निकिता सिंह

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
निकिता सिंह
Nikita Singh
जन्म (१९९१-१०-०६) ६ अक्टुबर १९९१ (उमर ३२)
राष्ट्रियताभारतीय
नागरिकताभारत
शिक्षाललित कला कें मास्टर - रचनात्मक लेखन फार्मेसी में स्नातक
व्यवसायलेखिका
सक्रिय वर्ष२०११ - वर्तमान
नियोक्तावेन्चर सोलर - सनपावर
प्रसिद्धि कारणएवरी टाइम्स इट रैन्स, समवन लाइक यू, लाईक अ लभ सँगक लेखिका
वेबसाइटnikitasingh.com


निकिता सिंह एक भारतीय उपन्यासकार छी।[१] हिनका द्वारा १० टा उपन्यास लिखल गेल अछि जाहिमे सँ किछ छी- इफ इट्स नोट फरएवर, लभ फेसबुक, राईट हियर राईट नाउ।[२] फरवरी २०१३, मे निकिता दुर्जोय दत्ताक सङ्ग सह-लेखनमे एक किताब- "समवन लाइक यू" लिखलक जकरा पेङ्गुइने इन्डिया द्वारा रिलीज कएल गेल छल आ ई उपन्यास हिन्दुस्तान टाइम्सक बेस्टसेलर सूचीमे नम्बर ५ पर शमावेस भेल ।[३]

प्रारम्भिक जीवन आ पेशा[सम्पादन करी]

निकिता सिंहक जन्म बिहारक पटनामे भेल आ एहि ठाम निकिता अपन जीवनक ४ वर्ष बितौने छल एकर बाद ओ एतय सँ इन्दौर चलि गेल जाहि ठाम हिनकर प्राथ्मिक शिक्षा भेल। सन् २००८ मे राँचीक ब्रिजफोर्ड स्कूल, तुपादनासँ अप्पन विद्यालय शिक्षा पूर्ण केनाए अछि। सन् २०१२ मे इन्दौरक एक्रोपोलिस इन्स्टीटूट अफ फार्मास्यूटिकल शिक्षा आ रिसर्चमे स्नातक कएलक। ओ वर्तमानमे न्यूयॉर्क शहरक द न्यू स्कूल सँ रचनात्मक लेखनमे मास्टर डिग्री हासिल करि रहल अछि । [४] २०११ मे पेङ्गुइने इन्डिया बुक्सक सङ्ग एक अनुबन्ध पर हस्ताक्षर केलक आ साथे ग्रेपवाइन इन्डियामे सेहो शामिल भेल।

१९ वर्षक आयुमे हिनकाद्वारा अप्पन पहिल उपन्यास @फेसबुक लिखल गेल तखन ओ स्नातकक विद्यार्थी छल । सिंह द्वारा पूरे भारतमे कलेजसभमे विभिन्न तेडेक्स सम्मेलनसभमे सेहो अपन भाषण देल गेल अछि । ओ ग्रेपवाइन इन्डियामे सेहो सम्पादकक रुपमे काम करैत अछि । हिनकर सभसँ नव रचना "लभ यू लाइक आ लभ सोँग" मार्च २०१६ मे आएल छल । [५] निकिता द्वारा लेखक आर्वाना घई कऽ सङ्ग 'एन्थोलजी' २५ स्ट्रोक अफ दयालुता सेहो सम्पादित कएल गेल ।

ग्रन्थसूची[सम्पादन करी]

अपन किताब बिमोचनक अवसर पर निकिता सिंह २१ फरवरी २०१८ पुणेमे
  • लभ @ फेसबुक (२०११)
  • एक्सिडेन्टलि इन लभ विथ हिम? अगेन? (२०११)
  • ईफ इट्स नोट फरएवर (२०१२)
  • द प्रोमिश (२०१२)
  • २५ स्टोक्स अफ काइन्ड्नेस (२०१३)
  • समवन लाईक यु (२०१३)
  • द अन्रिज्नेवल फेलोज (२०१३)
  • राईट हियर राईट नाउ (२०१४)
  • आफ्टर अल दिस टाइम (२०१५)
  • लाइक अ लभ सोङ्ग (२०१६)
  • एभरी टाइम्स इट रेन्स (२०१७)
  • लेटर टु माई एक्स (२०१८)
अपन किताब बिमोचनक अवसर पर निकिता सिंह सन् २०१६ पुणेमे

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "19 साल की उम्र में ही निकिता सिंह ने पहली किताब लभ ' फेसबुक लिखी"मूलसँ 2017-08-06 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-15
  2. "Nikita Singh Upcoming author TOI"
  3. Aastha Atray Banan (1 August 2015). "Nikita Singh has written eight bestsellers in four years. What's her secret?". Hindustan Times. Retrieved 10 January 2016.
  4. "Student Achievement". Retrieved 10 January 2016
  5. "Kolkata: Nikita Singh launches 'Like a Love Song' at Starmark - newkerala.com #43965". www.newkerala.com. 2 April 2016. Retrieved 1 May 2016.