टाइपफेस

टाइपफेस (या फन्ट परिवार) अक्षर, अंक आ अन्य प्रतीकसभक डिजाइन होइत अछि, जेकर उपयोग मुद्रण वा इलेक्ट्रोनिक डिस्प्ले लेल कयल जाइत अछि। अधिकांश टाइपफेसमे आकार (जैना २४ प्वाइन्ट), वजन (जैना हल्का, बोल्ड), झुकाव (जैना इटालिक), चौड़ाइ (जैना संकुचित) आदि प्रकारक भिन्नता सभ होइत अछि। टाइपफेसक एहि प्रत्येक भिन्न रूपकेँ फन्ट कहल जाइत अछि।
दुनियाँमे हजारौँ प्रकारक अलग-अलग टाइपफेस उपलब्ध अछि, आ नयका टाइपफेस निरन्तर विकसित कयल जा रहल अछि।
टाइपफेस डिजाइन करबाक पेशाकेँ टाइप डिजाइन कहल जाइत अछि। टाइपफेस डिजाइन करयवला व्यक्तिसभकेँ टाइप डिजाइनर कहल जाइत अछि, आ ओसभ प्रायः टाइप फाउन्ड्रीमे कार्यरत रहैत छथि। डेस्कटप पब्लिशिङमे टाइप डिजाइनरसभकेँ कहियो-कहियो “फन्ट डेभलपर” वा “फन्ट डिजाइनर” सेहो कहल जाइत अछि। टाइपोग्राफर ओ व्यक्ति होइत अछि जे पृष्ठ लेआउट डिजाइन करबाक लेल टाइपफेसक उपयोग करैत अछि।
इतिहास
[सम्पादन करी]टाइप फाउन्ड्रीसभ १४५०क दशकसँ वर्तमान धरि सीसा मिश्रधातु सँ फन्ट ढारैत आएल अछि, यद्यपि १९हम शताब्दीमे, विशेष कऽ संयुक्त राज्य अमेरिकामे, किछु पैघ फन्टसभ लेल लकड़ीक प्रयोग कयल गेल, जकरा वुड टाइप कहल जाइत छल। १८९०क दशकमे टाइपसेटिङक यान्त्रिकीकरण सँ आवश्यक आकार आ लम्बाइमे टाइपक पङ्क्ति रूपमे फन्टसभक स्वतः ढलाइ सम्भव भेल। एकरा निरन्तर ढलाइ कहल जाइत छल, आ ई १९७०क दशकमे समाप्त होएबाक पहिने धरि लाभदायक आ व्यापक रूपसँ प्रचलित रहल। एहि प्रकारक पहिल मशीन लिनोटाइप मशीन छल, जेकर आविष्कार ओटमार मर्गेन्थालर कएने छल। [१]
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Science history: the Linotype machine", Cosmos Magazine (en-AUमे), २०१९-०६-३०, अन्तिम पहुँच २०२०-११-०९।