सामग्री पर जाएँ

अलाया फर्निचरवाला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अलाया फर्निचरवाला
Alaya F
२०२२ में अलाया फर्निचरवाला
जन्म (१९९७-११-२८) २८ नवम्बर १९९७ (उमर २७)
व्यवसायअभिनेत्री
सक्रिय वर्षसन् २०२०–वर्तमान
अभिभावक(सभ)पूजा बेदी
फरहान अब्राहिम फर्निचरवाला
सम्बन्धीकबीर बेदी (नाना)
प्रोतिमा बेदी (नानी)


अलाया फर्निचरवाला, जकरा अलाया एफ या अलाया अब्राहिम फर्निचरवाला केर नामसँ सेहो जानल जाइत अछि (जन्म: सन् १९९७ नवम्बर २८) एक अभिनेत्री आ मोडल छी जे हिन्दी सिनेमामे अभिनय करैत अछि। ओ फरहान अब्राहिम फर्निचरवाला आ हिन्दी चलचित्र अभिनेत्री पूजा बेदीक बेटी छी।[] अलाया केर नाना-नानी हिन्दी चलचित्र जगतक दिग्गज अभिनेता कबीर बेदी आ दिवंगत नृत्याङ्गना प्रोतिमा बेदी छी। अलाया अप्पन चलचित्रक शुरुआत सन् २०२० मे हास्य चलचित्र 'जवानी जानेमन'मे प्रमुख भूमिकासँग केनए छली।[]

प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

आलिया फर्निचरवालाक जन्म सन् १९९७ नवम्बर २८ केर अभिनेत्री पूजा बेदी आ व्यवसायी फरहान अब्राहिम फर्निचरवालाक घर भेल छल। ओकर एक छोट भाए उमर फर्निचरवाला, आ एक सौतेला भाए जैन फर्निचरवाला अछि। ओ अभिनेता कबीर बेदी आ पूर्व मोडल एवं शास्त्रीय नृत्याङ्गना प्रोतिमा बेदीक नातीन छी।[]मुम्बई केर जमनाबाई नरसी स्कूलसँ अध्ययन केनए छली। ओ चलचित्शुर जगतमे प्रवेश करऽसँ पहिने न्यू योर्क चलचित्र एकेडमीमे अभिनय विषयमे डिप्लोमा केनए छली। एहि बाहेक ओ एक प्रशिक्षित समकालीन आ कथक नर्तकी सेहो छी।[]

फिल्मोग्राफी

[सम्पादन करी]
वर्ष चलचित्र भूमिका सन्दर्भ
सन् २०२० 'जवानी जानेमन' टिया सिंह []

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Alaya F Opens Up On Her Parents, Pooja Bedi And Farhan Furniturewala's Divorce When She Was 5", BollywoodShaadis, मूलसँ २ फ़रवरी २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २ फरबरी २०२० 
  2. "Saif Ali Khan begins shooting for Aalia Furniturewala's debut film Jawani Janeman", India Today (अङ्ग्रेजीमे), मूलसँ ४ जून २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २ फरबरी २०२० 
  3. "What Kabir Bedi Said About Granddaughter Alaya Working With 'Seasoned Actors' In Jawaani Jaaneman", NDTV.com, मूलसँ २९ मार्च २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०२-१० 
  4. "NYFA Acting for Film Alum Alaia F Featured in Vogue India", New York Film Academy Blog (en-USमे), मूलसँ २९ मार्च २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०२-१० 
  5. "Saif Ali Khan says ‘we are lucky to have found’ Pooja Bedi’s daughter Alaia Furniturewala for Jawani Jaaneman", Hindustan Times (अङ्ग्रेजीमे), १३ अप्रैल २०१९, मूलसँ २ जून २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २ फरबरी २०२० 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]