बर्षा राउत

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(वर्षा राउतसँ पुनर्निर्देशित)
वर्षा राउत
Barsha Raut
वर्षा राउत एकटा प्रोमोसनल इभेन्ट में
जन्म (१९९३-१२-१४) १४ दिसम्बर १९९३ (उमर ३०)
राष्ट्रियतानेपाल
व्यवसायअभिनेत्री, मोडेल
जीवनसाथी(सभ)संजोग कोइराला (विवाह सन् २०१९)


वर्षा राउत (जन्म १४ डिसेम्बर सन् १९९३) एक गोटे नेपाली अभिनेत्री आओर एकटा पेसागत मोडेल छि जे कि नेपाली मनोञ्जन उद्योग में अपन काम के लेल परिचित अछि।

करियर[सम्पादन करी]

वर्षा राउत अनेकौं सङ्गीत भिडियो, टेलिभिजन विज्ञापनसभ आओर नेपाली फिचर फिल्मसभ में देखाए देनए अछि। ओ सन् २०१३ में म्यूजिक भिडियो 'रोजेको मैले' के साथ एकटा मोडेल के रूप में अपन करियरक शुरुआत केनए छल। ओ सिल्भर स्क्रीन पर आबए सँ पहिने अनेका-अनेक म्यूजिक भिडियो में अभिनय केनए छल। ओ पल शाह आओर आञ्चल शर्मा के विपरित नाई नभन्नू ल ४ में अपन अभिनय के शुरुवात केनए छल, जे पहिल सेहो छल। चलचित्र बक्स अफिस पर ब्लकबस्टर रहल छल। एकटा अभिनेत्री के रूप में हुनकर एखन धरि के सभसँ उल्लेखनीय कृतिसभ में छक्का पञ्जा, जात्रा आओर एकर सीक्वल जात्रै जात्रा, छक्का पञ्जा २, छक्का पञ्जा ३, मिस्टर झोले आओर गोपी शामिल अछि।


फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]

चलचित्रसभ
वर्ष (ई.स.) वर्ष (वि.स.) चलचित्र भूमिका निर्देशक टिप्पणी
२०१६ २०७२ नाई न भन्नु ल ४ अञ्जना विकास राज आचार्य डेब्यु फिल्म, सुपरहिट फिल्म
२०१६ २०७३ छक्का पञ्जा वृन्दा दीपाश्री निरौला ब्लकबस्टर, द्वितीय बेसी कमा बऽ वाला चलचित्र
२०१६ २०७३ जात्रा फणिन्द्र के पत्नी प्रदीप भट्टराई सुपरहिट
२०१७ २०७४ मेरो पैसा खोई रोज राणा
२०१७ २०७४ छक्का पञ्जा २ वृन्दा दीपाश्री निरौला ब्लकबस्टर
२०१७ २०७४ फाटेको जुत्ता निकेश खड्का हिट, विशेष उपस्थिति
२०१८ २०७४ मिस्टर झोले कमली राम बाबु गुरुङ सेमी हिट
२०१८ २०७५ छक्का पञ्जा ३ दीपाश्री निरौला अल टाइम ब्लकबस्टर, अधिक कमा ब वाला चलचित्र, विशेष उपस्थिति
२०१९ २०७५ चौका दाउ पूर्णेन्दु झा
२०१९ २०७५ गोपी उषा दीपेन्द्र लामा एक गोटे भेटेरिनरी डाक्टर के भूमिका में
२०१९ २०७६ दाल भात तरकारी जिउ सन्चै सुदन के.सी.
२०१९ २०७६ जात्रै जात्रा सम्पदा प्रदीप भट्टराई सुपरहिट


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]


बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]