चुमाओन
| वर्गीकरण | |
|---|---|
| मैथिल संस्कार | |
| संस्कार | |
| क्षेत्र | मिथिला |
| अवसर | मैथिल विआह, उपनयन, कोजागरा, मुण्डन, आदी |
| अनुष्ठान आ आशीर्वाद | चुमाओन गीत, दूर्वाक्षत मन्त्र |
| अनुष्ठानक लेल सामग्री | हरदि, दुबि आ दहीक सङ्ग रङ्गीन चाउरक दाना |
चुमाओन भारतीय उपमहाद्वीपक मिथिला क्षेत्रमे विआह, पवित्र सामूहिक समारोह, कोजागरा आ अन्य शुभ समारोहक समय कएल जाए वाला शुभ संस्कार छी। एकरामे हरदि, दुबि, आओर दहीसँ रङ्गल चाउर केर दानासँ अभिषेक करल जाएत अछि। संस्कार प्रक्रियाक समयमे महिलासब चुमाओन गीतक नामसँ जानल जाए वाला मैथिली गीत गाबैत अछि आ परिवारक बुजुर्ग लोकनि दूर्वाक्षत मन्त्रक जप करि आशीर्वाद दैत अछि। ई परम्परा एहि क्षेत्रक लोककथा पर आधारित अछि।[१][२][३][४][५]
वर्णन
[सम्पादन करी]भारतीय उपमहाद्वीपक मिथिला क्षेत्रमे चुमाओन एकटा शुभ संस्कार छी जे किछु शुभ अवसर पर मैथिल लोकनिक परिवारमे कएल जाइत अछि। ई सामान्यतः उपनयन, मुण्डन, मैथिल विआह, आ कोजागरा आदिक अवसर पर मनाओल जाइत अछि। मिथिला क्षेत्र बाहेक ई संस्कार बिहारक भोजपुरी भाषी क्षेत्रमे सेहो विस्तारित भेल अछि।[५]
विआह समारोह होइत काल वर-वधू दुनू केर शारीरिक परीक्षाक लेल ई संस्कार कएल जाइत अछि। चुमाओन संस्कारक समय समारोहमे उपस्थित महिलासब वर-वधू केर शरीरक अङ्ग गुप्त रूपसँ छूबि परीक्षण करैत अछि। संस्कारमे महिलासब चुमाओन गीत गबैत छथि आ एक-एक कए अक्षत (चाउरक दाना)सँ शरीरक पाँच टा अङ्ग कए छुबैत अछि आ अन्तमे विवाहित दम्पतिकेँ आशीर्वाद दैत अछि। चुमाओन गीत आशीर्वाद गीत छी जे दम्पति लेल गाओल जाइत अछि।[१]
मिथिला क्षेत्रमे शुभ अवसर पर आमन्त्रित व्यक्ति अप्पन परिजनकेँ जे वस्तु या पैसा दैत अछि ओकरा चुमाओन सेहो कहल जाइत अछि।[१]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- 1 2 3 Śrīvāstava, Lakshmī Prasāda (1990) (hiमे). Bihāra loka saṃskrti kośa: Mithilā khanḍạ. Sītārāma Prakāśana. https://books.google.com/books/about/Bih%C4%81ra_loka_sa%E1%B9%83skrti_ko%C5%9Ba_Mithil%C4%81_k.html?id=MpEhAAAAMAAJ#%E0%A4%9A%E0%A5%81%E0%A4%AE%E0%A4%BE%E0%A4%B5%E0%A4%A8.
- ↑ Bharat, E. T. V. (२०२५-१०-०६), "Sharad Purnima Attains Regional Flavour Of Kojagara In Mithilanchal", ETV Bharat News (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०२५-१०-०७।
- ↑ "शादी-ब्याह से पहले इस रस्म में दर्द से कराह उठता है दूल्हा, जानें चुमावन वाली रस्म की खास परंपरा", News18 हिंदी (हिन्दीमे), २०२४-१२-०९, मूलसँ २०२५-०१-०२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२५-१०-०७।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Ram Sita Vivah: मैथिली चुमावन के साथ धूमधाम से मनाया गया राम सीता विवाह, आयोजन में जुटे लाखों श्रद्धालु", News18 हिंदी (हिन्दीमे), २०२४-१२-०८, अन्तिम पहुँच २०२५-१०-०७।[permanent dead link]
- 1 2 (enमे) Folk-lore. Indian Publications. 1965. https://books.google.com/books/about/Folk_lore.html?id=rrO0AAAAIAAJ#Chumavan.