मेनका गान्धी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मेनका गान्धी
Maneka Gandhi
महिला आ बाल विकास मन्त्री
कार्यकाल
२६ मई २०१४
प्रधानमन्त्रीनरेन्द्र मोदी
पूर्वाधिकारीकृष्णा तिरथ
संसदक सदस्य
कार्यकाल
१६ मई २०१४
पूर्वाधिकारीवरुण गान्धी
निर्वाचन क्षेत्रपिलीभित
कार्यकाल
२००९–२०१४
पूर्वाधिकारीसरुराज सिंह
उतराधिकारीधर्मेन्द्र कश्यप
निर्वाचन क्षेत्रआवला
कार्यकाल
१९९६–२००९
पूर्वाधिकारीपर्शुराम गङ्गवर
उतराधिकारीवरुण गान्धी
निर्वाचन क्षेत्रपिलीभित
कार्यकाल
१९८९–१९९१
पूर्वाधिकारीभानु प्रताप सिंह
उतराधिकारीपर्शुराम गंगवर
निर्वाचन क्षेत्रपिलीभित
कार्यक्रम कार्यान्वयन आ साङ्ख्यिकी राज्य मन्त्री (स्वतन्त्र प्रभार)
कार्यकाल
१८ नवम्बर २००१ – ३० जुन २००२
प्रधानमन्त्रीअटल बिहारी वाजपेयी
संस्कृति राज्य मन्त्री (स्वतन्त्र प्रभार)
कार्यकाल
१ सितम्बर २००१ – १८ नवम्बर २००१
प्रधानमन्त्रीअटल बिहारी वाजपेयी
सामाजिक न्याय आ अधिकारिता मन्त्रालय
कार्यकाल
१३ अक्टुबर १९९९ – १ सितम्बर २००१
प्रधानमन्त्रीअटल बिहारी वाजपेयी
व्यैक्तिक विवरण
जन्म
मेनका आनन्द

(१९५६-०८-२६) २६ अगस्त १९५६ (उमर ६७)
नयाँ दिल्ली, भारत
राजनैतिक दलभारतीय जनता पार्टी
अन्य राजनैतिक
आवद्दता
जनता दल(१९८८-१९९८) स्वतन्त्र (१९९८-२००४)
जीवनसाथीसंजय गान्धी (वि. १९७४; मृ. १९८०)
सम्बन्धनेहरु–गान्धी परिवार
बाल बच्चावरुण गान्धी
पेशाराजनीतिज्ञ, पशु-अधिकार कार्यकर्ता
As of २७ मई, २०१४
स्रोत: Government of India


मेनका गान्धी (२६ अगस्त १९५६) भारतक प्रसिद्ध राजनेत्री एवम् पशु-अधिकारवादी छी। राजनीति भेला सँ पूर्व ओ एक पत्रकारक रूपमे सेहो काज करि चुकल अछि मुदा भारतक महिला प्रधानमन्त्री इन्दिरा गान्धीक छोट पुत्र संजय गान्धीक पत्नीकें रूपमे ओ अधिक विख्यात अछि। ओ बहुत रास पुस्तकसभक रचना केनए अछि आ हुनकर लेखसभ विभिन्न राष्ट्रिय तथा अन्तर्राष्ट्रिय पत्र-पत्रिकासभमे प्रायः आबैत रहैत अछि। ओ वर्तमान समयमे भारतक केन्द्रीय क्याबिनेटमे महिला एवम् बाल विकास मन्त्री छी।

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

इन्दिरा गान्धीक साथ मेनकाक सम्बन्ध आस्ते आस्ते संजय गान्धीक मृत्युक बाद खराब होएत चलि गेल आ ओ दुनूकें बीच लगातार एक दोसर सँ बहस होएत चलि गेल। अन्ततः हुनका इन्दिरा गान्धीकें पतनक बाद १ सफदरजङ्ग रोड, प्रधानमन्त्री निवास छोड़वाक लेल मजबुर कएल गेल छल। एकर बाद मेनका अकबर अहमद डम्पीक सङ्ग मील राष्ट्रिय सञ्जय मञ्चक स्थापना केलक।[१]पार्टी मुख्य रूप सँ युवा सशक्तीकरण आ रोजगार पर केन्द्रित छल। ई पार्टी आन्ध्र प्रदेश सँ चुनावमे पाँच टा सिटमे सँ चारि टा सिट जितने छल।

मेनका गान्धी अपन पति संजय गान्धीक पारसी विश्वासक मद्देनजर राखैत 'द कम्प्लीट बुक अफ मुस्लिम एण्ड पारसी' नामक किताब प्रकाशित केनए छल।[२][३]बादमे ओ 'द बुक अफ हिन्दु नेम्स' (पेङ्गुइन) प्रकाशित केलक।

मेनका गान्धी लोकसभा क्षेत्र चुनावक लेल सन् १९८४ उत्तर प्रदेश सँ लोकसभाक चुनाव लड्ने छल, मुदा राजिव गान्धी सँ पराजित भऽ गेल छल। सन् १९८८ मे ओ विपी सिंहक जनता दलमे महासचिव बनाएल गेल छल।[४]

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

मेनका गान्धीक जन्म भारतक राजधानी दिल्लीमे भेल छल। मेनका अपन प्रारम्भिक शिक्षा लरेन्स स्कूल, दिल्ली सँ पुरा केलक आ उच्च शिक्षा सनवर तथा तदोपरान्त लेडी श्रीराम कौलेज, नयाँ दिल्ली सँ पूर्ण केलक। मेनका भारतक तत्कालीन महिला प्रधानमन्त्री इन्दिरा गान्धीक कनिष्ठ बेटा संजय गान्धीक सङ्ग सन् १९७४ मे विवाह केनए छल। एक आकस्मिक हवाई दुर्घटनामे संजय गान्धीक देहान्त भेलाक बाद ओ सन् १९८२ मे राजनीतिमे प्रवेश केनए छल।

सामाजिक कार्यसभ[सम्पादन करी]

श्रीमती मेनका गान्धी एक जानल-मानल वातावरण पर्यावरणवादी कार्यकर्ता छी। भारतमे पशु-अधिकारसभक प्रश्नकें मुख्यधारामे लाबऽकें मुख्य श्रेय मेनका गान्धीकें देल जाएत अछि। सन् १९९२ मे मेनका पिपल फर एनिमल्स नामक एक गैर-सरकारी सङ्गठन आरम्भ केलक जे समुचा भारतमे (पशु) आश्रय चलबैत अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Exclusive extract from Khushwant Singhs autobiography"
  2. Gandhi, Maneka; Husain, Ozair (2 August 2017)। "The Complete Book of Muslim and Parsi Names"। Penguin Books India। अन्तिम पहुँच 2 August 2017 – Google Books माध्यमसँ।
  3. Hinnells, John (28 April 2005), The Zoroastrian Diaspora: Religion and Migration, OUP Oxford, pp. 397–398, ISBN 978-0-19-826759-1
  4. "At a glance: Maneka Gandhi- from a 'charming model' to 'union minister of India'"

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]