बीएसई सेन्सेक्स

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एस एण्ड पी बीएसई सेन्सेक्स
प्रकारस्टक एक्सचेन्ज
स्थानमुम्बई, महाराष्ट्र, भारत
मुद्राभारतीय रुपैया (आइएनआर/₹)
वेबसाइटbseindia.com

बीएसई सेन्सेक्स वा मुम्बई शेयर बाजार संवेदी सूचकांक भारत के एक मूल्य-भारित सूचकांक छैक। मुम्बई शेयर बाजार १९८६ मे सेन्सेक्स के रचना केनए छल। आई ओकर सिर्फ भारत मे ही नै बल्कि विदेश मे सेहो प्रमुख इन्डेक्स मे गणना होइत अछि। सेन्सेक्स मे ३० कम्पनीसभके समाहित कएल गेल अछि, जेकर गणना मार्केट क्यापिटलाइजेशन-वेटेज मेथाडोलाजी के आधार पर कएल जाइत अछि। सेन्सेक्स के आधारवर्ष १९७८-७९ अछि। सेन्सेक्स के समय बितैत 'फ्री प्लोट मार्केट क्यापिटलाइजेशन-वेटेज' मेथाडोलाजी मे परिवर्तन कएल गेल छल।

सेन्सेक्स के आधार मूल्य १ अप्रैल १९७९ के १०० रु. आ आधार वर्ष १९७८-१९७९ अछि।

जून १९९० के सूचकांक अपन आधार मूल्य सँ लगभग १० गुना बढि गेल।

सेन्सेक्स मे शामिल कम्पनीसभ[सम्पादन करी]

कम्पनी बन्द भाउ (२१/०४/२०११) (रुपैया) बाजार पूञ्जीकरण (करोड रुपैया) पी/ई अनुपात
रिलायन्स १००.९५ ३,४०,४२८ २०.५
ओएनजीसी ३०४.२० २,६०,२५८ १४.३
टीसीएस ११९१.६५ २,३३,२३० २५.७
एसबीआई २८६०.३५ १,८१,६२९ १४.७
इन्फोसिस २९०९.२५ १,६७,०३२ २६.७
एनटीपीसी १८६.९० १,५४,१०८ १८.५
आईटीसी १९०.१० १,४७,१०१ ४१.५
भारतीय एयरटेल 3७६.६०० १,४३,०१५ २१.२
आईसीआईसीआई बैंक १११७.२५ १,२८,३७० २९.३
विप्रो ४६३.२० १,१३,६९० २२.२
एचडीएफसी बैंक २४०३.८० १,११,८३० २८.०
एचडीएफसी ७३१.९० १,०७,३६२ ३५.२
लार्सन एण्ड टुब्रो १७०३.९० १,०३,८७० २७.९
बीएचईएल २०५७.५० १,००,७१९ २४.४
टाटा मोटर्स १२४३.८५ ७८,८१२ ९.०
जिन्दल स्टील ६९३.७० ६४,८२६ १७.२
हिन्दुस्तान यूनिलीवर २८८.८० ६३,९०० ३४.५
टाटा स्टील ६२८.७५ ६०,३१० ८.३
स्टरलाइट इन्डस्ट्रीज १७८.५५ ६०,०२१ १३.३
महिन्द्रा एण्ड महिन्द्रा ७६६.१५ ४७०३७ २१.०
बजाज अटो १४६३.४५ ४२३४६ २६.८
हिन्डाल्को २२०.२५ ४२,१६७ १०.९
डीएलएफ २४७.०५ ४१,९३७ २४.४
मारुति सुजुकी १३०६.६० ३७,७५० १५.०
हीरो होन्डा १७८६.०५ ३५,६६७ १७.१
टाटा पावर १३३०.५५ ३१,५७५ १३.३
सिप्ला ३२१.२० २५,७८९ २४.४
रिलायन्स कम्युनिकेशन्स १०६.३० २१,९४१ ९.४
जेपी एसोसिएट्स १०१.७० २१,६२६ ४९.२
रिलायन्स इन्फ्रा ६९६.०० १८,६१२ ११.६
बीसई सेन्सेक्स १९६०२.२३ २९,७३,३८२.४० २१.१६

सेन्सेक्स के गति[सम्पादन करी]

आधार मूल्य दिनाङ्क टिपण्णी
१००० जुलाई २५, १९९०
२००० जनवरी १५, १९९२
३००० फरवरी २९, १९९२
४००० मार्च ३०, १९९२
५००० अक्टूबर ११, १९९९
६००० फरवरी ११, २०००
७००० जून २१, २००५
८००० सितम्बर ८, २००५
९००० दिसम्बर ९, २००५
१०००० फरवरी ७, २००६
११००० मार्च २७, २००६
१२००० अप्रैल २०, २००६
१३००० अक्टूबर ३०, २००६
१४००० दिसम्बर ५, २००६
१५००० जुलाई ६, २००७
१६००० सितम्बर १९, २००७
१७००० सितम्बर २६, २००७
१८००० अक्टूबर ९, २००७
१९००० अक्टूबर १५, २००७
२०००० अक्टूबर २९, २००७
२१००० जनवरी ८, २००८

परिचय[सम्पादन करी]

भारत मे शेयर बाजार के मापक मुम्बई शेयर बाजार (बीएसई) के संवेदी सूचकांक रजत जयन्ती वर्ष मे प्रवेश केनए अछि। एकर स्थापना २ जनवरी १९८६ मे ओ समय के काफी सक्रिय ३० शेयरसभ के साथ भेल छल, १९७९ आधार वर्ष छल। अखन संवेदी सूचकांक के ३० शेयर बीएसई के कुल पूञ्जीकरण के लगभग १५हम हिस्सा अछि।

बीएसई मे ४७०० सँ अधिक कम्पनीसभ सूचीबध्द अछि जे एकरा दुनिया के सभसँ पैग शेयर बाजार बनावैत अछि। मुद्दा सभ शेयरसभ मे सक्रिय कारोबार नै होइत अछि। ओहीसँ सेहो कम सँ शेयरसभसँ ही बाजार आ अर्थव्यवस्था के रूख के बारे मे पता चलैत अछि।

संवेदी सूचकांक के स्थापना के समय मुम्बई शेयर बाजार कहने छल, बाजार के सामान्य रूख के प्रदर्शित करवाक लेल इक्विटी मूल्यसभके सूचकांक के कमी काफी समय सँ निवेशकसभ आ समाचार पत्रो द्वारा महसूस कएल जा रहल छल, किया कि ओ अपन सूचकांक तैयार नै करि पावल छल।

संवेदी सूचकांक (सेन्सेक्स) कि छैक ?[सम्पादन करी]

सेन्सेक्स मूल्य आधारित सूचकांक (Price index)छी आ एकर गणना विमुक्त प्रवाह पूञ्जीकरण प्रक्रिया के आधार पर होएत अछि। ई प्रक्रिया एक कम्पनी के जारी कुल शेयरसभके बाजार -पूञ्जीकरण के पूर्व के प्रक्रिया सँ अलग अछि। एहीमे कम्पनी के केवल ओ शेयरसभक उपयोग कएल जाइत अछि जे कारोबार के लेल पूर्ण रुपसँ उपलब्ध अछि। ई विमुक्त प्रवाह प्रक्रिया मे प्रोमोटर, सरकार आ सान्स्थानिक निवेशकसभके शेयर शामिल नै अछि। ई प्रक्रिया, बाजार के रूख के सही तस्वीर पेश करवाक लेल १ सितम्बर २००३ मे लागू कएल गेल छल।

सेन्सेक्स के गणना मे ३० कम्पनीसभक विमुक्त प्रवाह पूञ्जीकरण के सूचकांक विभाजक सँ विभाजित करि देल जाइत अछि। ई विभाजक ही सेन्सेक्स के मूल आधार वर्ष सँ सम्बध्द होएत अछि। ई सूचकांक के तुलनात्मक बनावैत अछि तथा करपोरेट गतिविधिसभसँ अथवा शेयर बदलै के इत्यादि सँ सूचकांक मे होए वाला फेरबदल के लेल परिवर्तन बिन्दु सेहो अछि।

सेन्सेक्स १९८६ सँ एक लम्बा यात्रा तय केनए अछि आ ओ हालसाल ३५ गुणा बढि गेल अछि। कारोबार के पहिल दिन १ अप्रैल १९८६ मे सेन्सेक्स ५४९.४३ अंक पर बन्द भ गेल छल। ई अपन रजत जयन्ती वर्ष मे १७४६७ अंक पर खुलल।

सेन्सेक्स मे भारी गिरावट आएल जे केलक १००० रुपैया झडि २५०० धरि पहुँच गेल... ई २४ अगस्त २०१५ के सभसँ पैग गिरावट आएल छल...

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]