चुडामणि गौतम

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

चुडामणि गौतम (वि.सं. २०००-वर्तमान) अङ्ग्रेजी व्याकरणक अनेकौं पुस्तक लिखने अछि। ओ साहित्यकार छी। ग्रामर जेहन आ बहुतरास सहयोगी करि उनकर ५० पुस्तक प्रकाशित अछि। बजारमे अधिक प्रचलित एहन २० पुस्तक अछि।

जीवनी[सम्पादन करी]

चुडामणिक जन्म वि.स. २,००० साल असोज १ मे तेह्रथुमक कोयाखोलामे भेल अछि। गौतमक एक भाई आ चाईर दीदि-बहिन अछि। उनकर भाई रामचन्द्र गौतम गोरखापत्र दैनिकसँग आवद्ध छल। रामचन्द्रक किछु वर्ष पहिले निधन भ गेल। उनकर पिता यमनाथ आ माता भीमरूपा अछि। उनका बाल्यकालमे 'गोपाल' कहिक बोलावल जाइत छल। भागवतमे 'गोपाल-चुडामणि' एके ठाम उल्लेख होमएसँ उनका 'गोपाल' कहल गेल अछि।

ओ ६/७ वर्षक होमएत काल अक्षर पहिचाने लगल छल। सरस्वती पूजाक दिन काइला गुरु उनका अक्षर लिखैल सिखेने छल। ओ बखत अक्षर लिखैल काठक पाटी होमएत छल। ओहीमे धुल छिडकि के कैटकीसँ लिखल जाइत छल। ओ सिखैके काम गुरुके घरमे होमएत छल। पढैक ठाम एकटा दलान छल। कक्षा ४ मे पहुँचलाक बाद मात्र ए, बि, सि, डि... सिखलक। चण्डी, रुद्रि, गीता, वेद बाल्यकालसँ ही पढैत छल। कक्षा ६ पढैक लेल आठराईक त्रिभुवन हाइस्कुल गेल। ओ दश वर्षक होमएत काल पिता स्वर्गवास भ गेल। दिदी कृष्णकुमारीक विवाह भ गेल छल। छोटकी बहिन अठार महिनाक मात्र छल। अकेले माता परिवारक भरणपोषण केलक।

लेखन‌[सम्पादन करी]

अपन बाल्यकाल अभाव आ दुःखमे बितलासँ ओ सस्तमे ग्रामर पुस्तक बजारमे लाविलक। विद्यालय नियमित गएलासँ सेहो कलेज सभ प्राइभेट पढलक। ओ बी.ए. आ बी.एल. केनए अछि। कलेज पढैके लेल बिराटनगरक महेन्द्र मोरङ कलेज भर्ना भेल सेहो नियमित नै भ सकल। २०३५ सालमे आवि मात्र 'आभाष' नामक कवितासंग्रह छापने छल। नयाँ शिक्षा लागू भेलाक बाद नेपाली व्याकरण आ अङ्ग्रेजी ग्रामरक अलग पुस्तक नै छल। नेपाली व्याकरण आ अङ्ग्रेजी ग्रामर बहुत आवश्यक भेल कहैत ओ २०३५/३६ मे ग्रामर लिखने अछि। ओ हाल काठमाडौंक डिल्लीबजारमे बसोबास करैत अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]