अपर्णा पोपट

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अपर्णा पोपट
Aparna Popat
Popat smiling at the camera in a white sweatshirt
राष्ट्रपति डॉ. ए.पी.जे. अब्दुल कलाम बैडमिंटन के लिए सुश्री अपर्णा पोपट को अर्जुन पुरस्कार-2005 प्रदान करते हुए
व्यक्तिगत जानकारी
जन्म नामअपर्णा लालजी पोपट
जन्म (१९७८-०१-१८) १८ जनवरी १९७८ (उमर ४६)
मुम्बई, महाराष्ट्र, भारत
ऊँचाई१.६३ मी (५ फिट ४ इन्च)
राष्ट्रभारत
सक्रियता काल१९८९–२००६
हाथ का इस्तेमालदहिना
महिला एकल
उच्चतम वरीयता१६[१]
बीडबल्युएफ प्रालेख

अपर्णा पोपट (गुजराती: અપર્ણા પોપટ; जन्म: १८ जनवरी सन् १९७८[२]) पुर्व भारतीय ब्याडमिन्टन खेलाडी छी। ओ सन् १९९७ आ सन् २००६ क बीच सभ सिनियर राष्ट्रिय च्याम्पियनशिप जितैक साथ साथे न बेर भारतक राष्ट्रिय च्याम्पियन रहल अछि।

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

अपर्णा पोपटक जन्म १८ जनवरी सन् १९७८ क मुम्बई, महाराष्ट्रमे लालजी पोपट आ हीना पोपटक गुजराती परिवारमे भेल छल। ओ मुम्बई के जे. बी. पेटिट हाई स्कुल आ बेङगलोरक माउन्ट कर्मेल कलेज सँ अपन प्री-युनिवर्सिटी कोर्स पुरा केलक। अपर्णा लग मुम्बई विश्वविद्यालय सँ वाणिज्यमे स्नातकक डिग्री सेहो अछि।[२]

प्रशिक्षण पृष्टभुमि[सम्पादन करी]

अपर्णा सन् १९८६ मे मुम्बईमे ब्याडमिन्टन खेलनाए शुरू केलक। ८ सालक उमरमे ओह कोचिङगक लेल अनिल प्रधान लग पहुचल। राष्ट्रिय च्याम्पियन होएक नाता सँ, ओ खेलक बहुत रास चुनौतिसभक सामना करैक लेल आवश्यक कौशल विकसित करैमे अपर्णाक मदद केलक।

सन् १९९४ मे, ओ अपन क्षमतासभक आ विस्तार करैक लेल बेङगलोरमे प्रकाश पादुकोण ब्याडमिन्टन एकाडमीमे दाखिला लेनए छल।[२] पुर्व अल इङ्गल्यान्ड च्याम्पियन, प्रकाश पादुकोण क तहत प्रशिक्षण लेलाक बाद, ओ अपन फिटनेसक निर्माण केलक आ अन्तरराष्ट्रिय स्तर पर अधिक प्रतिस्पर्धी होएक लेल तकनीकसभक सिखलक।

सन् २००२ मे ओ बेङगलोरक केङगेरी स्थित भारतीय खेल प्राधिकरण क प्रशिक्षण केन्द्रमे स्थानान्तरित भा गेल छल, जत ओ कोच गंगुला प्रसाद सँ खेलक बारीकियासभ सिखने छल।

करियर[सम्पादन करी]

अपर्णा सन् १९९७ मे हैदराबादमे अपन पहिल वरिष्ठ राष्ट्रिय खिताब जितए छल। सन् २००६ धरि ओ सब वरिष्ठ राष्ट्रिय खिताब जितलक, जे हुनका प्रकाश पादुकोणक लगातार न टा राष्ट्रिय एकल खिताब जितैक रेकर्डक बराबरी केलक।[३]

ओ जनवरी २००६ मे बेङ्गलोरमे १५ वर्षीय साइना नेहवालक हराबैक बाद २७ सालक उमरमे न टा वरिष्ठ राष्ट्रिय खिताबमे सँ अन्तिम खिताब जितने छल।[४]

अनन्तरराष्ट्रिय स्तर पर हुनकर उपलब्धिसभ रहल अछि, २ ओलम्पिक खेलसभ आ १ एसियाई खेलसभमे प्रतिभागिता, सन् १९९६ मे विश्व जुनियर च्याम्पियनशिपमे एक रजत पदक आ ३ राष्ट्रमण्डल खेलसभमे ४ पदक सम्मलित अछि।

सन्यास[सम्पादन करी]

१७ साल धरि पेशेवर ब्याडमिन्टनक बाद, ओ हातक चोटक कारण सन् २००६ मे खेल सँ सन्यास ल लेलक। हुनकर चोट बिना निदानक रहल। ओ नेशनल च्याम्पियनशिपमे अपराजित रहील।

वर्तमानमे ओ मुम्बईमे इन्डियन आयल कर्पोरेशनक साथ कार्यरत अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Previous stars – Aparna Popat"। Tata Padukone Academy। मूलसँ 21 May 2007 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 14 August 2013 {{cite web}}: Italic or bold markup not allowed in: |publisher= (help); Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. २.० २.१ २.२ "18 जनवरी: आज आप अपना बर्थडे इनके साथ शेयर कर रहे हैं"द क्विंट। अन्तिम पहुँच 26 फरवरी 2019 {{cite news}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  3. "राष्ट्रमंडल खेलों से ज्यादा कड़े होंगे एशियाई खेल: अपर्णा पोपट"नवभारत टाइम्स। 24 जुलाई 2018। अन्तिम पहुँच 26 फरवरी 2019 {{cite news}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  4. "जब फ़ाइनल में भिड़ीं सायना नेहवाल और पीवी सिंधु"बीबीसी हिन्दी। 15 अप्रैल 2018। अन्तिम पहुँच 26 फरवरी 2019 {{cite news}}: Check date values in: |accessdate= (help)