गौरी लङ्केश

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
गौरी लङ्केश
Gauri Lankesh
गौरी लङ्केश
जन्म२९ जनवरी १९६२
बेङ्गलोर, भारत
मृत्यु५ सितम्बर २०१७
मृत्यु कारणहत्या
व्यवसायपत्रकार-कार्यकर्ता
परिवारपी. लङ्केश (पिता)
इन्द्रजित लङ्केश (भाए)
कविता लङ्केश (बहिन)


गौरी लङ्केश (२९ जनवरी १९६२- ५ सितम्बर २०१७) कन्नड़ भारतीय क्रान्तिकारी पत्रकार छल । ओ बेङ्गलोर सँ प्रकाशित होमए वला कन्नड़ साप्ताहिक पत्रिका लङ्केशमे सम्पादिकाक रूपमे कार्यरत छल । पिता पी. लङ्केशक लङ्केश पत्रिकाकें सङ्गे ओ साप्ताहिक गौरी लङ्केश पत्रिका सेहो निकालैत छल । ५ सितम्बर २०१७ कऽ बेङ्गलोरक राजराजेश्वरी नगरमे हिनकर घर पर अज्ञात बन्दूकधारिसभ द्वारा गोली मारिकें हिनकर हत्या करि देनए छल । एहि प्रकार ओ नरेन्द्र दाभोलकर (पुणे, २०१३), गोविन्द पानसरे (कोल्हापुर, २०१५), एमएम कलबुर्गी (२०१५) जँका दक्षिणपन्थक आलोचक भारतीय पत्रकारसभ आ लेखकसभक वर्गमे समावेश भऽ गेल जिनकासभक २०१३ ई कें बादमे हत्या करि देल गेल अछि ।[१]

जीवन परिचय[सम्पादन करी]

गौरीक जनम् २९ जनवरी १९६२ कऽ कर्नाटककें एक लिङ्गायत परिवारमे भेल छल । हिनकर पी. लङ्केश कन्नड़क प्रसिद्ध लेखक, कवि एवं पत्रकार छल । एकर सङ्गे ओ पुरस्कार विजेता फिल्म निर्माता सेहो छल ।[२] १९८० ई. मे हिनका द्वारा लङ्केश नामक कन्नड़ साप्ताहिक पत्रिकाक शुरुआत कएल गेल छल । हिनका तीनटा सन्तान छल- गौरी, कविता, आ इन्द्रजीत । कविता द्वारा फिल्मक पेशाकें रूपमे अपनाओल गेल तथा अनेक पुरस्कार अर्जित केलक आ गौरी द्वारा पत्रकारिताक अपन पेशा बनेबाक निश्चय केनए छल । पत्रकारक रूपमे हिनकर पेशेवर जीवनक शुरुआत बेङ्गलोरमे 'टाइम्स अफ इन्डिया' सँ भेल । चिदानन्द राजघट्ट सँ विआहक बाद ओ किछ दिन दिल्लीमे रहल आ एकर बाद फेरो बेङ्गलोर आवि गेल हिनका द्वारा ९ वर्ष धरि 'संडे' म्याग्जीनमे संवाददाताकें रूपमे काम कएल गेल ।[३]

सङ्घर्ष[सम्पादन करी]

हत्या आ एकर प्रतिक्रिया[सम्पादन करी]

राजनीतिक दृष्टिकोण आ विचारधारा[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Gauri Lankesh honoured with Anna Politkovskaya Award"The Hindu (Indian Englishमे)। Special Correspondent। 2017-10-05। ISSN 0971-751X। अन्तिम पहुँच 2017-10-06{{cite news}}: CS1 maint: others (link)
  2. "Gauri Lankesh, a journalist known for anti-establishment, pro-Dalit stand"Hindustan Times। 5 September 2017। मूलसँ 6 September 2017 कऽ सङ्ग्रहित। {{cite news}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  3. "Who is Gauri Lankesh?"The Indian Express। 5 September 2017। मूलसँ 6 September 2017 कऽ सङ्ग्रहित। {{cite news}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)