यश राज फिल्म्स

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
यश राज फिल्म्स
आधिकारिक नाम
वाइआरएफ
निजी
स्थापना१९७०
संस्थापकयश चोपड़ा
विभागनिर्माण
वितरण
स्टुडियो
मार्केटिङ
मर्केन्डाइजिङ
इजाजत पत्र
घरेलू भिडियो
सङ्गीत
डिजिटल
वेब सिरिज
प्रतिभा प्रबन्धन
ब्रान्ड साझेदारी
सञ्चार
तकनीकी
दृश्यात्मक प्रभाव
वाइआरएफ इन्टरटेनमेन्ट
वेबसाइटयश राज फिल्म्स

यशराज फिल्म्स (वाइआरएफ) एक भारतीय फिल्म निर्माण आ वितरण कम्पनी छी जे हिन्दी सिनेमा क्षेत्रमे काज करि रहल अछि। सन् १९७० कऽ दशकमे एकर स्थापना भेल छल। ई कम्पनी भारतक सभसँ पैग फिल्म स्टुडियोमे परिणत भेल अछि।[१]

इतिहास[सम्पादन करी]

वाइआरएफक स्थापना सन् १९७० मे भारतीय चलचित्र उद्योगक दिग्गज यशराज चोपड़ा केनए छल। यश चोपड़ा अपन जेठ भाए बिआर चोपड़ाक सहयोगीक रूपमे काज शुरू केलक आ अपन भाएक लेल ५ फिल्म निर्देशित केनए छल। वाइआरएफ प्रोडक्सन पोस्ट प्रोडक्सन, घरेलु आ अन्तर्राष्ट्रिय वितरण, सङ्गीत, घरेलू मनोरञ्जन, मार्केटिङ डिजाइन, डिजिटल इजाजतपत्र, व्यापारिक कारोबार, प्रतिभा प्रबन्धन, ब्रान्ड साझेदारी, सङ्गीत स्टुडियो आ फिल्म स्टुडियोक मूल्य श्रृङ्खलाक लगभग सम्पूर्ण अंश नियन्त्रण करैत अछि। मुम्बई मुख्यालय रहल वाइआरएफ कम्पनीकें अपन पूर्ण इन्टिग्रेटेड स्टुडियो अछि जतय चलचित्र छायाँकनक चरणसभ आ ध्वनि स्टुडियो अछि। सन् २०१२ मे संस्थापक यश चोपडाक मृत्यु भेलाक बाद ओकर बेटा आदित्य चोपड़ा कम्पनीक अध्यक्ष आ प्रबन्ध निर्देशकके पदभार लेलक।

कार्यालय[सम्पादन करी]

भारतमे, वाइआरएफकें मुम्बई, दिल्ली, जालन्धर, जयपुर, अमरावती, इन्दौर, बेङ्गलोरमे वितरण कार्यालयसभक सञ्जाल अछि। तहिना हैदराबाद, कोलकाता, चेन्नईकोचीमे एकर कार्यालय अछि। अन्तर्राष्ट्रिय स्तरमे एकर संयुक्त अधिराज्य, संयुक्त राज्य अमेरिका, आ संयुक्त अरब इमिरेट्समे कार्यालयसभ अछि।[२]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Producers Who Scored at the Box Office"Forbes India (अंगरेजीमे)। अन्तिम पहुँच 5 December 2018
  2. "Contact Us – Yash Raj Films"। yashrajfilms.com। अन्तिम पहुँच 2018-04-27