नैना जायसवाल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
नैना जायसवाल
जन्म (२०००-०३-२२) २२ मार्च २००० (उमर २४)
हैदराबाद, भारत
राष्ट्रियताभारतीय
अभिभावक(सभ)अश्वनी कुमार जायसवाल
भाग्यलक्ष्मी जायसवाल


नैना जायसवाल (जन्म २००० मार्च २२) भारतक टेबुल टेनिस खेलाड़ी छी, जे भारतक प्रतिनिधत्व करि राष्ट्रिय आ अन्तर्राष्ट्रिय दुनू स्तर पर टेबल टेनिस प्रतियोगितसभमे भाग लैत अछि आ एखन धरि बहुत प्रतियोगिताक खिताब जितने अछि।

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

नैनाक जन्म सन् २००० मार्च २२ कें भारतक हैदराबादमे अश्वनी कुमार जायसवाल आ भाग्यलक्ष्मी जायसवालक घरमे भेल छल। नैना १३ सालक उमरमे हैदराबादक सेन्ट मेरी कौलेज सँ स्नातकक पढ़ाई पूरा केनए छल। १५ सालक उमरमे ओ अपन पोस्ट ग्रेजुएशन सेहो पूरा करि लेनए छल।[१][२] एखन नैना १७ सालक उमरमे अपन पिएचडी कऽ पढ़ाई करि रहल अछि।

शिक्षा[सम्पादन करी]

नैना जैसवाल अपन १० कक्षाक पढाई ८ सालक उमरमे पुरा करलक।[३], नैना १० सालक उमरमे उच्चतर माध्यमिकक पढाई पूरा केनए छल, आ १३ सालक उमरमे स्नातक उपाधि सेन्ट मेरी कलेज सँ पूरा करलक। नैना १५ सालक उमरमे अपन स्नातकोत्तर पढाई उस्मानिया विश्वविद्यालय सँ पूरा केनए अछि[४] आ वर्तमान समयमे ओ अपन पिएचडीक पढाई पूरा कऽ रहल अछि। ओ एशियाक सबसँ कम उमरक पोस्ट-ग्रेजुएट महिला छी।[५][६]

खेल जीवन[सम्पादन करी]

नैना भारतक पहिल महिला टेबुल टेनिस खेलाड़ी छी जे सन् २०११ मे आइटिटिएफ विश्व होप्स टिमक लेल चुनल गेल छल। सन् २०११ मे विश्व अन्डर-१२ टेबल टेनिस प्रतियोगिता जे अस्ट्रियामे भेल छल ओहिमे नैना छठम् स्थान प्राप्त केनए छल। सन् २०११ मे सम्पन्न भेल इन्डियन ओपन टेबल टेनिस प्रतियोगितामे ओ अपन टिमक सङ्ग स्वर्ण पदक जीतऽमे सफल भेल छल। तहिना इन्डियन ओपन २०११ टेबल टेनिस प्रतियोगिताकें एकल विधामे ओ कास्य पदक जीतऽमे सफल भेल छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "15 साल की उम्र में पोस्टग्रैजुएट बनीं नैना जायसवाल"नवभारत टाइम्स (हिन्दीमे)। 6 मार्च 2017। अन्तिम पहुँच 4 मार्च 2019
  2. Sharma, Swati (7 मई 2017)। "Keep it in the family"डेक्कन क्रॉनिकल (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 4 मार्च 2019
  3. "Meet the 16-year-old youngest super talented post graduate girl in Asia, Naina Jaiswal"India Today (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-03-12
  4. "Asia's youngest Post Graduate girl from Hyderabad"Daily Post (अमेरिकी अंग्रेज़ीमे)। 2017-07-23। मूलसँ 2017-07-23 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-12 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  5. "At 16, Naina Jaiswal From Hyderabad Becomes Asia's Youngest Post Graduate"The Better India (अमेरिकी अंग्रेज़ीमे)। 2017-03-08। अन्तिम पहुँच 2019-03-12
  6. "Naina Jaiswal becomes youngest post-graduate in Asia"The New Indian Expressमूलसँ 2018-04-30 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-12

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]