सीता नवमी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(Sita Navamiसँ पुनर्निर्देशित)
सीता नवमी
सीता नवमी
पृथ्वी सँ सीता के प्रकटीकरण केर चित्रित छवि
अन्य नामजानकी नवमी, सीता जयंती, जानकी जयंती
पावनिसभसीता पूजा, व्रत (उपास), रामायण केर पाठ
तिथि१६ मई २०२४
मानाएलवार्षिक

सीता नवमी ( संस्कृत: सीतानवमी ) एकटा हिन्दू पावनि अछि जे हिन्दू धर्मक सबसँ लोकप्रिय भगवती मे सँ एक लक्ष्मी भगवती केर अवतार सीता देवी केर जन्म पर मनावल जायत अछि। हिन्दू मास वैशाख के शुक्ल पक्ष (पहिल चंद्र पखवाड़ा) के नवमी (नवम दिन) कऽ मनाओल जाइत अछि।

इतिहास[सम्पादन करी]

रामायण अनुसार शिशु सीता मिथिला राज्यमे खेतसँ राजा सिरध्वज जनक आ रानी सुनयनक समक्ष दिव्य माटिक घैलासँ प्रकट भेल छलिह।[१] क्षेत्रीय परम्परा अनुसार, एहि स्थलक पहचान भारतक बिहार के सीतामढी जिला में पुनौरा धाम कयल गेल अछि। रामायणमे शिशु सीताक अभिव्यक्तिक तिथि आ समय पुष्य नक्षत्र वैशाख मासमे शुक्ल नवमीक (नवम दिनक) रूपमे दर्ज कयल गेल अछि। कहल जाइत अछि जे जखन राजा सिरध्वज जनक हलसँ जमीनक जुताई कऽ रहल छलाह तँ हुनक हलक एकटा हिस्सा जमीनमे फँसि गेल। ओहि ठाम खुदाई कयलाक बाद हुनका एकटा माटि केर घैलामे एकटा नवजात बालिका भेटलनि। हलक नोककेँ सीत कहल जाइत अछि, आ तेँ एहि बालिकाक नाम सीता राखल गेल आ राजाक पुत्रीक रूपमे गोद लेल गेल।[२] बादमे सीताकेँ विष्णु भगवानक सातम अवतार राम सँ विवाह करबाक अवसर भेटलनि। सीता अप्पन पतिक प्रति अप्पन निष्ठा, भक्ति आ बलिदानक लेल पूजनीय छथि। हुनका स्त्रीत्वक प्रतीक मानल जाइत अछि आ भारतीय उपमहाद्वीप में आदर्श पत्नी आ माय मानल जाइत अछि।

विवरण[सम्पादन करी]

सीता नवमी सीताक आविर्भाव वा अभिव्यक्तिक वार्षिकोत्सवक तिथि अछि। सीता नवमीक अवसर पर विवाहित महिला अपन पतिक दीर्घायुक लेल व्रत रखैत छथि।[३]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Publishing, Bloomsbury (2011-09-13) (enमे). Religious Celebrations: An Encyclopedia of Holidays, Festivals, Solemn Observances, and Spiritual Commemorations [2 volumes]. Bloomsbury Publishing USA. pp. 457. आइएसबिएन 978-1-59884-206-7. https://books.google.com/books?id=Pk7eEAAAQBAJ&newbks=0&printsec=frontcover&pg=PA457&dq&hl=en. 
  2. "Sita Navami 2023: Date, history, significance and all you need to know"The Economic Times (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2024-05-05
  3. "Sita Navami 2024 : सीता नवमी कब है? नोट कर लें डेट, पूजा- विधि, शुभ मुहूर्त और महत्व"Hindustan (हिन्दीमे)। अन्तिम पहुँच 2024-05-05