विकिपिडिया:मुख्य लेख/मापदण्ड

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

मुख्य लेख विकिपिडियामें भेल उत्कृष्ट काजके उदाहरण प्रर्दशित करएत अछी । ऐ लेखसभ में लेखन शैलीके कुशलता के आर सामग्री के उल्लेखनीयताके कारण मुख्य लेखके रूपमें चुनल जाएत अछि । विकिपिडियाके लेखमें भेल न्यूनतम सामग्रीसभके सँग निम्न विशेषता भेल लेखसभके उत्कृष्ट लेखके रुपमें वर्गिकृत कएल जाएत । उत्कृष्ट लेखसभ सँ विकिपिडिया सम्पादक समुहके मतदान पश्चात निर्वाचित आ मुख्य लेख समन्वय समितिके सिफारिस अनुसार लेखके मुख्य लेखके रूपमें सम्मुख पन्नामें, चुनल गेल लेखके रूपमें राखल जा सकएत अछि ।

  • उत्कृष्ट लेखन:लेख उत्कृष्ट रुपमें लिखित होनाए चाही आ लेखनके व्यवसायिक मापदण्ड अनुसार लिखल होवाक चाही ।
  • उल्लेखनीय:लेख उल्लेखनीय होनाए जरूरी अछि, राष्ट्रिय,अन्तर्राष्ट्रिय महत्त्व राखएक चाही आर कम में चाइरटा अन्तरविकिमें लेख होवाक चाही ।
  • भाषा:व्याकरण आ हिज्जे सही होनाए जरूरी अछि ।
  • विस्तृत: लेख सम्बन्धी सम्पूर्ण तथ्य तथा विवरणसभक समेटल होए पडत ।
  • पूर्ण अनुसन्धान:लेख के सम्बन्ध में पूर्ण अनुसन्धान कएर लिखल होवाक चाही ।
  • तटस्थ:लेखमें पूर्वाग्रह भऽ निष्पक्ष रुपमें लिखल होवाक चाही ।
  • दृढ/स्थिर: लेख पूर्ण दृढ़ आ स्थिर होनाए चाही अर्थात ओ लेखमे भविष्यमे फेर-फेर कोनो प्रकारक सम्पदान आ परिवर्तनके सम्भावनाके औचित्य नै रहना चाही जए सँ बाद मे लेखमे कोनो परिवर्तन भेला पर लेख पूर्ण रुपेन अर्थहीन भऽ जाए ।
  • सहमतीय: कम से कम ५ (पाँच) सम्पादकसभ के समर्थन करए पडत आर ८०% कूल समर्थन होवाक चाही ।