आकृति:मुख्य लेख/अप्रैल, २०१५

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सगरमाथा

सगरमाथा संसारकें सबसँ ऊँच पर्वत शिखर छी । एकर उचाई समुन्द्र सतहसँ ८,८४८ मीटर (२९,०२८ फीट) अछि । इ नेपालकें सोलुखुम्बु जिलाकें खुम्जुङ्ग गा विस में अवस्थित अछि । तिब्बती भाषामें एकरा चोमोलुङ्गमा कहएत अछि । सगरमाथाकें सन १८६५ में ब्रिटिस सर्भेयर कर्णेल सर जोर्ज एभरेष्टकें नाममें माउन्ट एभरेस्ट नामाकरण केल गेल छल । बादमें सन् १९५६ (बि.स. २०१२) में इतिहास शिरोमणि बाबुराम आचार्य एकर नाम सगरमाथा राखने छल वो सगरमाथाकें नेपाली नाम झ्यामोलोङ्मो सेहो लिखने छल । सगरमाथाकें कतौ कतौ देवढुङ्गा सेहो कहल जाएत अछि । सगरमाथा पर्वतमें सर्वप्रथम, सन १९५३ मई २९ तारिखके भोर ११:१५ बजे, नेपालक तेन्जिङ नोर्गे शेर्पा आर न्युजिल्याण्डका सर एडमन्ड हिलारी अपन टांग राखने छल । (पूरा लेख...)