गोक्यो रि
| गोक्यो रि Gokyo Ri | |
|---|---|
Gokyo Ri गोक्यो पीक | |
गोक्यो ताल उपर गोक्यो रि क दृश्य | |
| उच्चतम विन्दु | |
| अवनति | ५३५७ मी (१७,५७५ फिट) |
| सूचीकृत | नेपालक पर्वत सभक सूची |
| निर्देशाङ्क | २७°५७′४०″उ॰ ८६°४१′००″पू॰ / २७.९६१११°N ८६.६८३३३°Eनिर्देशाङ्क: २७°५७′४०″उ॰ ८६°४१′००″पू॰ / २७.९६१११°N ८६.६८३३३°E |
| भूगोल | |
| स्थान | खुम्बु, नेपाल |
| माता शृङ्खला | हिमालय |
गोक्यो रि (अङ्ग्रेजी: Gokyo Ri) नेपाल हिमालयक खुम्बु क्षेत्रमे अवस्थित ५,३५७ मी (१७,५७५ फिट) उचाइ बला एकटा शिखर अछि। ई न्गोजुम्पा हिमनदक पश्चिमी किनार पर स्थित अछि, जे नेपालक सबसँ पैघ हिमनद मानल जाएत अछि आ सम्पूर्ण हिमालय क्षेत्रक सेहो सबसँ पैघ हिमनदमध्येक एक मानल जाएत अछि।
गोक्यो (४,७५० मि, समुद्र सतह सँ १५,५८३ फुट ऊपर), जे गोक्यो रि क पाद प्रदेशमे स्थित अछि, एकटा सानो गाम छी जाहिमे किछु घर आ लज (अतिथि गृह) सभ अछि, आ ई दुनिया भरिक सबसँ उचाई पर अवस्थित बस्तीसभमध्येक एक मानल जाएत अछि। गोक्यो रि क शिखर सँ चारिटा ८,००० मीटर सँ उपरके शिखर देखल जा सकैत अछि: माउंट एभरेस्ट, ल्होत्से, मकालु आ चोयु।[१]गोक्यो ताल एहि क्षेत्रमे अवस्थित छथि। शिखर सँ पुमोरी आ नुप्त्से जेकाँ अन्य पर्वतसभ सेहो देखाइ दैत छथि, आ संगहि पाँचटा शान्त हिमनदीय झील, जे सभ मिलिकए गोक्यो ताल केर नाम सँ चिन्हल जाएत अछि, सेहो स्पष्ट देखल जा सकैत अछि। गोक्यो-री क शिखर तक पहुँचए लेल नजदीकी गाम सँ लगभग ३ घण्टा तक पैदल यात्रा (हाइक) करए पड़ैत अछि। [२]
गोक्यो ताल एहि क्षेत्रमे अवस्थित छथि। शिखर सँ पुमोरी आ नुप्त्से जेकाँ अन्य पर्वतसभ सेहो देखाइ दैत छथि, आ संगहि पाँचटा शान्त हिमनदीय झील, जे सभ मिलिकए गोक्यो ताल केर नाम सँ चिन्हल जाएत अछि, सेहो स्पष्ट देखल जा सकैत अछि। गोक्यो-री क शिखर तक पहुँचए लेल नजदीकी गाम सँ लगभग ३ घण्टा तक पैदल यात्रा (हाइक) करए पड़ैत अछि।
- शिखर
- गोक्यो रि क ढलान सँ न्गोजुम्पा हिमनद
- गोक्यो रि क शिखर सँ एभरेस्ट, ल्होत्से आ मकालु
| विकिमिडिया कमन्समे Gokyo Peakसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Google Earth"।
- ↑ Adventure, Nepal Trek, "Gokyo Lakes Trekking"।