धर्मभक्त माथेमा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
धर्मभक्त माथेमाकs प्रतिमा

धर्मभक्त माथेमाकs जन्म पिता सुब्बा आदिभक्त माथेमा आ माता चन्द्रकुमारी देवीक कोखसँ वि.सं. १९६६ आशिन ९ गते काठमाडौक ओमबहाल नवहिलमे भेल छल। पिता आदिभक्त राणासभक लेल भारतसँ समान लाबैत छल। ओही कारणसँ धर्मभक्त दार्जीलिङमे शिक्षा आर्जन करलथि। किछ समय कलकत्तामे सेहो पढलथि। शरीर दुब्ला भेलाक कारन व्यायाम करs लागल छल। बङ्गालक शारीरिक व्यायामशालासँ ओ बङ्गाल च्याम्पीयन भs नाम कमाउलथि। बङ्गाल अङ्ग्रेजक पालासँ राजनैतिक चेतना भेल ठाम छल। ओहीठामसँ हुन्का राजनैतिक ज्ञान मिलल छल। हुन्कर सम्पर्क बङ्गाली नेता चित्तरन्जन दाससँ भेल। किछ समयक बाद हुन्कर बाबुजीक राणा प्रधानमन्त्री जुद्ध शमशेर निर्वासित करि देलक। वि.सं. १९९०मे धर्मभक्त माथेमाक उत्तरादेवीसँ वैवाहिक सम्बन्ध कायम भेल आर ओ भारतक स्कटिस चर्च कलेजसँ आई.ए.उत्तीर्ण करने छल। वि.सं. १९९० सालमे दशरथ चन्दसँ धर्मभक्तक भेट भेल। बादमे चन्द सेहो प्रजापरिषद्क सँस्थापक सदस्य भेल। ओ घोडेजात्रामे टुँडीखेलमs शारीरिक तन्दुरुस्ती आ व्यायामक प्रदर्शनी करला पर राजा त्रिभुवन बहुत प्रभावित भेल छ्लाह। ओ स्व.राजा त्रिभुवनक सेहो व्यायाम शिक्षक छल। आर हुन्का द्वारा १९९३ सालमे अपन फुपूक घरमे नेपाल प्रजापरिषद्क स्थापना करने छल। प्रजापरिषद् आ राजा त्रिभुवनक बीचमे हुन्के द्वारा सम्पर्क भेल। लैनचौरमs राजा आ प्रजापरिषद्बीच भेल सम्पर्क राणासभ बुझि गेल। धर्मभक्तक पक्राउ करल गेल। वि.सं. १९९७ माघ १२ गते हुन्का सिफलमे फाँसी देल गेल छल।</ref>[१]

जीवनी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Lal, C. K. (16 February 2001)। "The Rana resonance"Nepali Times। अन्तिम पहुँच 17 September 2013

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]