तेज नारायण सिंह
तेज नारायण सिंह | |
|---|---|
समाजसेवी " तेज नारायण सिंह" | |
| जन्म | महोत्तरी जिल्ला.धमौरा |
| राष्ट्रियता | |
| नागरिकता | नेपाल |
| शिक्षा | स्नातक |
| व्यवसाय | सामाजसेवा, किसान |
| प्रसिद्धि कारण | किसान सभक सहयोग करब आ युवा सभकेँ सामुदायिक सहभागिता लेल प्रेरित करब। |
उल्लेखनीय कार्यसभ | अपन जमीन दान कऽ धमौरा उच्च माध्यमिक विद्यालयक स्थापना केलनि। |
तेज नारायण सिंह (१९३७–२०२२) महोत्तरी जिलाक एक प्रमुख नेपाली समाजसेवी छलाह। हुनकर नाम शिक्षा, कृषि आ सामुदायिक विकास क्षेत्र में उल्लेखनीय योगदानक लेल सम्मानपूर्वक लेल जाइत अछि । [१]
तेज नारायण सिंह के जन्म महोत्तरी जिला स्थित धमौरा गाम में भेल छल। ओ ग्रामीण क्षेत्रक शैक्षणिक विकास में सक्रिय भूमिका निभेलनि आ अपन निजी जमीन पर धमौरा उच्च माध्यमिक विद्यालय के स्थापना करि शिक्षा क्षेत्र में महत्वपूर्ण योगदान देलनि। एकर अतिरिक्त, ओ आसपासक अन्य विद्यालय सभक स्थापना आ प्रचार-प्रसार में सेहो सक्रिय सहयोग करैत रहलाह। [२]
तेज नारायण सिंह कृषि प्रथामे विशेष रूप सँ छोट किसान सभक सहयोग करबा में अग्रणी छलाह। ओ अपन अनुभव आ संसाधनक माध्यम सँ किसानसभकेँ आधुनिक खेती आ आत्मनिर्भरता दिस मार्गदर्शन करैत रहलाह। संगहि, ओ स्थानीय युवा सभकेँ खेल, कला आ सांस्कृतिक कार्यक्रम में भाग लेबाक लेल निरंतर प्रेरित करैत रहलाह, जाहिसँ समुदाय में सक्रिय भागीदारी आ समावेशी विकासक भावना प्रबल भेल। [३] [४]
हाल ही में स्व. तेज नारायण सिंह के स्मृति में आयोजित हृदय स्वास्थ्य शिविर में ६०० सँ अधिक स्थानीय लोकनि के नि:शुल्क स्वास्थ्य जाँच तथा आवश्यक दवाइयां प्रदान कएल गेल। [५]
हृदय रोग विशेषज्ञ डॉ. ओम मूर्ति अनिल द्वारा पिता–पुत्र संबंध पर आधारित लिखल पोथी "जीवंत संबंध" स्व. तेज नारायण सिंह के समर्पित कैल गेल अछि। ई पुस्तक मात्र साहित्यिक कृति नहि, बल्कि पारिवारिक संबंधक गहिराई केँ उजागर करै वाला भावनात्मक दस्तावेजो अछि। एहि पुस्तक सऽ प्राप्त भेल समस्त आमदनी बुजुर्ग आ जरूरतमंद लोकक सहायतार्थ दान कएल गेल, जे सिंहजी केर सेवा-भावना आ समाजप्रति समर्पण केँ जीवंत श्रद्धांजलि मानल जाइत अछि। [६] [७]
सन्दर्भ
[सम्पादन करी]- ↑ "Free Heart Camp in Dhamaura held in honour of late Tej Narayan Singh", The Kathmandu Post (Englishमे), अन्तिम पहुँच २०२४-१२-१६।
- ↑ Yadav, Manoj Kumar, "A Legacy of Service in Education", Khabarhub (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०२४-१२-१६।
- ↑ "Heart Camp organized in memory of Tej Narayan Singh", Gorkhapatra, अन्तिम पहुँच २०२४-१२-१६।
- ↑ Jha, Kameshwar, "शिक्षा तथा समाजसेवी तेज नारायण सिंहप्रति सच्चा श्रद्धाञ्जली", News of Nepal (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०२४-१२-१६।
- ↑ "Dhamaura village honours late social worker Tej Narayan Singh - OnlineKhabar English News", Online Khabar (en-GBमे), २०२४-११-१०, अन्तिम पहुँच २०२४-१२-१६।
- ↑ Chhetri, Ashmita Gharti, "“Jiwanta Sambandha”: Where literature and philanthropy converge", Nepal Live Today (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०२४-१२-१६।
- ↑ Uprety, Bharat Jung (२०२४-०८-०८), "Jiwanta Sambandha: A Heartfelt Tribute to the Legacy of Tej Narayan Singh", Republica (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०२४-१२-१६।