नेली फर्टाडो

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
नेली फर्टाडो
नेली फर्टाडो २०१० मे
पृष्ठभूमि जानकारी
जन्म नामनेली किम फर्टाडो
जन्म (१९७८-१२-०२) दिसम्बर २, १९७८ (उमर ४५)
मूलविक्टोरिया, ब्रिटिश कोलम्बिया, क्यानाडा
शैलीपप, रक, लोकगीत, आर एण्ड बी, लेटन पप, हिप होप, डान्स पप, विश्व सङ्गीत
कार्यसभगायक-गीतकार, रेकर्ड निर्माता, सङ्गीतकार, अभिनेत्री
बाद्ययन्त्रआवाज, गिटार, कीबोर्ड, उकुलेले, ट्रोमबोन
सक्रियता वर्ष१९९६–वर्तमान
लेबलड्रीमवर्क्स, गेफेन, एमएमजी, यूनिवर्सल म्युजिक ल्याटिनो
वेबसाइटNellyFurtado.com

नेली किम फर्टाडो (अङ्ग्रेजी: Nelly Kim Furtado, जन्म २ दिसम्बर १९७८) एक कनेडियाई गायिका-गीतकार, रिकर्ड निर्माता आ अभिनेत्री छी । फर्टाडो विक्टोरिया, ब्रिटिश कोलम्बिया, क्यानाडामे पलल बढल अछि।

फर्टाडोक प्रसिद्धी अपन पहिल अल्बम वोआ, नेली! ओ उनकर एकल गीत "आई एम लाइक अ बर्ड" सँ मिलल अछि जे उनका २००१ क वर्ष के एकल गीत क जूनो पुरस्कार आ २००२ क सर्वश्रेष्ठ महिला पॉप वोकल पर्फोर्मंस क ग्रैमी पुरस्कार जितेलक। अहिमे दुई आ अंतर्राष्ट्रीय एकल गीत छल: "टर्न ऑफ़ द लाइट" आ "शीट ऑन द रेडियो (रिमेम्बर द डेज़)"। अपन बेटी नेविस क जन्म के बाद उनकर अपन दोसरा स्टूडियो अल्बम फ़ोकलोर रिलीज केलक। ई व्यापारिक दृष्टी से अमेरिका मे कम सफल रहल। अहिमे तीन अनतर्राष्ट्रीय एकल गीत छल: "पावरलेस (से वाट यु वांट)", "ट्राई" आ "फोर्का"।

२००६ गर्मि मे उनकर आपन तेसर स्टूडियो अल्बम लूज़ रिलीज केलक। ई अखनतक उनकर विश्वभर मे सबसे सफल अल्बम छी। अहिमे प्रथम क्रमाक के हीट गीत "प्रोमिशियस", "मैनइटर", "से ईट राईट" आ "ऑल द गुड थिंग्स (कम टू एन एंड)" शामिल अछि। तिन वर्ष के विराम के बाद सितम्बर २००९ मे उनकर अपन स्पैनिश अल्बम मी प्लान अपन पहिल स्पैनिश गीत "मानोस अल ऐरे" क सग रिलीज़ केलक। अहिमे "मियास" आ "बाजो ओतरा लुज़" बाकी गीत छल। मी प्लान क लेल नेली क सर्वश्रेष्ठ महिला पॉप वोकल अल्बम के लेटिन ग्रैमी पुरस्कारसँ सेहो सम्मानित केने छल। २६ अक्टूबर क एक रीमिक्स अल्बम मी प्लान रिमिक्सेस रिलीज केलक । एक महिना बाद १२ नवम्बर २०१० फ़र्टाडो अपन पहिल सर्वश्रेष्ठ हीट गीतों क अल्बम द बेस्ट ऑफ़ नेली फ़र्टाडो रिलीज केने छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]