रूपेश त्योंथ

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
रूपेश त्योंथ
Rupesh Teoth
जन्म (१९८९-०५-२७) २७ मई १९८९ (उमर ३४)
त्योंथागढ़, मधुबनी, भारत
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसायलेखक, कवि
सक्रिय वर्ष२००६-वर्तमान


रूपेश त्योंथ (अङ्ग्रेजी: Rupesh Teoth; जन्म २७ मई १९८९) मैथिलीक सुपरिचित कवि, स्तम्भकार ओ सम्पादक छथि। ई मैथिलीमे ‘नवकृष्ण ऐहिक’ पेननेमसँ सेहो लिखैत छथि। हिनक जन्म मिथिलाक मधुबनी जिला अन्तर्गत त्योंथागढ़ गाममे भेल छल। वृत्तिसँ आइटी प्रोफेशनल रूपेश वर्तमानमे कोलकातामे निवास करैत छथि तथा मैथिली क्रियाकलाप आ लेखनमे विगत डेढ़ दशकसँ सक्रिय छथि। रूपेश[१] मैथिलीक लोकप्रिय पोर्टल मिथिमीडिया केर फाउंडर-एडिटर रूपमे बेस चर्चित रहल छथि।

प्रारंभिक जीवन[सम्पादन करी]

रूपेश केर जन्म मिथिलाक मधुबनी जिला अंतर्गत त्योंथागढ़ गाममे २७ मई १९८९कें भेलनि। आरंभिक शिक्षा-दीक्षा गाममे रहि क' भेलनि, बादमे उच्च शिक्षा लेल कोलकाता अएलाह। कम्प्यूटर एप्लीकेशनमे स्नाकोत्तर रूपेश एकटा स्टार्टअपमे सॉफ्टवेयर इंजीनियर रूपें जुड़लाह। समानांतर रूपसँ हिनक झुकाओ लेखन दिस बनल रहल आ ई मिथिला समाद सहित कतेको अखबार, पत्रिका सब लेल लिखैत रहलाह। रूपेश मैथिली रचनाकार आ भाषा कार्यकर्ता रूपमे छात्र जीवनहिसँ एक्टिव रहल छथि। एहि क्रमकें बढ़बैत ई मैथिली पोर्टल मिथिमीडिया शुरू केलनि।

साहित्यिक कार्य[सम्पादन करी]

रूपेश जखन उच्च विद्यालयमे अध्ययनरत छलाह तखनेसँ मैथिली लेखन दिस प्रवृत्त भेल छलाह। जखन उच्च शिक्षा लेल कोलकाता अएलाह त' मातृभाषा प्रति अनुराग आओर पुष्ट भेलनि। साल २००६मे हुनक पहिल कविता 'जागू आब' श्री मिथिला पत्रिकामे प्रकाशित भेल आ ई लोकक नजरिमे अएलाह। एकर बाद हिनक लेखन आ क्रियाकलाप निरन्तर रूपसँ बढ़ल आ जारी अछि। रूपेश कोलकातासँ प्रकाशित मैथिली दैनिक मिथिला समादसँ २००८मे जुड़लाह आ नवकृष्ण ऐहिक नामे दैनिक व्यङ्ग्य स्तम्भ 'खुरचनभाइक कछमच्छी' लिखलनि जे पाठकदीर्घामे खूब लोकप्रिय भेल छल। एहिना २०१०मे ओ मैथिली साप्ताहिक झलक मिथिला केर सम्पादन केलनि। २०१३मे हिनक पहिल पोथी मैथिली कविता सङ्ग्रह एक मिसिया विमोचित भेल छल जाहिमे रूपेशक आरम्भिक कविता सभ सङ्ग्रहित अछि। २०१५मे हिनक लिखल लोकप्रिय व्यङ्ग्य स्तम्भ खुरचनभाइक कछमच्छी[२] पोथी रूपमे सोझां आएल। एकर अतिरिक्त हिनक व्यंग्य स्तम्भ कागत पर कुश्ती सेहो चर्चित प्रशंसित रहल अछि। हिनक लिखल एकटा नाटक कनफुसकी नवआयाम संस्था द्वारा मंचित भेल अछि।

साहित्य ओ पत्रकारिता केर क्षेत्रमे रूपेश त्योंथ गंभीरतासँ काज क' रहल छथि। संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकार द्वारा हिनका मैथिली व्यंग्य साहित्य पर शोध हेतु फेलोशिप प्राप्त छनि। रूपेश लेखन-संपादन सहित मैथिलीक कतिपय आयोजनक संयोजक रहल छथि। 'वेब पत्रकारिता ओ मैथिली' विषयक संगोष्ठी (२०१४) जे कि मैथिलीमे वेब पत्रकारिता पर पहिल संगोष्ठी छल, केर आयोजनसँ एकटा नव दिशामे विमर्श आ चिंतनक बाट फोललनि। मैथिलीक धारावाहिक काव्यगोष्ठी अकासतर बैसकी (२०१५) केर संकल्पना ओ पहिल सालक संयोजनसँ रूपेश मैथिलीमे गोष्ठी आयोजनक नबका ट्रेंड सेट करबामे महत्वपूर्ण योगदान देलनि अछि। एहि गोष्ठीक देखा-देखी फुजल अकासतर देश-दुनियामे कतेको मैथिली गोष्ठी शुरू भेल। एहिसँ मैथिली भाषामे लिखनिहार अनेक युवा देखार भेलाह। एहन गोष्ठी मात्र रचना पाठ धरि सीमित नै भ' नव-नव प्रतिभाकें सोझां अनबामे महत्वपूर्ण भूमिका निमाहलक।

मिथिमीडिया[सम्पादन करी]

रूपेश मैथिली दैनिक मिथिला समाद सहित कतिपय पत्र-पत्रिका सं जुड़ल रहल छथि। एतय ध्यान देबएबला बात ई अछि जे मैथिलीक प्रिंट पत्रकारिता सं ल' वेब धरिमे मैथिली पत्रकारिताक जे एकाध गिनल युवा स्तम्भ छथि, ताहिमे ई प्रमुखतासँ सोझां देखबामे अबैत छथि। इन्टरनेटक माध्यमसँ मैथिली भाषाक प्रचार-प्रसार हेतु २०१२ अगस्तमे रूपेश मिथिमीडिया[३] नामक वेबसाइट शुरू केलनि। मिथिमीडिया मैथिली पाठकक मध्य बहुत कम समयमे लोकप्रिय भेल अछि। मिथिमीडिया मैथिली भाषाक डिजिटल समाद स्रोतक रूपमे विकसित कएल गेल अछि जकर मूल लक्ष्य मैथिली भाषा-साहित्य, कला-संस्कृति, समाज-राजनीति, प्रविधि-व्यवसाय आदि विविध विषयक समाचार-विचार प्रसारित करब अछि।

पुरस्कार-सम्मान[सम्पादन करी]

रूपेश त्योंथ मैथिली भाषाक एक सशक्त हस्ताक्षर छथि। साहित्य अकादेमी द्वारा आयोजित कार्यक्रम सहित कतेको राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय साहित्यिक आयोजनमे मैथिलीक प्रतिनिधित्व केलनि अछि। साहित्य लेखन क्षेत्रमे उल्लेखनीय काज हेतु हिनका भारत सरकार द्वारा साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार[४], अध्येता सम्मान, नवहस्ताक्षर पुरस्कार तथा नवआयम प्रतिभा सम्मान प्राप्त छनि। युवा साहित्यिक मध्य रूपेश अपन निस्सन उपस्थिति रखैत छथि। ई मैथिली भाषाक सजग सिपाही, कार्यकर्ता जकां कटिबद्धता संग काज क' रहल छथि।

क्रियाकलाप[सम्पादन करी]

मैथिली लेखक संघ द्वारा आयोजित मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल (पटना २०१६, नव दिल्ली २०१९), साहित्य अकादेमी द्वारा आयोजित युवा लेखक सम्मेलन (गुवाहाटी २०१८), कोकराझार लिटरेचर फेस्टिवल (कोकराझार २०२१), आखर कार्यक्रम (ऑनलाइन २०२१), केएलएफ मैथिली लिटरेचर फेस्टिवल (ऑनलाइन २०२१), साहित्य अकादेमी वेबलाइन सीरीज कार्यक्रममे मीडिया पर परिचर्चा[५](मइ २०२१) तथा युवा साहिती (जुलाइ २०२१) सहित अनेक राष्ट्रीय-अंतर्राष्ट्रीय कार्यक्रम सबमे सहभागिता रहलनि अछि। रूपेश कतिपय तकनीक-भाषासं जुड़ल कम्पनी सबहक प्रोजेक्ट सबमे मैथिली भाषा हेतु योगदान देलनि अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "रूपेश त्योंथ"। पहिल दशकक उल्लेखनीय आमद 'रूपेश त्योंथ'।
  2. "खुरचनभाइक कछमच्छी"। खुरचनभाइक कछमच्छी।
  3. "मिथिमीडिया"। मिथिमीडिया विषयमे जानकारी।
  4. "साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार"। रूपेश त्योंथ को साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार 2022।
  5. "मीडिया पर परिचर्चा"। साहित्य अकादेमी द्वारा मीडिया पर परिचर्चा कार्यक्रम में रूपेश त्योंथ।