अमृता खानविलकर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अमृता खानविलकर
Amruta Khanvilkar
अमृता खानविलकर सन् २०१८ मे
जन्म (१९८४-११-२३) २३ नवम्बर १९८४ (उमर ३९)
व्यवसायअभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२००४-वर्तमान
जीवनसाथी(सभ)हिमांशु मलहोत्रा (वि. २०१५)


अमृता खानविलकर (जन्म २३ नवम्बर १९८४) एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री छी जे मुख्यतया बलिउडमराठी चलचित्रमे अभिनय करैत अछि।

करियर[सम्पादन करी]

खानविलकर हिन्दी आ मराठी चलचित्र उद्योगमे अपना आपकें एक स्थापित कलाकारक रुपमे प्रस्तुत केनए अछि। ओ मराठी चलचित्रक एक मुख्य अभिनेत्री आ स्थापित नर्तकी छी। हुनकाद्वारा अभिनित मराठी चलचित्र काट्यार कल्जात घुस्लीनाटरङ्ग कें चलचित्र विशेषज्ञ बहुत प्रशंसा केनए छल। ओ मेघना गुल्जारद्वारा निर्देशित चलचित्र राजीमे अभिनय केनए छल।[१]

ओ अपन पति हिमांशु मलहोत्रा सङ्गे नृत्य रियाल्टी कार्यक्रम 'नच बलिये' कें सातम् संस्करण जित्ने छल।[२]

जीवनी[सम्पादन करी]

सन् २०१५ जनवरी २४ कें दिन ओ अपन प्रेमी हिमांशु मलहोत्रा सँ विवाह केनए छल। दुनूकें बीच लगभग एक दशक सँ बेसी समय सँ प्रेम सम्बन्ध चलि रहल छल जकरा ई दुनू विवाहमे रुपान्तरण केनए छल। हुनकर पति हिमांशु एक अभिनेता छी जे जि टिभीकें धारावाहिक 'आप की अन्तरा' आ 'भागोवाली बांटे अपनी तकदीर' मे गुड्डु नाम पात्रक अभिनय केनए अछि।[३]

फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]

सन् २००६ मे मराठी चलचित्र 'गोलमाल' मे दुई टा पात्रक भूमिका करि ओ अभिनय क्षेत्रमे प्रवेश केनए छल। एकर बाद ओ सन् २००७ मे बलिउड चलचित्र 'मुम्बई सालसा' मे नेहा नामक पात्रकें भूमिका केनए छल। एहि वर्ष ओ 'ह्याट्रिक' नामक चलचित्रमे सहो अभिनय केनए छल। मराठी चलचित्रमे मुख्य अभिनेत्रीकें रुपमे अपना आपकें स्थापित करलाक बादो अमृता बलिउड चलचित्र सत्यमेव जयते सँ मात्र दर्शकदीर्घाक बीच अपन स्थान बनाए सकल। ई चलचित्र सन् २०१८ मे प्रदर्शित कएल गेल जहिमे जोन अब्राहम, मनोज बाजपेयीआयशा शर्मा मुख्य भूमिकामे छल। ई चलचित्रक सफलताक बाद अमृता लोकप्रिय भेल छल।[४]

वेब सिरिज[सम्पादन करी]

अमृता सन् २०१८ मे प्रदर्शित हिन्दी वेब सिरिज 'ड्यामेज्ड' मे लोभिना नामक पात्रकें मुख्य भूमिका केनए छल।[५]

टेलिभिजन[सम्पादन करी]

अमृता सन् २०१५ मे 'नच बलिये' रियाल्टी टेलिभिजन नृत्य कार्यक्रमक सातम् संस्करणक उपाधि अपन पति सङ्गे युगलबन्दीमे जित्ने छल। एकर बाद ओ दोसर चर्चित नृत्य रियाल्टी कार्यक्रम 'झलक दिखला जा' मे सेहो प्रतिस्पर्धीकें रुपमे भाग लेनए छल। सन् २०१७ मे चर्चित नृत्य रियाल्टी कार्यक्रम 'डान्स इन्डिया डान्स' कऽ छठम् संस्करणक प्रस्तोताक रुपमे ओ दर्शककें दिल जित्ने छल। सन् २०१८ मे ओ नृत्य रियाल्टी कार्यक्रम 'सुपर डान्स महाराष्ट्र' कऽ निर्णायक मण्डलक सदस्य छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "I have worked hard to see this day: Amruta Khanvilkar"। 12 March 2018।
  2. IANS (21 January 2015)। "Nach Baliye 7 winner Amruta Khanvilkar reveals how being underdogs helped them"India Today। अन्तिम पहुँच 14 April 2016
  3. "Marathi Actress Amruta Khanvilkar Wedding - Marriage Photos"। 25 January 2015।
  4. "Satyameva Jayate first look: Why is Manoj Bajpayee pointing a gun at John Abraham?"Hindustan Times (अंगरेजीमे)। 2018-04-05। अन्तिम पहुँच 2018-04-22
  5. "Amruta Khanvilkar on playing a dark role in Damaged: Urmila Matondkar's work has been extremely inspiring"The Indian Express (Indian Englishमे)। 2018-06-16। अन्तिम पहुँच 2019-03-24

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]