काली पूजा समिति भटरा घाट
दिखावट
काली पूजा समिति, भटरा घाट गामक समिति अछि जे 2009 सँ एखन धरि काली पूजा कऽ रहल अछि आ ई पूजा कामेश्वरनाथ महादेव मंदिर भटरा घाटक प्रागणमे होइत अछि।
एहि काली पूजाक पहिल सूत्रधार छथि संजीव ठाकुर। संजीवजी तात्कालीन बुजुर्ग एवं आन ग्रामीण लग अपन इच्छा कहलखिन आ सभहक सहयोगसँ ई पूजा शुरू भेल। एहि समितिक पहिल किछु वर्ष लेल अध्यक्ष रहथि आनंद कुमार झा (प्रसिद्ध लाल बच्चा), कोषाध्यक्ष रहथि भवेश कुमार मिश्र।
वर्तमानमे एहि समितिक अध्यक्ष छथि विवेकानंद झा।