सामग्री पर जाएँ

कृष्ण जन्माष्टमी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(जन्माष्टमीसँ पुनर्निर्देशित)
कृष्ण जन्माष्टमी
कृष्ण जन्माष्टमी
राधिकाक साथमे भगवान श्रीकृष्ण
अन्य नामजन्माष्टमी / दही हाडी /
समुदायहिन्दू
चिन्हसभक स्रोतधार्मिक
अनुष्ठान२-८ दिन धरि
पावनिसभव्रत, आरधना
तिथिभाद्र कृष्ण अष्टमी
२०२५मेdate missing (please add)
सम्बन्धकृष्ण

कृष्ण जन्माष्टमीके सातम आठम, गोकुलष्टमी, अष्टमी रोहिनी, श्रीकृष्ण जयन्ती, श्री जयन्ती वा साधारण भाषामे जन्माष्टमी सेहो कहल जाइत अछि । भगवान विष्णुक आठम् अवतारक रूपमे श्री कृष्णक जन्मदिनक अवसरमे हिन्दूसभद्वारा मनाएल जाइवाला ई एक वार्षिक पर्व छी ।[] कृष्ण जन्माष्टमीमे हिन्दूसभ भगवान श्री कृष्णक पूजा-आराधना करैत श्रद्धा-भक्तिपूर्वक मनावैत अछि । ज्ञानयोग, कर्मयोग आ भक्तियोगक प्रणेता भगवान श्रीकृष्णक जन्म द्वापरयुगमे हिन्दू पञ्चाङ्ग अनुसार भाद्रकृष्ण अष्टमीक मध्यरातमे होएसँ आईके दिनमे श्रीकृष्ण जन्माष्टमी आ रातिके मोहरात्री कहल जाइत अछि। जन्माष्टमीक दिन हिन्दु बसोवास रहल क्षेत्रक कृष्ण मन्दिरसभमे भगवान् श्रीकृष्णक पूजा-आराधना, प्रवचन, भजन-कीर्तन करिके साथे विशेषकरि महिलासभ व्रत बसि रातिभर जाग्राम रहैवाला चलन अछि ।[] अन्याय, अत्याचार आ राक्षसी प्रवृत्तिसँ मानवमात्रक संरक्षण करैक लेल भगवान् विष्णुक आठम् अवतारक रूपमे जन्मल श्रीकृष्ण आजीवन सत्यक पक्षमे रहैत सत्कर्मक लेल मानव समुदायक प्रेरित केनए छल । कुरुक्षेत्रमे कौरवसभसँ लडाईमे संलग्न पाण्डवसभमेसँ अर्जुनक उपदेश दै के क्रममे स्वयं उनकर मुखारविन्दसँ व्यक्त श्रीमद्‍भागवत गीता हिन्दूसभक पवित्र ग्रन्थ मानल जाइत् अछि । बाल्यकालसँ ही अपन विचित्र लीला देखेने श्रीकृष्ण पुतना, कंस, जरासन्ध, शिशुपाल जेहन दानवी प्रवृत्तिक संहार केनए छल । जन्माष्टमीमे पाटनक मंगलबजारस्थित प्रसिद्ध कृष्ण मन्दिरमे बड्का मेला लगैत अछि। एही उपलक्ष्यमे काठमाडौंलगायत मुलुकक विभिन्न नगरक विभिन्न धार्मिक संघ/संस्थासभद्वारा श्रीकृष्णक झाँकीसहित शोभायात्रा निकालेके चलन अछि । भारतमे समेत विभिन्न समुदायक हिन्दू धर्मावलम्बीसभ कृष्णाष्टमी हर्षोल्लासक साथ मनावैत अछि ।[]

अनुष्ठान

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Sri Krishna Janamashtami celebrated in the city", The Hindu, २४ अगस्त २००८, मूलसँ २१ सितम्बर २०१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १२ अगस्त २००९  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. "In Pictures: People Celebrating Janmashtami in India", अन्तिम पहुँच १० अगस्त २०१२ 
  3. Packert, Cynthia. The Art of Loving Krishna: Ornamentation and Devotion. Indiana University Press, 2010. Print.

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]