विनीता बाली

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
विनीता बाली
Vinita Bali
विनीता बाली, ब्रिटानिया इन्डस्ट्रिजक मुख्य कार्यकारी अधिकारी आ प्रबन्ध निर्देशक
जन्म११ नवम्बर १९५५
राष्ट्रियताभारतीय
मातृसंस्थादिल्ली विश्वविद्यालय
जमनालाल बजाज इन्स्टिच्युट अफ म्यानेजमेन्ट स्टडिज (प्रबन्ध स्नातक)
मिसिगन स्टेट विश्वविद्यालय
व्यवसायब्रिटानिया इन्डस्ट्रिजकें प्रबन्ध निर्देशक
सक्रिय वर्ष१९८०-वर्तमान


विनीता बाली एक भारतीय महिला उद्यमी छी, जे ब्रिटानिया इन्डस्ट्रिज लिमिटेडक प्रबन्ध निर्देशक छी।[१]

शिक्षा[सम्पादन करी]

सन् १९७५ मे, हिनका द्वारा दिल्ली विश्वविद्यालयक लेडी श्रीराम कलेज सँ अर्थशास्त्रमे स्नातकक डिग्री प्राप्त कएलाकबाद जमनालाल बजाज इन्स्टिच्युट अफ म्यानेजमेन्ट स्टडिज सँ एमबिए कएल गेल । बाली संयुक्त राज्य अमेरिकाकें मिसिगन स्टेट विश्वविद्यालय सँ छात्रवृत्ति प्राप्त करि संयुक्त राष्ट्र मुख्यालयमे एक प्रशिक्षक रूपमे कार्य केलक।[२]

करियर[सम्पादन करी]

विनीता बाली आ डा. बल्ला ग्रेट लेक इन्स्टिच्युट अफ म्यानेजमेन्टमे

हिनकाद्वारा अपन करियरक शुरुआत वोल्टासमे करल गेल, जाहि ठाम ओ शीतल पेय ब्रान्ड रसनाकें शुभारम्भ केलक । ओ चौदह वर्ष धरि क्याडबरीक भारतीय डिवीजनकें लेल काम केनए अछि, जाहि ठाम ओ भारत आ अफ्रिकामे कम्पनीकें बाजारक विस्तार केलक । वर्ष १९९४ मे, ओ कोका कोलामे विपणन निर्देशकक रूपमे कार्य करि बादमे ओ ल्याटिन अमेरिकाक लेल विपणन उपाध्यक्ष नियुक्त भेल । कोकमे अपन नओ वर्षक कालमे, बाली विपणनक रणनीतिकें अन्तर्गत उपाध्यक्षक रूपमे सेहो काम केनए छल ।[३][४]विनीता सर्जियो जीमान समूहमे कार्य करवाक लेल वर्ष २००३ मे कोका-कोला छोड़ि देलक आ बादमे ओ जीमान समूहक अटलांन्टा अवस्थित गतिविधिसभक लेल प्रमुख नियुक्त कएल गेल ।[२]

बाली वर्ष २००५ मे जीमान समूह छोड़ि देलक आ भारतीय खाद्य कम्पनी ब्रिटानिया इन्डस्ट्रीजकें मुख्य कार्यकारी अधिकारी नियुक्त भेल, एहि ठाम हिनका वर्ष २००६ मे प्रबन्ध निर्देशकक पद पर प्रोन्नत कएल गेल । हिनका वर्ष २००९ मे "वर्षक महिला उद्यमी" कऽ रूपमे इकोनमिक टाइम्स पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल ।[५] हिनका द्वारा वर्ष २००९ मे ब्रिटानिया न्यूट्ररेशन फाउन्डेशनक स्थापना कएल गेल जे भारतमे स्कूलक बच्चाक कुपोषणकें मिटाबकऽ दिशामे आन्दोलनरत अछि । ई फाउन्डेशनक स्थापना आ उद्देश्यकें दृष्टिगत हिनका सामाजिक दायित्व पुरस्कार सँ अलङ्कृत कएल गेल ।[६]


एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

  • "Vinita Bali (Interview)"Business Standard। 27 September 2011।
  • "Vinita Bali Interview"NDTV


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. करमाली, नाज़नीन (31 जनवरी 2012)। "Britannia's Tough Cookie" [ब्रिटानियाक टफ कुकी]। फोर्ब्स डॉट कॉम (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 9 अप्रैल 2016 {{cite news}}: Italic or bold markup not allowed in: |newspaper= (help)
  2. २.० २.१ "Management Team: Vinita Bali" [प्रबंधन दल: विनीता बाली] (अंगरेजीमे)। ब्रिटानिया इंडस्ट्रीज। अन्तिम पहुँच 9 अप्रैल 2016
  3. "Vinita Bali" [विनीता बाली] (अंगरेजीमे)। बिजनेस वीक। अन्तिम पहुँच 9 अप्रैल 2016 {{cite web}}: Italic or bold markup not allowed in: |publisher= (help)
  4. "Meet Vinita Bali, Britannia CEO" [मिलिए विनीता बाली, ब्रिटानिया सीईओ से] (अंगरेजीमे)। रेडिफ़ डॉट कॉम मनी। 8 नवंबर 2004। अन्तिम पहुँच 9 अप्रैल 2016 {{cite web}}: Check date values in: |date= (help)
  5. "Asia's 50 Power Businesswomen: Karen Agustiawan" [एशिया के 50 असरदार व्यवसायी: करेन अगस्तिवान]। फोर्ब्स (अंगरेजीमे)। मार्च 20129 अप्रैल 2016। {{cite news}}: Check date values in: |date= (help)
  6. "Britannia Industries get CSR Award" [ब्रिटानिया इंडस्ट्रीज को मिला सीएसआर पुरस्कार]। दि हिन्दू (अंगरेजीमे)। 12 दिसंबर 2010। अन्तिम पहुँच 9 अप्रैल 2016 {{cite news}}: Check date values in: |date= (help)