक आयोजन नै करि सकत।[१६] १८९४ के अन्त मे, स्टीफानोस स्कुलोदीस के अधीन आयोजन समिति एक रिपोर्ट पेश केनए छल जेकर अनुसार खेलसभक आयोजन के लागत कोबेर्टिनद्वारा अनुमानित मूल लागतक तुलना मे तीन गुना होएत। ओ निष्कर्ष निकाललक् कि खेल आयोजित नै कएल जा सकत, तथा समिति अपन त्यागपत्र के पेशकश केलक। खेलसभक कुल लागत ३,७४०,००० सोना के दिरहकमी (यूनानी मुद्रा) छल।[१७]

देमित्रिस भिकेलस, अन्तर्राष्ट्रीय ओलम्पिक समिति के पहिल अध्यक्ष, के १८९६ खेलसभक सफल सङ्गठनक श्रेय देल जाइत अछि।
पहिल ओलम्पिक टिकट सट सँ स्टाम्प

जखन लागत के कारण ओलम्पिक खेलसभक आयोजन खतरा मे पडल, तँ कोबेर्टिन आ भिकेलस ओलम्पिक आन्दोलन के जीवित रखै के लेल अभियान शुरू केलक। हुनकर प्रयाससभक जनवरी ७, १८९५, मे सफलता प्राप्त भेल जखन भिकेलस घोषणा केलक कि युवराज कन्स्टैन्टाइन आयोजन समितिक अध्यक्ष पद ग्रहण करत। हुनकर पहिल जिम्मेदारी छल कि ओ खेलसभक मेजबानी के लेल आवश्यक धन जुटावे के कार्य कएल जाओ। ग्रीक लोगसभक देशभक्ति पर भरोसा करि के ओ हुनका आवश्यक वित्त प्रदान के लेल प्रेरित केलक।[१८][१९] कन्स्टैन्टाइन के उत्साह के कारण यूनानी जनता सँ योगदान के एक लहर फूटि पडल। ई जमीनी स्तर के प्रयास ३३०,००० दिरहकमी राशि एकत्र करै मे सहायता केलक। डाक टिकटसभक एक विशेष सट निकालल गेल, जेकर बिकरी ४००,००० दिरहकमी एकत्रित केलक। स्टेडियमसभक टिकटसभक बिक्री अतिरिक्त २००,००० दिरहकमी सङ्कलित केलक। कन्स्टैन्टाइन के अनुरोध पर, व्यवसायी जर्ज एव्रौफ पेनाथेनाइक स्टेडियम के नवीनीकरणक भुक्तान करवाक लेल सहमत भेल। एव्रौफ ई परियोजना के लेल कुल ९२०,००० दिरहकमी के दान देनए छल।[११][२०] सम्मान के रूप मे, एव्रौफ के एकटा प्रतिमाक निर्माण कएल गेल आ अप्रैल ५, १८९६, मे ओकर अनावरण स्टेडियम के बाहर कएल गेल। ई ओ दिन सँ अखन धरि ओतय खाड अछि।[२१]

किछ एथलीट खेलसभमे एही लेल भाग लेनए छल किया कि ओ खेलसभक दौरान एथेन्स मे उपस्थित छल, वा छुट्टी पर वा फेर काम के वजह सँ (जेना, किछ ब्रिटिश प्रतिस्पर्धी ब्रिटिश दूतावास के लेल काम करैत छल)। १९३२ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक सँ पहिने एक निर्दिष्ट एथलीट गाम के निर्माणक चलन नै आएल छल। नतीजतन एथलीटसभक अपन अस्थायी आवासक विचार स्वयम् रखए छल।[२२]

पहिल विनियमन जाहि पर नवनिर्मित आईओसीद्वारा १८९४ मे मतदान केनए छल ओकर अनुसार खेलसभमे केवल एमेच्योर (शौकिया) एथलीटसभक ओलम्पिक खेलसभमे भाग लेए के लेल अनुमति देल गेल छल।[२२] परिणामस्वरूप तलवारबाजी के म्याचसभक अपवाद के बाहेक विभिन्न प्रतियोगितासभक आयोजन एमेच्योर नियमसभक अन्तर्गत कएल गेल छल।[२३] नियम आ विनियम एकरूप नै छल, एही लेल आयोजन समिति के विभिन्न राष्ट्रीय एथलेटिक संघसभक नियमसङ्ग्रह के बीच चुनवाक छल। ज्यूरी, रेफ्रिसभ आ खेल निर्देशक के पद के ओही नाम छल जे प्राचीन काल मे छल, एफोर, हेलानोडिक आ अलीटोर्क। राजकुमार जर्ज निर्णायक रेफ्री के रूपमे काम केलक, कोबेर्टिन के अनुसार, "हुनकर उपस्थिति एफोरसभ के निर्णयसभक विशिष्ट भार आ प्राधिकार प्रदान करौलक्।"ब[›][२४]


आयोजन स्थल[सम्पादन करी]

तलवारबाजी के स्पर्धासभ जाप्पियोन मे आयोजित भेल छल।
आयोजन स्थल खेल क्षमता
पेनाथेनाइक स्टेडियम एथलेटिक्स, जिमनास्टिक्स, भारोत्तोलन आ कुश्ती 80,000
जी के खाडी तैराकी
एथेन्स लन टेनिस क्लब टेनिस
केल्लिथिया निशानाबाजी
नियो फालिरोन भेलोड्रम साइकल चालन
जाप्पियोन तलवारबाजी

क्यालेन्डर[सम्पादन करी]

उ.स. उद्घाटन समारोह प्रतिस्पर्धासभ फाइनल स.स. समापन समारोह
अप्रैल छठम् सातम् आठम् नवम् दशम् ११हम १२हम १३हम १४हम १५हम
समारोह उ.स. स.स.
एथलेटिक्स
साइकल चालन
तलवारबाजी
जिमनास्टिक्स
निशानाबाजी
तैराकी
टेनिस
भारोत्तोलन
कुश्ती
अप्रैल छठम् सातम् आठम् नवम् दशम् ११हम १२हम १३हम १४हम १५हम

सहभागी देशसभ[सम्पादन करी]

राष्ट्रिय टिमसभक अवधारणा १० साल बाद आयोजित भेल इन्टरकेलेटिड खेलसभ धरि ओलम्पिक आन्दोलनक प्रमुख हिस्सा नई छल, मुदा अनेकन स्रोत सन् १८९६ मे सहभागीसभ ओ अपन राष्ट्रियता अनुसार सूचीबद्ध करैत अछि आ ओकरद्वारा जीतल गेल पदकसभक गणना ओ राष्ट्रसभक सङ्गे करैत अछि। कोन-कोन राष्ट्रसभ खेलसभमे भाग लेनए छल ओकर सम्बन्धमे उल्लेखनीय सङ्घर्ष रहल अछि। अन्तर्राष्ट्रिय ओलिम्पिक समिति कूल १४ राष्ट्रक तथ्याङ्क दैत अछि, मुदा ओकरा सूचीबद्ध नै कएल जाइत। निम्नलिखित १४ राष्ट्रक सूचीमे अधिक सम्भावना ई अछि कि ओ आइओसीद्वारा स्वीकृत अछि। किछ सूत्र १२ राष्ट्रक सूचीमे रखैत अछि, चिलीबुल्गेरियाक छोड़ि आ दोसर इटालीक छोड़ि ई दुनु सहित १३ राष्ट्रकें सूचीबद्ध करैत अछि। डियोनिस्योस कासडाग्लिसक भाग लएक कारण कखनो-कखनो मिस्रक सेहो गिनल जाइत अछि। बेल्जियमरूस अपन सहभागीसभक नाम खेलसभमे प्रवेशक लेल सूचित केनए छल, मुदा बादमे वापस लऽ लेलक।

महिला सहभागीसभ[सम्पादन करी]

महिलासभक १८९६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक मे भाग लेए के अनुमति नै छल। पुरुषसभक आधिकारिक म्याराथन दौड के ठीक एक दिन बाद, एक १७ महिना के उम्र के लडका के माँ स्टामाठा रेविथि अप्रैल ११ मे म्याराथन मे अकेला दौडलक्। यद्यपि हुनका दौड के अन्त मे स्टेडियम मे प्रवेश के अनुमति नै छल, रेविथि म्याराथन पाँच घण्टा आ ३० मिनट मे समाप्त के आ दौड के समय के सत्यापित करि के लेल हुनका गवाहसभक हस्ताक्षर सेहो मिलि गेल। रेविथिक इरादा ई दस्तावेजीकरण के हैलेनिक ओलम्पिक समिति के समक्ष प्रस्तुत केनाए छल, ई आशामे कि ओ एकर उपलब्धि के मान्यता देत। मुद्दा नै त एकर रिपोर्ट और नै त एकर दस्तावेज एकर सम्पुष्टि प्रदान करवाक लेल हैलेनिक ओलम्पिक समितिसँ प्राप्त भऽ पाएल।[२५]


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. The number, given by the International Olympic Committee, is open to interpretation and could be as few as 10 and as many as 15. There are numerous reasons for the disparity: National teams hardly existed at the time, and most athletes represented themselves or their clubs. In addition, countries were not always as well-defined as they are today. The number of countries here reflects the number used by most modern sources. See the relevant section for further details.
  2. This number of competitors is according to the International Olympic Committee. The identities of 179 competitors are known. Mallon & Widlund calculate 245 athletes, while De Wael finds 246.
  3. "IMDb Pro : The First Olympics: Athens १८९६ Business Details"। Pro.imdb.com। अन्तिम पहुँच जनवरी 2, 2012
  4. यङ्ग 1996, p. अध्याय 4.
  5. काइल 2007, p. 96.
  6. "Olympics – Ancient Olympics"। olympics.sporting99.com। अन्तिम पहुँच 8 जनवरी 2011The Ancient Olympics were not international in the modern sense of the term as they allowed only free men who spoke Greek to participate in the Games. The games none the less had a slight international spirit as they included participants from other Greek city-states
  7. मुलिंस, सैमुएल पी॰। "Pierre de Coubertin and the Wenlock Olympian Games"Proceedings of the International Olympic Academy–Selected 1980s Proceedings। यूनिवर्सिटी ऑफ लीड्स। मूलसँ 2011-02-18 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2 जनवरी 2012 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  8. मैथ्यूस 2005, p. 66.
  9. यंग 1996, p. 81.
  10. यंग 1996, p. 177.
  11. ११.० ११.१ यंग 1996, p. 128.
  12. यंग 1996, p. 14.
  13. यंग 1996, p. 102.
  14. यंग 1996, p. 100–105.
  15. यंग 1996, p. 108.
  16. यंग 1996, p. 111–118.
  17. ज्र्नोस्की 1992, p. 16–32.
  18. यंग 1996, p. 118.
  19. यंग 2004, p. 153.
  20. डार्लिंग 2004, p. 135.
  21. "George Averoff Dead" (PDF)द न्यूयॉर्क टाइम्स। अगस्त 4, 1899। अन्तिम पहुँच जनवरी 2, 2012
  22. २२.० २२.१ लेनार्त्ज़ 2004, p. 20.
  23. "Professionals and Amateurs"From Ancient Olympia to Athens of 1896। fhw.gr. Foundation of the Hellenic World। अन्तिम पहुँच जनवरी 2, 2012
  24. कोबेर्टिन 1896, p. 46–47.
  25. मार्टिन 2000, p. 22.

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]