चार्ल्स किर्क
चार्ली किर्क | |
|---|---|
जुलाई २०२५ मे किर्क | |
| जन्म | चार्ल्स जेम्स किर्क अक्टुबर १४, १९९३ आर्लिङटन हाइट्स, इलिनोइस, अमेरिका |
| मृत्यु | सितम्बर १०, २०२५ (३१ वर्ष) ओरेम, युटाह, अमेरिका |
| मृत्यु कारण | गोलीक प्रयोग सँ हत्या |
| व्यवसाय |
|
| सक्रिय वर्ष | २०१२–२०२५ |
| सङ्गठन | |
| राजनीतिक दल | रिपब्लिकन |
| अभियान | |
| जीवनसाथी(सभ) | एरिका फ्रान्ट्जवे |
| बालबच्चा | २ |
| हस्ताक्षर | |
चार्ल्स जेम्स किर्क (१४ अक्टोबर १९९३ – १० सेप्टेम्बर २०२५) अमेरिकी दक्षिणपन्थी राजनीतिक कार्यकर्ता, उद्यमी आ मीडिया हस्ती छलाह। ओ २०१२ मे परम्परावादी सङ्गठन टर्निङ प्वाइन्ट यूएसए (TPUSA) के सह-संस्थापक छलाह आ ओकर कार्यकारी निर्देशक सेहो। ओ विभिन्न पुस्तक प्रकाशित कएलाह आ दि चार्ली किर्क शो, एकटा टक रेडियो कार्यक्रम सेहो संचालित कएलाह। अपन मृत्युपूर्व, किर्क रिपब्लिकन पार्टी मे MAGA आन्दोलनक सभसँ प्रमुख आवाजमे सँ गिनल जायत छलाह, आ हुनकर हत्या भेला सँ बाद ओ समकालीन दक्षिणपन्थी विचारधाराक प्रतीक मानल जाइत छथि।
किर्कक जन्म आ पालन पोषण शिकागो उपनगर आर्लिङटन हाइट्स आ प्रॉस्पेक्ट हाइट्स मे भेल। ओ सन्क्षेप मे हार्पर कौलेज मे पढ़ाइ केलनि, मुदा एक सेमेस्टरक बाद पूर्णकालिक राजनीतिक सक्रियता करबाक लेल पढाई छोड़ि देलनि। ओ विभिन्न दानकर्ताक संग कार्य करैत टर्निङ प्वाइन्ट यूएसए (TPUSA) केँ वित्तपोषण करबाक प्रयास केलनि, आ अपन विशिष्ट “प्रूव मी रॉन्ग” टेबल पर आयोजित अनौपचारिक कौलेज परिसर बहसक माध्यम सँ चर्चित भेला। ओ प्रोफेसर वॉचलिस्ट आ नव मतदाताक लक्षित विशाल सभा सभक जकाँ पहलक माध्यम सँ TPUSA केर प्रभाव विस्तार केलनि, आ ओकर बाद सँ अमेरिकन युवामध्ये राजनीतिक संरक्षकवादक (conservatism) प्रति रुचि जागृत करबाक श्रेय हुनका दिओल जाएत अछि। किर्कक नेतृत्व मेँ TPUSA कतेक संबद्ध समूह विकसित केलक, जकरा मेँ टर्निङ प्वाइन्ट एक्शन आ टर्निङ प्वाइन्ट फेथ सम्मिलित अछि, जतय टर्निङ प्वाइन्ट फेथ धार्मिक समुदाय केँ संरक्षक मुद्दासभक चारू ओर सक्रिय करबाक उद्देश्य सँ केन्द्रित रहल। पेन्टेकोस्टल पास्टर रॉब मॅककॉय सँ साझेदारी कए टर्निङ प्वाइन्ट फेथ बनाकए, किर्क ईसाई दक्षिणपंथ (Christian right) सँ जुड़ल आ ईसाई राष्ट्रवादक पक्षमे वकालत करऽ लगलाह।