लाला लाजपत राय

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
लाला लाजपत राय
जन्म२८ जनवरी १८६५
मृत्यु१७ नवम्बर १९२८ (उमर ६३)
सङ्गठनभारतीय राष्ट्रीय कांग्रेस, आर्य समाज, हिन्दू महासभा
अभियानभारतीय स्वतन्त्रता आन्दोलन


लालाजी (१९०८मे)

लाला लाजपत राय ( पञ्जाबी: ਲਾਲਾ ਲਾਜਪਤ ਰਾਏ, जन्म: २८ जनवरी १८६५ - मृत्यु: १७ नवम्बर १९२८) भारत के एक प्रमुख स्वतन्त्रता सेनानी छल। इनका पञ्जाब केसरी सेहो कहल जाइत अछि। ओ पञ्जाब नैशनल बैंक आ लक्ष्मी बीमा कम्पनीक स्थापना सेहो केने छल। ओ भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेसमे गरम दलक तीन प्रमुख नेतासभ लाल-बाल-पालमे सँ एक छल। सन् १९२८मेसाइमन कमीशनक विरुद्ध एक प्रदर्शनमे हिस्सा लेलक, जेकर दौरान भेल लाठी-चार्जमे ओ खराब तरहसँ घायल भ गेल आ अन्तत: १७ नवम्बर सन् १९२८मे इनकर महान आत्मा पार्थिव देह त्याग द देलक।

जीवन वृत्त[सम्पादन करी]

लाला लाजपत रायक जन्म पञ्जाबक मोगा जिलामे एक हिन्दु कलाल परिवारमे भेल छल। ओ किछ समय हरियाणाक रोहतकहिसार शहरमे वकालत केलक। ओ भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेसक गरम दलक प्रमुख नेता छल। बाल गंगाधर तिलकविपिन चन्द्र पालक साथ ई त्रिमूर्तिक लाल-बाल-पालक नामसँ जानल जाइत छल। एही तीन नेतासभ सबसँ पहिले भारतमे पूर्ण स्वतन्त्रताक माँग केने छल बादमे समूचा देश इनकर साथ भ गेल। ओ स्वामी दयानन्द सरस्वतीक साथ मिलके आर्य समाजक पञ्जाबमे लोकप्रिय बनेलक। लाला हंसराजक साथ दयानन्द एङ्गलो वैदिक विद्यालयक प्रसार केलक भाग जेकरा आइ काइल डीएवी स्कूल्स आ कलेजक नामसँ जानल जाइत अछि। लालाजी अनेक स्थानसभमे अकालमे शिविर लगाके लोगक सेवा सेहो केने छल। ३० अक्टूबर १९२८मेलाहौरमे साइमन कमीशन के विरुद्ध आयोजित एक विशाल प्रदर्शनमे हिस्सा लेलक, जेकर दौरान भेल लाठी-चार्जमे ओ खराब तरहसँ घायल भ गेल।

लालाजीक मृत्युक बदला[सम्पादन करी]

हिन्दी सेवा[सम्पादन करी]

रचनासभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]