टोक्यो

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
टोक्यो
東京都
मेट्रोपोलिस
टोक्यो मेट्रोपोलिस
आकृति:क झण्डा
झण्डा
आधिकारिक छाप टोक्यो
मुहर
आकृति:क सरकारी लोगो
चिह्न
राष्ट्रियगान: Tokyo Metropolitan Song (東京都歌 Tokyo Toka?)[१]
जापानमे टोक्योक अवस्थिति
जापानमे टोक्योक अवस्थिति
निर्देशाङ्क: ३५°४१′उ॰ १३९°४१′पू॰ / ३५.६८३°N १३९.६८३°E / 35.683; 139.683निर्देशाङ्क: ३५°४१′उ॰ १३९°४१′पू॰ / ३५.६८३°N १३९.६८३°E / 35.683; 139.683
देश जापान
क्षेत्रकान्तो
टापुहोन्शू
सरकार
 • प्रकारजापानक महानगर
 • राजधानीटोक्यो[२]
क्षेत्रफल
 • मेट्रोपोलिस२१८७.६६ किमी (८४४.६६ वर्गमाइल)
 • मेट्रो१३५७२ किमी (५२४० वर्गमाइल)
क्षेत्र क्रम४५अम
जनसङ्ख्या (जुलाई ३१, २०१६)[३]
 • मेट्रोपोलिस१,३६,१७,४४५
 • मेट्रो३,७८,००,०००
 • २३ वार्ड८९,६७,६६५
 २०१५ अनुमान
मूलवासी नाम江戸っ子 (Edokko), 東京人 (Tokyo-jin), 東京っ子 (Tokyokko), Tokyoite
समय क्षेत्रजापान प्रमाणिक समय (युटिसी+9)
ISO 3166-2JP-13
पुष्पसोमेइ-योशिनो चैरी ब्लोसम
वृक्षजिंकगो वृक्ष (Ginkgo biloba)
पक्षीश्याम सिरी गल (Larus ridibundus)
वेबसाइटmetro.tokyo.jp


टोक्यो (जापानी: 東京, उच्चारणः तोउक्योउ) [४] जापानक राजधानी तथा सबसँ पैग शहर छी । ई जापानक होन्शू द्वीपमे अवस्थित अछि आ एकर जनसङ्ख्या लगभग ८६ लाख अछि, जबकि टोक्यो क्षेत्रमे १.२८ करोड आ उपनगरीय क्षेत्र मिलाए एतयक अनुमानित ३.७ करोड लोक बसोबास करैत अछि जे ई देशक सबसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल महानगरीय क्षेत्र अछि । टोक्यो लगभग ८० किमीक क्षेत्रमा फैलल अछि आ ई क्षेत्रफलक दृष्टिसँ सेहो विश्वक सबसँ पैग नगरीय क्षेत्र छी ।[५]

टोक्यो विश्वक सबसँ विकसित शहरसभमे सँ एक छी । ई जापानक राजनीतिक, आर्थिक तथा सांस्कृतिक गतिविधिक प्रमुख केन्द्र होमएक संगे विश्वक एक प्रमुख आर्थिक केन्द्र सेहो छी । ई विश्वक सबसँ पैग महाशहरीय अर्थव्यवस्था सेहो छी जकर कुल गृहस्थ उत्पाद, क्रय शक्तिक आधारमे सन् २००५ मे १,१९१ अरब डलर छल । न्यूयोर्क तथा लण्डनक साथ मिल ई विश्व अर्थव्यस्थाक सञ्चालक छी आ एकरा अल्फा+ नगरक दर्जा प्राप्त अछि । विभिन्न संस्थाद्वारा कएल सर्वेक्षणमे टोक्योके विश्वक लगातार सबसँ महग महाशहरक गौरव प्राप्त अछि ।[६]

नाम[सम्पादन करी]

टोक्योके मूल रूपमे ईडोक नामसँ जानल जाइत छल, जकर जापानी अर्थ मुहाना छी । सन् १८६८ मे एकरा जापानक राजधानी बनाएल गेल आ एकर नाम परिवर्तन करि टोक्यो (तोउक्योउ: तोउ (पूर्व) + क्योउ (राजधानी)) बनाएल गेल ।

२३ विशेष वार्ड[सम्पादन करी]

जनसाङ्ख्यिकी[सम्पादन करी]

अक्टुबर २००७ धरि, आधिकारिक अन्तरजनगणनीय अनुमानक आधारमे टोक्योमे १.२७९ करोड लोक निवास करैत अछि, जाहिमेसँ ८६.५३ लाख टोक्योक २३ वार्डमे निवास करैत अछि । दुपहरक समय, जनसङ्ख्यामे लगभग २५ लाखक वृद्धि होइत अछि कियाकि कर्मिक तथा विद्यार्थी आसपासक क्षेत्रसँ टोक्योमे आबैत अछि । ई स्थिति तीन केन्द्रीय वार्ड चियोदा, चूओ तथा मिनातोमा सँ अधिक स्पष्ट होइत, जकर सन् २००५क राष्ट्रिय जनगणनाक अनुसार सामूहिक जनसङ्ख्या रात्रीक समय ३,२६,०० होइत छल, मुदा दुपहरक समय २४ लाखधरि पहुँचि जाइत छल ।

समूचे प्रिफेक्चरमे सन् २००७ मे १,२७,९०,००० (२३ वार्डमे ८६,५३,०००) निवासी छल, जाहिमे दुपहरक समय ३० लाखक वृद्धि होइत छल । टोक्योक अखनिधरिक सर्वाधिक जनसङ्ख्या सन् १९६५ क जनगणनामे छल, जखन २३ वार्डसभक कुल आधिकारिक जनसङ्ख्या ८८,९३,०९४ छल आ सन् १९९५क जनगणनामे ई सङ्ख्या ८० लाखसँ कम भेल ।

सन् २००५ धरि, टोक्योमे बैसनिहार विदेशीसभमे सर्वाधिक जनसङ्ख्या चीनीसभ (१,२३,६६१) क अछि, ओकरबाद कोरियाली (१,०६,६९७), फिलिपीनो (३१,०७७), अमेरिकी (१८,८४८), ब्रिटिश (७,६९६), ब्राजिलियाली (५,३००) आ फ्रान्सेली (३,०००)[७]क अछि।

पर्यटन स्थल[सम्पादन करी]

टोक्योक पर्यटन स्थलसभ निम्नलिखित अछि:

  • शाही महल
  • टोक्यो टावर
  • अमेयोको
  • इन्द्रधनुषी पुल
  • तोशोगु मन्दिर
  • सूमो सङ्ग्रहालय
  • गिन्जा
  • नेशनल म्यूजियम अफ वेस्टर्न आर्ट

शहर दृश्यावली[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "東京都歌・市歌", Tokyo Metropolitan Government, अन्तिम पहुँच सितम्बर १७, २०११ 
  2. 都庁の所在地 Shinjuku is the location of the Tokyo Metropolitan Government Office. But Tokyo is not a "municipality". Therefore, for the sake of convenience, the notation of prefectural is "Tokyo".
  3. "平成27年 毎月1日現在の推計", Tokyo Metropolitan Government, अन्तिम पहुँच जनवरी १७, २०१५ 
  4. "Geography of Tokyo", Tokyo Metropolitan Government। 
  5. "World Urbanization Prospects: The 2014 Revision Population Database", United Nations, अन्तिम पहुँच अगस्त १०, २०१४ 
  6. "GaWC – The World According to GaWC 2008", Lboro.ac.uk, अप्रैल १३, २०१०, अन्तिम पहुँच अक्टुबर २९, २०१० 
  7. "टोक्यो सांख्यिकीय वार्षिकपुस्तिका २००५, जनसङ्ख्या", ब्यूरो अफ जनरल अफ्रेयर्स, टोक्यो मेट्रोपलिटन गवर्न्मेन्ट, अन्तिम पहुँच २००७-१०-१४ 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]