कुमार पवन
दिखावट
कुमार पवन 1958
गाम मुरैठा। कथा संग्रह, कविता संग्रह आ व्यंग्य संग्रह शीघ्र प्रकाश्य। मैथिलीमे १९९० ई सँ विरल लेखन। २००८ ई. सँ दस सालक मौन भंगक बाद पुनः रचनाक दोसर पालीक प्रारम्भ। डॉ. पवन कुमार झा, जन्मतिथि–27/12/1958, स्थायी पता– ग्राम+पत्रालय–मुरैठा, भाया–कमतौल, जिला–दरभंगा, बिहार पिन कोड–847304, वर्त्तमान पता– द्वारा–डॉ. पी. के. झा, पी. जी. टी. (हिन्दी), केन्द्रीय विद्यालय, कटिहार, बिहार, पिन कोड–854105 शिक्षा–एम. ए. (हिन्दी), बी. एड., पी. एच.डी., आजीविका–केन्द्रीय विद्यालय संगठन मे पी. जी. टी. (हिन्दी)क रूपमे कार्यरत
लेखन– विगत शताब्दीक नवम् दशकक प्रारंभमे कविता लेखन सँ साहित्य–कर्म प्रारंभ। प्रायः डेढ़ दशक धरि कविता, कथा, व्यंग्य आ आलोचनात्मक, शीघ्रहिं कविता–संग्रह कथा–संग्रह आ व्यंग्य–संग्रहक प्रकाशनक तैयारी।