एरुतुकली
सांस्कृतिक कार्यक्रममे प्रस्तुत एरुतुकली | |
| मूल नाम | എരുതുകളി (मलयालम) |
|---|---|
| विधा | अनुष्ठानात्मक लोक कला |
| बाजासभ | चेंडा, चेम्पिला |
| उत्पत्ति | उत्तर मलाबार, केरल, भारत |
एरुतुकली (जकरा एरुथु कली सेहो कहल जाइत अछि) भारतक केरल राज्यक उत्तर मलाबार क्षेत्रक एक प्रसिद्ध लोक कला अछि। ई लोक नृत्य मुख्य रूप सँ माविलर समुदाय द्वारा प्रस्तुत कएल जाइत अछि।
परिचय
[सम्पादन करी]एरुतुकली केरल राज्यक उत्तर मलाबार क्षेत्रक एक पारंपरिक लोक कला अछि। ई कला कासरगोड आ कन्नूर जिलाक पहाड़ी इलाकामे रहनिहार माविलन समुदाय द्वारा प्रस्तुत कएल जाइत अछि। ई लोक नृत्य मलयालम पंचांगक तुलम मासक दसहम दिन गाममे आयोजित कएल जाइत अछि।[१]
एरुतुकली नृत्य भविष्यक कृषि समृद्धिक कामनाक रूपमे कएल जाइत अछि।[१]
शब्दोत्पत्ति
[सम्पादन करी]‘एरुतु’ शब्दक अर्थ अछि पैघ बैल आ ‘कली’क अर्थ खेल अथवा नृत्य होइत अछि।[१] एरुतुकलीक मुख्य पात्र एडुपुकला (कृत्रिम बैल) होइत अछि, जे बाँसक छड़ी, भूसा, कपड़ा आ लकड़ीक सिर सँ बनाओल जाइत अछि।[१]
पौराणिक कथा
[सम्पादन करी]मानल जाइत अछि जे माविलर समुदायक पूर्वज जखन ज़मींदार (जनमी) लेल पहाड़ी क्षेत्रमे धानक खेती (पोनम) कऽ रहल छलाह, तखन दू व्यक्ति केँ सुब्रह्मण्य मंदिर सँ बैल किनबाक लेल पठाओल गेल छल।[१] वापसीक दौरान थकानक कारण ओ सभ बाटमे सूति गेलाह आ जागला पर बैल गायब छल। बहुत खोजबीनक बादो बैल नहि भेटल, तखन ओ सभ प्रतिज्ञा कएलाह जे प्रत्येक वर्ष एरुतुकलीक आयोजन करताह।[१] बादमे बैल वापस आबि गेल आ ओ सभ अपन प्रतिज्ञा पूरा कएलाह।
प्रदर्शन
[सम्पादन करी]एरुतुकलीमे एरुतुकलीक वेश धारण करबाक पूर्व कलाकार सभ अपन पूर्वज सभ केँ ताजा धान सँ बनल पोहे आ मुरमुरे तथा फल अर्पित कऽ प्रार्थना करैत छथि।[२]
कलाकार सभ बाँस, भूसा, कपड़ा आ लकड़ी सँ बनल पैघ कृत्रिम बैल केँ उठाक तालबद्ध ढंग सँ घर-घर जाइत छथि।[३]
एहि नृत्यमे चेंडा आ चेम्पिला जेकाँ पारंपरिक वाद्ययंत्रक प्रयोग कएल जाइत अछि।[१] कृषिक शुरुआत सँ जुड़ल गीतक संग नृत्य कएल जाइत अछि।[१] ई लोक कला तुलम मासक दसहम दिन शुरू भऽ कऽ तेसर दिन बाघ द्वारा बैल केँ पकड़बाक दृश्यक संग समाप्त होइत अछि।[३]
बैल केँ ओहि सभ घरमे लऽ जायल जाइत अछि जकर संबंध कृषि कार्य सँ होइत अछि।[४] परिवारक ओर सँ कलाकार सभ केँ उपहार सेहो देल जाइत अछि।[१]
संदर्भ
[सम्पादन करी]- 1 2 3 4 5 6 7 8 9 "ഗോത്ര സ്മൃതികളുണർത്തി എരുതുകളി..", keralakaumudi.com (मलयालममे), Kerala Kaumudi, मूलसँ २०२३-०४-०७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२३-०४-०७।
- ↑ "പാരമ്പര്യത്തിന്റെ നേർക്കാഴ്ചയായി എരുതുകളി", ManoramaOnline (मलयालममे), Malayala Manorama, मूलसँ २०२३-०४-०७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२३-०४-०७।
- 1 2 "എരുതുകളി നിറഞ്ഞാടി", Deshabhimani (मलयालममे), मूलसँ २०२३-०४-०७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२३-०४-०७।
- ↑ "പത്താമുദയത്തിനെത്തി 'എരുതും മരമീടനും'", keralakaumudi.com, मूलसँ २०२३-०४-०७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२३-०४-०७।