सामग्री पर जाएँ

दुबि

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

दुबि
Cynodon dactylon
वैज्ञानिक वर्गीकरण edit
जगत: पौधा
क्ल्याड: फूलदार वनस्पति
क्ल्याड: Monocots
क्ल्याड: Commelinids
गण: Poales
परिवार: Poaceae
उपपरिवार: Chloridoideae
वंश: Cynodon
प्रजाति:
C. dactylon
वैज्ञानिक नाम
Cynodon dactylon
पर्याय[]
जमीन पर पसरल दुबि
हरियर दुबि

दुबि या दुर्वा (वानस्पतिक नाम: Cynodon dactylon) एक घास छी जे जमीन पर पसरैत अछि। हिन्दु संस्कार आ कर्मकाण्डमे एकर उपयोग कएल जाइत अछि। अस्ट्रेलियान्युजिल्यान्डमे एकरा सामन्यतया बरमुडा घास या काउच ग्रास कऽ नामसँ जानल जाइत अछि। ई दुनिया भरिमे पाओल जाए वाला घास छी।[]युरोप, अफ्रिका, अस्ट्रेलियाएसियाक बहुतेक भूभागमे पाओल जाइत अछि आ एकरा अमेरिकामे सेहो परिचित कराएल गेल अछि।[][] हिन्दीमे एकरा दूब, दुबडा, संस्कृतमे दुर्वा, सहस्त्रवीर्य, अनन्त, भार्गवी, शतपर्वा, शतवल्ली, मराठीमे पाढरी दूर्वा, काली दूर्वा, गुजरातीमे धोलाध्रो, नीलाध्रो, मारवाड़ीमे ध्रो, बङ्गालीमे नील दुर्वा, सादा दुर्वा आदि नामसभसँ जानल जाइत अछि। एकर आध्यात्मिक महत्वानुसार प्रत्येक पूजा पाठमे दुबि केर अनिवार्य रूपसँ प्रयोगमे लाबल जाइत अछि।

एकर औषधीय गुणसभक अनुसार दुबि त्रिदोष हरण करवाला एक एहन औषधि छी जे वात, कफ, आ पित्तक समस्त विकार नष्ट करैत वात, कफ आ पित्त केर सम करैत अछि। दुबि सेवनक सङ्गे यदि कपाल भाति क्रिया नियमित कएल जाए तँ शरीरक भीतर रहल त्रिदोष नियन्त्रित करि दैत अछि, ई दाह शामक, रक्तदोष, मूर्छा, अतिसार, अर्श, रक्त पित्त, प्रदर, गर्भस्राव, गर्भपात, यौन रोग, मूत्रकृच्छ इत्यादिमे विशेष लाभकारी अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "The Plant List: A Working List of All Plant Species"
  2. Samples, Tom; Sorochan, John (२०२३), "Bermudagrass", University of Tennessee Institute of Agriculture, अन्तिम पहुँच ४ अगस्त २०२५
  3. "Cynodon dactylon (L.) Pers. | Plants of the World Online | Kew Science"
  4. Rojas-Sandoval, J.; Acevedo-Rodríguez, P. (२०१४), "CABI Invasive Species Compendium", CABI Compendium, CABI Compendium, डिओआई:10.1079/cabicompendium.17463