आकृति:मुख्य लेख/अक्टुबर, २०१५

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
बिराटनगर

बिराटनगर उपमहानगरपालिका नेपालक दोसर नम्हर शहर छी, जे कोशी अञ्चल अन्तर्गत मोरङ जिलाक दक्षिण भागमें अवस्थित अछि । ई नेपालक सब सँ नम्हर औद्योगिक नगर सेहो छी । ई नगर तथा आसपासक क्षेत्रमें बहुतेक संख्यामें कलकारखाना, उद्योग तथा व्यवसायसभ अछि । बिराटनगर एक पारवहन तथा वाणिज्य केन्द्र सेहो छी । एतय सँ भारत तथा तेसर मुलुकसँ ब्यापारिक सामानसभ आयात निर्यात होएत अछि ।

ए शहरमें पौराणिक कालक बिराट राजाक दरवार भेल विश्वास केल जाएत अछि । बिराट राजाक नामसँ बिराटनगरक नाम रहल विश्वास केल जाएत अछि । बिराटनगरसँ काठमाडौँ आ नेपालक अन्य सहरसभ हवाई आ सडक यातायातसँ जुडल अछि । (पूरा लेख...)