कन्नौज
उत्तर प्रदेश राज्य में एक नगरी | |||
| मीडिया अपलोड करें | |||
| प्रकार | मानव बस्ती | ||
|---|---|---|---|
| डाक सूचकाङ्क |
| ||
| स्थानीय दूरभाष कोड |
| ||
| समय क्षेत्र | |||
| समुद्र तलसँ उचाई |
| ||
| स्थान | कन्नौज जिला, फ़र्रूख़ाबाद जिला, भारत | ||
| गली का पता |
| ||
| जनसङ्ख्या |
| ||
| क्षेत्रफल |
| ||
| समुद्र तलसँ उचाई |
| ||
| Original publication | |||
निर्देशाङ्क: 27°1'52.81"N, 79°55'19.27"E
| |||
| |||
कन्नौज (Kannauj) भारतक उत्तर प्रदेश राज्यक कन्नौज जिलामे स्थित एकटा ऐतिहासिक नगर छी। ई अही जिलाक मुख्यालय सेहो छी। 'कन्नौज' शब्दक उत्पत्ति संस्कृतक कान्यकुब्ज (Kānyakubja) शब्दसँ भेल अछि। ई एकटा प्राचीन नगरी छी आ एक समयमे ई हिन्दू साम्राज्यक प्रतिष्ठित राजधानीक रूपमे सुविख्यात छल।[१][२]
सम्राट मिहिर भोज केर समयमे एकरा महोदय नामसँ सेहो जानल जाइत छल।[३] ई नगर राज्यक राजधानी लखनऊ सँ १०४ किलोमीटर पश्चिममे अवस्थित अछि।
हिन्दू महाकाव्यक अनुसार, कन्नौज वा कान्यकुब्ज पुरूरवा केर पुत्र आ ऋग्वैदिक ऋषि विश्वामित्र केर पूर्वज अमावसु केर राजधानी छल।[४]
प्राचीन आ शास्त्रीय भारतमे, ई शाही राजवंशसभक मुख्य केन्द्रक रूपमे काज केलक। एहिमे सभसँ पहिने मौखरि वंश आ बादमे वर्धन वंशक सम्राट हर्षवर्धन केर शासनकाल प्रमुख अछि।[५] कालान्तरमे ई नगर गाहड़वाल वंश कें अधीन आबि गेल आ गोविन्दचन्द्र केर शासनकालमे ई अपन "अभूतपूर्व गौरव" पर पहुँचि गेल। गुर्जर-प्रतिहार, पाल वंश आ राष्ट्रकूटसभक बीच भेल त्रिपक्षीय सङ्घर्ष मे सेहो कन्नौज एकटा मुख्य युद्ध-केन्द्र छल।

प्रारम्भिक मध्यकालीन भारतमे कन्नौज निर्विवाद रूपसँ सभसँ धनी आ समृद्ध शहर छल,[६] आ कन्नौजक आस-पासक क्षेत्रकेँ आर्यावर्त कहल जाइत छल।[७] मध्यकालीन शताब्दीमे देशक विभिन्न भागमे प्रवास करयवला अधिकतर ब्राह्मणसभक मूल उद्गम स्थान कन्नौज आ मध्य देशकेँ ही मानल जाइत अछि।[८]

१०१० ई. मे जब महमूद गजनवी कन्नौज आयल, तँ ओ एकरा एकटा एहन शहरक रूपमे देखलक "जकर माथ आसमान धरि उठल छल, आ जकर शक्ति तथा संरचनाक कोनो बराबरी नहि कऽ सकैत छल।"[९][१०]
कन्नौज अपन सुगन्ध आ इत्रक आसवन प्रणालीक लेल विश्वप्रसिद्ध अछि। एकरा "भारतक इत्र राजधानी" कें नामसँ सेहो जानल जाइत अछि आ ई अपन पारम्परिक कन्नौज इत्र केर लेल जानल जाइत अछि, जे भारत सरकार द्वारा संरक्षित अछि।[११]
कन्नौजमे २०० सँ अधिक इत्रक भट्ठीसभ अछि आ ई इत्र, तम्बाकू आ गुलाब जलक एकटा पैघ व्यापारिक केन्द्र छी।[११] एही नगरक नाम पर हिन्दुस्तानीक एकटा विशिष्ट बोलीक नाम सेहो पड़ल अछि, जकरा कन्नौजी कहल जाइत अछि।
इन्जिनियरिङ् महाविद्यालय
[सम्पादन करी]अहेर, तिर्वामे स्थित सरकारी इन्जिनियरिङ् कलेज, कन्नौज डॉ॰ ए॰ पी॰ जे॰ अब्दुल कलाम प्राविधिक विश्वविद्यालय, लखनऊ (पूर्वमे उत्तर प्रदेश तकनीकी विश्वविद्यालय) कऽ घटक महाविद्यालय छी।
डिग्री कलेज
[सम्पादन करी]पण्डित सुन्दर लाल मेमोरियल स्नातकोत्तर महाविद्यालय कन्नौजक मकरन्द नगरमे स्थित एकटा प्रतिष्ठित स्नातकोत्तर संस्थान छी। वर्ष १९७३ मे स्थापित ई महाविद्यालय छत्रपति शाहू जी महाराज विश्वविद्यालय, कानपुरसँ सम्बद्ध अछि,[१२] आ जनपदमे उच्च शिक्षाक प्रमुख केन्द्र छी।
परिवहन
[सम्पादन करी]शहरमे दुईटा प्रमुख रेलवे स्टेशन अछि- कन्नौज रेलवे स्टेशन आ कन्नौज सिटी रेलवे स्टेशन। निकटतम हवाई अड्डा कानपुर हवाई अड्डा छी जे शहरसँ लगभग २ घण्टाक दूरी पर स्थित अछि।
ई जीटी रोड पर अवस्थित अछि। कानपुरसँ कन्नौजक दूरी ८० किलोमिटर अछि।[१३] सड़क परिवहनक लेल उत्तर प्रदेश राज्य सड़क परिवहन निगम कें अन्तर्गत कन्नौज डिपो अछि।
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]सन्दर्भ
[सम्पादन करी]- ↑ "Uttar Pradesh in Statistics," Kripa Shankar, APH Publishing, 1987, ISBN 9788170240716
- ↑ "Political Process in Uttar Pradesh: Identity, Economic Reforms, and Governance सङ्ग्रहित २०१७-०४-२३ वेब्याक मेसिन," Sudha Pai (editor), Centre for Political Studies, Jawaharlal Nehru University, Pearson Education India, 2007, ISBN 9788131707975
- ↑ "Why Gurjara is not Gujjar: A historical perspective", The Times of India, ७ अगस्त २०२१, मूलसँ ९ अगस्त २०२१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ अगस्त २०२१।
- ↑ Uttar Pradesh District Gazetteers: Farrukhabad. Government of Uttar Pradesh. 1988. pp. 21, 22. https://www.google.co.in/books/edition/Uttar_Pradesh_District_Gazetteers_Farruk/UxFuAAAAMAAJ?hl=en.
- ↑ Tripathi, History of Kanauj, p. 192
- ↑ wink, Andre (2020) (enमे). The Making of the Indo-Islamic World,C.700-1800 CE. Cambridge university press. प॰ 42. https://www.google.co.in/books/edition/The_Making_of_the_Indo_Islamic_World/uPXvDwAAQBAJ?hl=en.
- ↑ Hussain jafri, Saiyid Zaheer (2016) (enमे). Recording the Progress of Indian History. Primus Books. प॰ 148. https://www.google.co.in/books/edition/Recording_the_Progress_of_Indian_History/K4SzQL1uds4C?hl=en.
- ↑ Wink, André (2020). The Making of the Indo-Islamic World C.700-1800 CE. E.J. Brill. प॰ 42. https://www.google.co.in/books/edition/The_Making_of_the_Indo_Islamic_World/uPXvDwAAQBAJ?hl=en.
- ↑ Lal, Makkhan (1984). Settlement History and Rise of Civilization in Ganga-Yamuna Doab, from 1500 B.C. to 300 A.D.. B R Publishing Corporation. प॰ 18. https://www.google.co.in/books/edition/Settlement_History_and_Rise_of_Civilizat/pTluAAAAMAAJ?hl=en.
- ↑ Uttar Pradesh District Gazetteers: Farrukhabad. 39. Ballia. Government of Uttar Pradesh. 1988. प॰ 30. https://www.google.co.in/books/edition/Uttar_Pradesh_District_Gazetteers_Farruk/-gJDAAAAYAAJ?hl=en.
- 1 2 "Life: India's perfume capital threatened by scent of modernity", The Taipei Times, २० सितम्बर २०१२, मूलसँ १७ मार्च २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १० फरबरी २०१६।
- ↑ "Kannauj | Chhatrapati Shahu Ji Maharaj University, Kanpur", अन्तिम पहुँच २०२६-०२-२३।
- ↑ "How to Reach | District Kannauj, Government of Uttar Pradesh | India" (en-USमे), अन्तिम पहुँच २०२५-०७-१६।
