साम्भर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
साम्भर
Sambar
उत्पत्ति स्थानभारत
क्षेत्र वा राज्यदक्षिण भारत
मुख्य सामग्रीसभतरकारी रस, अरहरक दालि

साम्भर (तमिल: சாம்பார, कन्नड: ಸಾಂಬಾರು, मलयालम: സാമ്പാർ, तेलुगु: సాంబారు), दक्षिण भारतीय खानाक एक मूल व्यञ्जन छी, जे पुरे द्रविड़ क्षेत्रमे एक छी । एकर अलावा श्रीलंकाक खानामे सेहो खुब प्रचलित अछि । ई अरहरक दालिसँ बनैत अछि ।

साम्भर मूलत: अरहर (तुवर) दालिसँ बनैत अछि, जाहिमे विभिन्न सब्जिसभ सेहो रहैत अछि आ साथे इमली सेहो होइत अछि । साम्भर दक्षिण भारतक अभिन्न पहिचान छी । एहि ठामक सामान्य खाना साम्बर-चावल होइत अछि। एकर वाहेक साम्बर इडली, साम्बर डोसा, साम्बर उत्तपम, इत्यादि हरेक व्यञ्जनक साथी छी ।