सामग्री पर जाएँ

जेम्स पीस

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
जेम्स पीस इन विसबाडेन (२०१८)

'केनेथ जेम्स पीस'क जन्म २८ सितंबर, १९६३केँ पैस्लेमे भेलनि। ओ एक स्कॉटिश संगीतकार, कॉन्सर्ट पियानोवादक आओर दृश्य कलाकार (विजुअल आर्टिस्ट) छथि।

'जेम्स पीस'क जन्म स्कॉटलैंडक पैस्लेमे २८ सितंबर, १९६३केँ भेलनि।[][] ओ अपन अधिकांश बचपन स्कॉटलैंडक पश्चिममे समुद्र तटीय सैर गमनक स्थान हेलेन्सबर्गमे बितौलनि। हुनक परिवारमे कतोक कलाकारलोकनि सम्मिलित छलथिन (जेना- जॉन मैक्गी, John McGhie) आओर ओ २०म शताब्दीक पूर्वार्द्धमे नृत्य संगीतक एक लोकप्रिय संगीतकार फेलिक्स बर्न्सहुसँ (Felix Burns) सम्बन्धित छथि।[][] ओ आठ सालक आयुसँ पियानो बजयबाक ट्यूशन लेलनि आओर हुनकर पहिल सार्वजनिक प्रदर्शन चौदह सालक अवस्थामे स्कॉट जोप्लिन द्वारा निर्मित संगीतक प्रदर्शन करैत भेल। दू साल बाद हुनका रॉयल स्कॉटिश एकेडमी ऑफ म्यूजिक एंड ड्रामा (आब कहल जाइत अछि: स्कॉटलैंडक रॉयल संगीतविद्यालय, The Royal Conservatoire of Scotland) मे सभसँ कम आयुक पूर्णकालिक छात्रक रूपमे भर्ती कराओल गेल।[][][][] १९८३मे ओ ग्लासगो विश्वविद्यालयसँ पियानो शिक्षणमे बी. ए.क डिग्री प्राप्त कयलनि।[][] अगिला साल ओ आर.एस.ए.एम.डी. ऑर्केस्ट्राक संग मेंडेलसोहनक पियानो कॉन्सर्टो नंबर १ खेलयलाक बाद संगीत प्रदर्शनमे डिप्लोमा प्राप्त कयलनि।[][] औपचारिक अध्ययन छोड़लाक बाद ओ एक पियानोवादकक रूपमे बहुत मांगमे छलाह आओर एडिनबर्गमे १९८८-१९९१ धरि रहल छलाह।[][]

जेम्स पीस १९९१-२००९ धरि बैड नौहेम (Bad Nauheim), जर्मनी (Bundesrepublik Deutschland) मे रहलथि।[][][] १९९८सँ ओ टैंगोक अध्ययन कयलनि, अपन टैंगो-प्रेरित पियानो रचनासभक सीडी टैंगो एस्कोस(स्कॉटिश टैंगो)क निर्माण कयलनि आओर २००२मे ओ विक्टोरिया कॉलेज ऑफ़ म्यूज़िकक सदस्य बनि गेलाह।[][][] ओही साल ओ सितंबर/अक्टूबरमे उत्तरी जर्मनीक एकल संगीत कार्यक्रमपर गेलाह आओर नवम्बरमे सुदूर पूर्वमे, हांगकांगमे (香港) अपन 'टैंगो XVII'क पहिल प्रदर्शन देलनि।[][][१०][११][१२][१३][१४]

बादक सालसभमे हुनकर प्रदर्शन यूरोपमे केन्द्रित छल। ओ निम्नलिखित राजधानी आओर शहरसभमे अपन स्वयंकेर टैंगो कला-संगीतक प्रदर्शन कयलनि-

एम्स्टर्डम, एथेंस,[१५] बर्लिन,[१६] ब्रुसेल्स, हेलसिंकी,[१७] लिस्बन,[१८] लंदन, मैड्रिड,[१९] ओस्लो,[२०] रेकजाविक[२१] आओर वियना।[२२]

२००८मे ओ टैंगोक लेल अपन सेवाक सम्मानमे लंदन कॉलेज ऑफ़ म्यूज़िकक सदस्य बनलाह।[२३][२४][२५]

एडिनबर्गमे एक छोट अवधि बितौलाक बाद ओ फरवरी २०१०मे वेसबाडेनमे रहबाक लेल आपस जर्मनी आबि गेलाह।[][] एहिसँ नव रचनात्मक आवेग उत्पन्न भेलनि आओर ओ अपन किछु रचनासभक लघु फिल्मसभ बनौलनि। वृत्तचित्र फिल्म "जेम्स पीस इन विस्बाडेन" एहि शैलीमे हुनक कार्यसभमे सँ एक अछि।[२६][२७][२८]

James Peace - Idylls Op.4

इनाम आओर पुरस्कार

[सम्पादन करी]
  • ग्लासगो, १९८३ प्रथम पुरस्कार "एग्नेस मिलर" (Agnes Millar Prize for Sight-Reading) प्रतियोगिता।[]
  • ग्लासगो, १९८३ ꞌꞌHarmony and Counterpoint Prizeꞌꞌ प्रतियोगिता।[]
  • ग्लासगो, १९८४ प्रथम पुरस्कार, "डनबार्टनशायर ई.आई.एस." (Dunbartonshire E.I.S. Prize for Piano Accompaniment) प्रतियोगिता।[]
  • ग्लासगो, १९८५ प्रथम पुरस्कार, सिबेलियस निबंध प्रतियोगिता (Sibelius Essay Prize)।[]
  • रोम, २००० डिप्लोमा, टी.आई.एम. अंतर्राष्ट्रीय रचना प्रतियोगिता (TIM International Composition Competition)।[][][]
  • न्यू याॅर्क, २००२ डिप्लोमा, IBLA फाउंडेशन।[][][]
  • टोक्यो, २००२ स्मारक पदक (प्रथम श्रेणी), इंटरनेशनल पियानो डुओ एसोसिएशन।[][][][२९]
  • पेरिस, २००५ गोल्ड मेडल, इंटरनेशनल एसोसिएशन ऑफ लुटेस (Académie Internationale de Lutèce)।[][]

रचना संसार

[सम्पादन करी]
  • ओ झरना (The Waterfall)[३०]
  • सुखद जीवन (Idylls)
  • पतझड़ ऋतुक सूतब (Autumn Gold)[३१]
  • मौन नोर (Silent Tears)
  • शाश्वत गीत (Eternal Song)[]
  • बिसरल पात (Forgotten Leaves)
  • “जॉर्जियाक लेल" (საკართველოსთვის)
  • ओबाउ आओर पियानोक लेल सोनाटा (Oboe Sonata)
  • पियानो सोलोक लेल २४ टैंगोस[][३२][३३]
  • गाथागीत (Ballade)
  • समारोह परेड नंबर १ (Ceremonial March No.1)
  • समारोह परेड नंबर २ (Ceremonial March No.2)
Tango Milonga op. 26


Tango XVIII by James Peace (James Peace, piano)




बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

Souvenir de Buenos Aires (पियानो आ वायोला के लेल)

Lento Lacrimoso

Autumn Gold

सन्दर्भ सूची

[सम्पादन करी]
  1. 1 2 3 4 5 6 7 8 9 10 11 12 Brigitta Lamperth. ꞌꞌKeine ꞌstacheligenꞌ Klängeꞌꞌ. Wiesbadener Tagblatt (जर्मन न्यूजपेपर), १० फरवरी, २०११
  2. 1 2 3 4 5 6 7 Julia Anderton. ꞌꞌTango, wie eine süß-saure Geschichteꞌꞌ. Wiesbadener Kurier (जर्मन न्यूजपेपर), २४ मार्च, २०१२
  3. 1 2 3 4 Sabine Klein. ꞌꞌMeine Musik ist wie ich - sehr romantischꞌꞌ. Frankfurter Rundschau (जर्मन न्यूजपेपर), १९९२, न०. २५४, पृष्ठ २ 2
  4. 1 2 G. Müller. ꞌꞌDie Seele des Klaviers tanzt Tangoꞌꞌ. Kulturspiegel Wetterau (जर्मन मैगजीन). १७ मार्च, २००१, पृष्ठ ५
  5. 1 2 3 4 5 6 James Peace ꞌꞌ. FRIZZ (जर्मन मैगजीन). जनवरी, २००१, पृष्ठ ५
  6. 1 2 3 4 Deutsche Nationalbibliothek. “James Peace“
  7. Manfred Merz. ꞌꞌVirtuose, gefühlsbetonte Welt der Romantik ꞌꞌ. Wetterauer Zeitung (जर्मन न्यूजपेपर), १२ दिसम्बर, १९९२, पृष्ठ १९
  8. 1 2 3 ꞌꞌ James Peace ꞌꞌ. The Tango Times of New York (मैगजीन इन न्यू यार्क). संस्करण २००२/२००३ (३९). पृष्ठ १ - ५
  9. 1 2 National Library of Scotland. “Tango escocés”
  10. ꞌꞌ James Peace ꞌꞌ. La Cadena (डच मैगजीन). सितम्बर, २००२, पृष्ठ १७
  11. "南華早報 James Peace "
  12. "Philharmonie de Paris. ꞌꞌTango escocésꞌꞌ"
  13. "de bibliotheek. ꞌꞌTango escocésꞌꞌ"[permanent dead link]
  14. "TangoTang (हांग कांग). न्यूज लेटर, ८ अक्टूबर, २००२", मूलसँ २००४-०८-०६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२५-०८-०८
  15. कंसर्ट प्रोग्राम ब्रोसर (एथेंस). {Για σένα, Αγγελική} २७ एप्रिल, २०१६
  16. Tangodanza (जर्मन मैगजीन). संस्करण १/२००२ - ९
  17. कंसर्ट पोस्टर (कंसर्ट टूर आफ़ फीनलैंड, २०१४)
  18. कंसर्ट पोस्टर (कंसर्ट टूर आफ़ पूर्तगाल, २०१६)
  19. कंसर्ट पोस्टर (कंसर्ट टूर इन स्पेन २०१३ - ¡Feliz Cincuenta Cumpleaños!)
  20. "Listen.no. James Peace (flygel). Munch Museet, ओस्लो, १६ अक्टूबर, २००४", मूलसँ २०२०-०६-०८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२५-०८-०८ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  21. "Ríkarður Ö. Pálsson. «Skozir Hörputangoár». Morgunblaðið (आइसलैंडिक न्यूजपेपर). १४ अक्टूबर, २००४"
  22. कंसर्ट प्रोग्राम ब्रोसर (वियाना). २३ जनवरी, २००५
  23. "National Library of Scotland. ꞌꞌK. James Peace in Wiesbadenꞌꞌ"
  24. "Whittaker Live. ꞌꞌWiesbaden Highlander K. James Peace, tango composer: new DVDꞌꞌ"
  25. "Deutsche Nationalbibliothek. ꞌꞌK. James Peace in Wiesbadenꞌꞌ"
  26. "National Library of Scotland"
  27. "Deutsche Nationalbibliothek"
  28. "Whittaker Live"
  29. "इन्टरनेशनल पियानो डुओ एसोसिएशन, टोकियो। लिस्ट आफ़ प्राइज विनर्स, २००२"
  30. Hessisches Staatstheater (Wiesbaden). कंसर्ट प्रोग्राम ब्रोसर १२/१९ सितम्बर, २०२१
  31. ꞌꞌVioline schwebt über das Orchesterꞌꞌ. Schwäbische Post (जर्मन न्यूजपेपर). ४ जून, १९९४
  32. "इन्टरनेशनल पियानो डुओ एसोसिएशन, टोकियो। लिस्ट आफ़ प्राइज विनर्स, २००२"
  33. "ब्रिटिश वियोला सोसाईटी न्यूजलेटर, अगस्त, २०२३"