अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवस

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवस
अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवस
१९१४ मार्च ८ क अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवसमे प्रयोग कएल गेल पोस्टर
समुदायविश्वभरिक महिला तथा पुरुष
प्रकारअन्तर्राष्ट्रिय
तिथिप्रत्येक वर्ष मार्च ८ तारिख

अन्तरराष्ट्रिय नारी दिवस (अङ्ग्रेजी: International women's day) महिला जागरूकता सम्बन्धी दिवस छी । ई ८ मार्चमे विश्वभरि मनाओल जाएत अछि । राजनितिक रुपसँ सुरु होएतो हाल महिला अधिकार, महिला सशक्तिकरण आर समानता आदि प्रश्नसभ अन्तर्राष्ट्रिय महिला दिवसक बिषयसभ अछि । ई सर्वप्रथम् १९०९ फेब्रुअरी २८ मे मनाओल गेल छल । १९१० मे महिलासभक मत खसावक अधिकार सुनिश्चित करवाक उद्देश्यक साथ एकरा अन्तर्राष्ट्रिय दर्जा प्रदान कएल गेल छल । सन् २०१३ मे पुगि गेलक बादमे बिश्वभरि १०३अम अन्तर्राष्ट्रिय नारी दिवस मनौने अछि । ई मार्च महिना धरि मनाओल जाएत अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

संयुक्त राज्य अमेरिकाक सोसलिस्ट पार्टी २८ फरबरी १९०९ मे पहिल बेर महिला दिवसक आयोजना केनए छल । सोसलिस्ट पार्टी सन १९०८ क अन्तर्राष्ट्रिय महिला कपडा कामदारसभक आन्दोलनके स्मरणमे २८ फेब्रुअरि १९०९ क दिन महिला दिवस मनौने छल । एकर बाद ई फेब्रुअरिक अन्तिम रवि दिन मनावक लेल सुरु भेल । १९१० मे सोशलिस्ट इन्टरनेशनलक कोपेनहेगनके सम्मेलनमे एकरा अन्तर्राष्ट्रिय दर्जा प्राप्त भेल । ओ बखत एकर प्रमुख ध्येय महिलासभक मतअधिकार देबाक छल, ओही बखत महिलासभक मत खसावक अधिकतर देशसभमे नै छल ।

चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामाग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]