गगन थापा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Gagan Thapa
गगन थापा
अष्ट्रेलियाक सिड्नीमे सम्बोधन करैत गगन थापा
स्वास्थ्य मंत्री
कार्यकाल
२५ अगस्त २०१६
राष्ट्रपतिविद्या देवी भण्डारी
प्रधानमन्त्रीपुष्पकमल दाहाल
नेपाल के विधान-मंडल संसदके सदस्य काठमांडू निर्वाचन क्षेत्र नंबर ४ से
कार्यकाल
२१ जनवरी २०१४
पूर्वाधिकारीसुप्रभा घिमिरे
व्यैक्तिक विवरण
जन्म
गगन कुमार थापा

(१९७६-०७-१६) १६ जुलाई १९७६ (उमर ४७)
राष्ट्रियतानेपाली
राजनैतिक दलनेपाली काँग्रेस
जीवनसाथीडा. अंजना के.सी. थापा (२००८-वर्तमान)
बाल बच्चा2 (गार्गी थापा, जीया थापा)
शिक्षाराजनीति विज्ञान मे परास्नातक
मातृ शिक्षा प्रतिष्ठानत्रिचन्द्र कलेज
वेबसाइटgaganthapa.com.np


गगन थापा (नेपाली: गगन थापा) नेपालक राजनीतिज्ञ तथा नेपाली काँग्रेसक नेता आर नेपालक स्वास्थ्यमन्त्री छी।

पृष्ठभूमी[सम्पादन करी]

थापाक जन्म २०३३ सालमे काठमाडौंक प्रसूति गृहमे भेल अछि। उनकर मातापिता महेन्द्र कुमार थापारामेश्वरी थापा छी। उनकर दादा सोलुखुम्बु जिल्लाक खाल्पा गाम्क धनी मुखिया भीमराज थापा छी। ओ कश्यप गोत्री गोदार थापा अछि।

गगनक बाल्यकालक किछ समय सिन्धुपाल्चोक जिल्लामे बितल। उनकर पिता महेन्द्र नेपाल विद्युत प्राधिकरणमे इन्जिनियर छल। गगनक एक भैया आ दुई भाइ अछि। भैया पवन छी तँ भाईसभ सुमन आ जीवन। गगन सिर्द्धार्थ वनस्थली हाइस्कूलमे पढलक। ओहि ठाम पढैतधरि उनकर इच्छा डाक्टर-इन्जिनियर बनेके ही छल। २०४६ सालक जनआन्दोलनमे गगन सक्रिय भेल। तखन ओ कक्षा ९ मे पढैत छल। परन्तु, राजनीतिमे लागेके सोचाइ नै छल।

दोसर सविधानसभामे कृषि तथा जलस्रोत समितिक सभापतिक प्रभावशाली भूमिका निर्वाह केने थापा नेपाली काग्रेसक युवा नेता गगन थापा एक सभासदक रुपमे सदा चर्चाक शिखरमे रहल । समाजशास्त्रमे स्नातकोत्तर अध्ययन केने थापा २०५९ सालसँ २०६१ सालधरि नेविसंघक महामन्त्री भ काम केने छल। नेपाली काँग्रेसक महाधिवेशन प्रतिनिधि थापा राजाक सक्रिय शासनक खन काङ्ग्रेस पार्टी गतन्त्रक आवाज प्रखर रूपमे उठावे वाला युवाक रूपमे परिचित अछि। दर्जनौ बेर हिरासतमे पडल थापा चलचित्र देखनाई, अध्ययन आ घुमफिर अपन रुचि भेल बतौने अछि।

संविधानसभामे नेपाली काङ्ग्रेस नामक पुस्तकक लेखक थापा नेपाली काग्रेसक नेता अर्जुननरसिंह केसीक बेटी डा.अञ्जना के.सी सँग २०६५ वैशाखमे विवाह केलक। संविधानसभामे दलसभक बीचमे सहमति बनावेमे अपन प्रमुख प्रयास रहल थापा बतौने अछि।

राजनीति प्रवेश[सम्पादन करी]

वैवाहिक जीवन[सम्पादन करी]

उनकर पत्नी नेपाली काँग्रेसक नेता अर्जुननरसिंह केसीक बेटी डा. अञ्जना केसी छी।

[१]



सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

[२]