चाहत खन्ना

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
चाहत खन्ना
Chahat Khanna
जन्म (१९८६-०७-२८) २८ जुलाई १९८६ (उमर ३७)
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसायअभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२००५- वर्तमान
जीवनसाथी(सभ)भरत नरसिंहानी (वि. २००६-२००९)
फरहान मिर्जा (वि. २०१३)
बालबच्चा


चाहत खन्ना एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री छी। ओ बड़े अच्छे लगते हैं, कुबूल है जका चर्चित भारतीय टेलिभिजन धारावाहिकसभमे अभिनय केनए अछि। ओ थ्याङ्क यू (२०११) बलिउड चलचित्रमे सेहो अभिनय केनए अछि।

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

चाहत खन्नाकें पहिल विवाह भरत नरसिंहानीकें सङ्ग सन् २००६ दिसम्बरमे भेल छल मुदा शारीरिक दुर्व्यवहारक कारण ई दुनूकें वीच जल्दिए समबन्ध विच्छेद भऽ गेल। ई दुनूकें वीच प्रेम सम्बन्धक सुरुवात सन् २००२ मे भेल छल जखन चाहतक उमर मात्र १६ वर्ष छल। हिनकर दोसर पति फरहान मिर्जा छी जकर सङ्ग ई सन् २०१३ फरबरीमे विवाह केनए छल।[१] चाहत सन् २०१३ फरबरी ८ कें शाहरुख मिर्जाकें (मिर्जा भाईकें लेखक) ज्येष्ठ सुपुत्र फरहान मिर्जाक सङ्ग गठबन्धन बान्हि लेलक। ई दुनूकें जोहर आ अमेरा नामक दुई बेटी अछि।[२][३]

करियर[सम्पादन करी]

चाहत मात्र १६ वर्षक उमर सँ व्यवसायिक करियरक लेल सङ्घर्ष केनाए आरम्भ करि देनए छल।[४] चाहतकें सन् २००२ मे पहिल बेर सफलता भेटल जखन ओ प्रदीप सरकारक सङ्ग क्याडबेरी कऽ विज्ञापनमे नजर आएल। हिनका सन् २००२ मे पहिल बेर टेलिभिजन दुनियामे काज करवाक अवसर प्राप्त भेल। हिनकर पहिल टेलिभिजन धारावाहिक 'सच्ची बात सब जग जाने' छल।[५] बलिउड चलचित्र उद्योगमे हुनका पहिल ब्रेक चलचित्र '७१/२ फेरे' सँ भेटल छल। एहि वर्ष चाहत रोमाञ्चक चलचित्र 'द फिल्म' (२००५) मे अभिनय केनए छल। ई चलचित्र सङ्घर्षरत चलचित्र कलाकारसभक जीवनकें चरितार्थ केनए अछि। सन् २००५ मे चाहत एक टेलिभिजन धारावाहिक 'हिरो भक्ति ही शक्ति है' मे ८ पाठ (४ घण्टा) कऽ लेल क्यामियो भूमिका निर्वाह केनए छल। ओ ई धारावाहिकमे महारानी मायरा कऽ भूमिका निर्वाह केनए छल।

एकर बाद चाहतकें सोनी टेलिभिजनक 'काजल' धारावाहिकमे देखल गेल। सन् २००९ मे ओ 'एक मैं एक तुम' नामक धारावाहिक आ ओकर बाद एमटिभी स्टन्टमेनियामे स्क्वाड नेतृक रूपमे नजर आएल।

सन् २०११ मई सँ सन् २०१३ फरबरीधरि ओ सोनी इन्टरटेनमेन्ट टेलिभिजनद्वारा प्रदर्शित हिन्दी धारावाहिक 'बडे अच्छे लगते हैं' मे आयशा शर्मा/ सिद्धान्त कपूरक भूमिका निभेलक। चाहत ई धारावाहिककें सन् २०१३ फरबरी १० कें छोड़ि देलक ओकर बाद हिनकर ठाम आकांक्षा जुनेजाद्वारा लेल गेल। एखन ओ जि टेलिभिजनक धारावाहिक 'खाना खजाना' करि रहल अछि।

फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Chahatt Khanna invites her estranged husband Farhan Mirza on her daughter's birthday"
  2. "Post split, Chahatt Khanna posts a happy picture of her daughters with their father, deletes it soon after"
  3. "Chahatt Khanna: I was sexually and mentally abused by my husband"
  4. "Television Star Chahatt Khanna sets Internet on fire by her latest Instagram post"NewsX (अंग्रेजीमे)। 2018-12-01। मूलसँ 2019-03-22 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-22{{cite web}}: CS1 maint: unrecognized language (link)
  5. Team, Tellychakkar। "Chahat Khanna has finally found success"Tellychakkar.com (अंग्रेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-03-22{{cite web}}: CS1 maint: unrecognized language (link)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]